मुख्य मेनु खोली

खड्गप्रसाद शर्मा ओली (जन्म: विसं २००८ साल फागुन ११, प्रख्यात नाम: केपी ओली) नेपालक राजनीतिज्ञ तथा वर्तमानमे (४१ अम) प्रधानमन्त्री छी ।[१] राष्ट्रपती विद्या देवी भण्डारी द्वारा संविधानक धारा ७६ कऽ उपधारा २ बमोजिम २०७४ फागुन ३ गते ओली प्रधानमन्त्री नियुक्त भेल ।[२]। आ एहिसँ पहिने ओली २०७२ मे पहिलबेर नेपालक ३८अम प्रधानमन्त्री सेहो रहि चुकल अछि[३][४]नेकपा (एमाले)क वर्तमान अध्यक्ष छी।

खड्गप्रसाद ओली
KP Oli.jpg

बहालवाला
पद बहाली 
१५ फरबरी २०१८
राष्ट्रपति : विद्या देवी भण्डारी
अग्रज : शेरबहादुर देउवा
कार्यकाल
१२ अक्टुबर २०१५ – ४ अगस्त २०१६
राष्ट्रपति : विद्या देवी भण्डारी
अग्रज : सुशील कोइराला
उतराधिकारी : पुष्पकमल दाहाल

कार्यकाल
२००६ – २००७
शासक : राजा ज्ञानेन्द्र

कार्यकाल
१९९४ – १९९५
शासक : राजा वीरेन्द्र
व्यक्तिगत जानकारी
जन्म २००८ साल फागुन ११ गते शनिवार
इवागाऊँ तेह्रथुम, नेपाल
राजनीतिक दल नेकपा एमाले
धर्म हिन्दू
वेबसाइट kpsharmaoli.com

जीवनीसम्पादन

खड्गप्रसाद ओलीक जन्म बाबु मोहनप्रसाद ओली आर मधु ओलीक पुत्रक रूपमे वि सं २००८ साल फागुन ११ गते शनिबार तेह्रथुम जिलाक इवा गाममे भेल छल । वि.सं. २०२२ सालमे कम्युनिष्ट राजनीतिमे संलग्न ओली २०२६ सालमे नेपाल कम्युनिष्ट पार्टीक सदस्यता लेनए छल। २०२८ सालक झापा आन्दोलनक प्रमुखसभमे एक छल, ओही वर्ष ओ जेलमे पडल छल ।।[५] ओली तत्कालिन नेकपा (माले) कऽ संस्थापकमे एक छी। पञ्चायती व्यवस्था विरुद्धक संंघर्षक क्रममे ओली २०२८सँ २०४४धरि १४ वर्ष जेल जीवनयापन केने छल ।

ओली २०४८, २०५१ आ २०५६ कऽ आम-निर्वाचनमे झापा जिल्ला क्षेत्र नं ६सँ प्रतिनिधि सभामे निर्वाचित भेल छल। पहिल संविधान सभा निर्वाचन २०६४मे ओ झापाक क्षेत्र नं ७सँ पराजित भेल। वि.सं. २०४९ सालमे नेकपा (एमाले)क स्थायी कमिटी सदस्य[५] भेल ओ, २०७१ असारमे पार्टीक अध्यक्षमे निर्वाचित भेल अछि । दोसर संविधानसभा निर्वाचन २०७०मे ओ झापा क्षेत्र नं ७सँ नेकपा एमालेक तरफसँ निर्वाचित भेल अछि। हाल ओ नेकपा (एमाले)क संसदीय दल कऽ नेता सेहो छी ।

एहो सभ देखीसम्पादन

राजनैतिक पार्टीसभक कार्यालय
पूर्वाधिकारीक नाम
झलनाथ खनाल
नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एकीकृत मार्क्सवादी-लेनिनवादी)क नेता
२०१४–वर्तमान
बहालवाला
राजनैतिक कार्यलय
पूर्वाधिकारीक नाम
सुशील कोइराला
नेपालक प्रधानमन्त्री
२०१५–२०१६
उत्तराधिकारीक नाम
पुष्प कमल दाहाल
पूर्वाधिकारीक नाम
शेरबहादुर देउवा
नेपालक प्रधानमन्त्री
२०१८-वर्तमान
उत्तराधिकारीक नाम
बहालवाला

सन्दर्भ सामग्रीसभसम्पादन

  1. "केपी ओली", प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रीपरिषद्को सचिवालय, अभिगमन तिथि १५ फेब्रुअरी २०१८ 
  2. "एमाले अध्यक्ष ओली प्रधानमन्त्री नियुक्त...", कान्तिपुर, अभिगमन तिथि १५ फरबरी २०१८ 
  3. "ओली प्रधानमन्त्री भेलाक बाद जन्मघरमे खुशीयाली", इकान्तिपुर, अभिगमन तिथि ११ अक्टोबर २०१५ 
  4. "नयाँ प्रधानमन्त्रीमे केपी ओली निर्वाचित", बिबिसी नेपाल, अभिगमन तिथि ११ अक्टोबर २०१५ 
  5. ५.० ५.१ उज्यालो अनलाइन:संविधान सभा चुनाव २०७० "खड्गप्रसाद ओली", अभिगमन तिथि ९ अक्टुबर २०१५ 

बाह्य जडीसभसम्पादन