क्लाउडिया सिफ
क्लाउडिया मारिया सिफ (जर्मन: Claudia Schiffer) (जन्म:२५ अगस्त १९७०) एक जर्मनेली मोडल, अभिनेत्री, फ्यासन बनावटकर्ता आ कार्यकारी निर्माता छी।[२] ओ सन् १९९० कऽ दशकक सुरुमे विश्वक सभ सँ सफल मोडलसभमे सँ एकक रूपमे ख्याति कमाबऽमे सफल भेल छल।[३]
क्लाउडिया सिफ | |
---|---|
जन्म | क्लाउडिया मारिया सिफ २५ अगस्त १९७० राइनबर्ग, जर्मनी |
व्यवसाय |
|
सक्रिय वर्ष | सन् १९८९–हाल |
जीवनसाथी(सभ) | म्याथ्यु भागुहन विवाह: सन् २००२ |
सङ्गी(सभ) | डेभिड कुपरफिल्ड (सन् १९९४–१९९९) |
बालबच्चा | ३ |
मोडलिङ जानकारी | |
उचाई | १.८० मी (५ फिट ११ इन्च) |
केसक रङ | कारी |
आँखिक रङ | बुलु |
वेबसाइट | claudiaschiffer.com |
ओ एक हजार सँ बेसी राष्ट्रिय आ अन्तर्राष्ट्रिय फ्यासन पत्रिकाक आवरण पृष्ठमे अप्पन जलवा देखाए चुकल अछि।[४] ओ विश्वक लोकप्रिय आ चर्चित पत्रिकासभक आवरण पृष्ठमे प्रदर्शित भेलाक कारण विश्व किर्तीमान कायम करैत गिनिज वर्ल्ड रेकर्ड्समे सेहो सूचीकृत भेल अछि।[५][६][७] सन् २००२ मे, फोर्ब्स सिफक कुल सम्पत्ति ५ करोड ५० लाख अमेरिकी डलर भेल अनुमान केनए छल।
बाल्यकाल या सुरुवाती जीवन
सम्पादन करीसिफक जन्म २५ अगस्त १९७० मे जर्मनीमे भेल छल। सिफकेँ दुई भाए आ एक बहिन अछि। ओकर पिता एक वकील छल। ओकर पिताक नाम हेनरीस सिफ आ माताक नाम उद्रनु सिफ छी। सिफ अप्पन बाल्यकाल निदहाइनमे बितौने छल।[८][९]ओ फ्रान्सेली, अङ्ग्रेजी आ जर्मनेली लगाएतक भाषासभमे पोख्त अछि। ओ सर्वप्रथम सेन्ट पीटर क्याथोलिक प्राथमिक विद्यालय आ बादमे एम्प्लोनिस उच्च विद्यालयमे पठनपाठन केनए छल। बाल्यकालमे, ओ अप्पन पिताक कानून कार्यालयमे वकिल बनि सेवा करऽ लेल चाहैत छल।[२][९]
कार्यकाल
सम्पादन करीमोडलक रूपमा
सम्पादन करीसन् १९८७ मे कानून विषय अध्ययन करवाक हुनकर योजना बद्दर भेलाक बाद ओ डोसेलडोर्फ महानगरीय मोडल आयोगक प्रबन्ध निर्देशक मिसेल लेभान्तनद्वारा हुनकर क्षमताकेँ बुझि हुनका मोडलिङ क्षेत्रमे अप्पन करियर बनेबाक लेल प्रेरित केनए छल।[९]ओकर बाद, सिफकेँ मोडलिङ करियरक प्रारम्भमे परिक्षण दृश्य खिचवाक लेल राजधानी पेरिस आमन्त्रित कएल गेल जकर बाद ओ एली पत्रिकाक लेल तस्वीर श्रृङ्खलामे प्रदर्शित भेल। ओकर ओ तस्वीरसभ एलेन भोन अनवर्थ खिचने छल।[१०]जिन्स कपडासभक चर्चित ब्रान्ड गेस जीन्सक लेल तस्वीर शृङ्खला हुनका लेल उत्कृष्ट साबित भेल छल जहिमे ओ अप्पन उत्कृष्ट क्षमता प्रस्तुत केनए छल।[११] ओ पहिल बेर सन् १९८८ मे कार्ल लगेरफेल्डक अनुरोध पर सनेल नामक फ्रान्सेली कम्पनी प्रवेश करि कामुक क्याटवाकमे दक्षता हासिल केनए छल।[१२]सन् १९८९ मे सिफ पहिलो बेर भोग पत्रिकाक आवरण पृष्ठमे प्रदर्शित भेल छल। हर्ब रिट्सद्वारा खिचल गेल हुनकर तस्वीर भोग पत्रिकाक बेलायत संस्करणक अक्टुबरमे जारी कएल गेल छल।[१३] सन् १९९० मई महिनामे ओ पहिल बेर भोग पत्रिकाक जर्मनेली संस्करणमे देखाएल गेल छल आ जर्मनीकेँ ततियाना पातिज्स आ नादिया अमन्द बाद १० बर्षधरि चर्चित मोडलक रूपमे अपनाआपकेँ स्थापित करि पदासिन रहल छल।[१४] ओकर बादक वर्षमे सिफ संसारक सभ सँ प्रख्यात पत्रिकासभक १००० सँ बेसी आवरण पृष्ठसभमे देखाएल गेल छल।[१३] मारी क्लेयर, कस्मोपोलिटन, हार्पर्स बजार, प्लेब्वाइ तथा एली लगाएतक पत्रिकासभमे हुनकर तस्वीर छपल छल। भ्यानिटी फेयर, सङ्गीत पत्रिका रोलिङ स्टोन आ प्रख्यात न्यू योर्क टाइम्सक शीर्ष पृष्ठमे देखाएल गेल ओ पहिल मोडल सेहो छी।[१५]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ Alexander, Ella। ""Schiffer wird Filmproduzent""। अन्तिम पहुँच 8 September 2018।
- ↑ २.० २.१ "[१]" अभिगमन मिति ६ मार्च २०१२
- ↑ "BEAUTY; Tropical Tresses"। द न्यु योर्क टाइम्स। ५ जनवरी १९९२। अन्तिम पहुँच 18 September 2013।
- ↑ "10 Minutes with Claudia Schiffer"। ग्ल्यामर। 15 January 2015। मूलसँ 15 April 2016 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 4 April 2016।
{{cite news}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ "Profit Models – Forbes"। फोर्ब्स। 20 March 2000। अन्तिम पहुँच 4 April 2016।
- ↑ "Claudia Schiffer Fashion Wiki"। Fashion Encyclopedia। अन्तिम पहुँच 4 April 2016।
- ↑ "Claudia Schiffer – Guinness record"। युट्युब। 18 March 2007। अन्तिम पहुँच 4 April 2016।
- ↑ "Biografie सङ्ग्रहित २००७-१०-०१ वेब्याक मेसिन Ask Men. अभिगमन मिति १९ जुन २००७
- ↑ ९.० ९.१ ९.२ Tod beim Golfspielen – Claudia Schiffer weint um ihren Vater, Hamburger Abendblatt, २६ जुलाई २०९७
- ↑ "Claudia Schiffer CNN Style auf www.edition.cnn.com, abgerufen am 6. Januar 2019"। मूलसँ 2020-04-03 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2020-03-31।
- ↑ Claudia Schiffer: Babybauch als Lustobjekt. auf: sueddeutsche.de, 22. Mai 2010.
- ↑ "Claudia Schiffer: Biografie सङ्ग्रहित २००७-११-११ वेब्याक मेसिन MSN. अभिगमन मिति १२ जुन २००७।
- ↑ १३.० १३.१ "[२]". Vogue cover.अभिगमन मिति ६ मार्च २०१२।
- ↑ Mau, Dhani (28 March 2012)। "Over 20 Years Later, Claudia Schiffer Is a Guess Girl Again – Fashionista"। Fashionista। अन्तिम पहुँच 8 March 2015।
- ↑ shrekolina (31 July 2007)। "Claudia Schiffer – Chanel" – युट्युब माध्यमसँ।
बाह्य सूत्रसभ
सम्पादन करीविकिमिडिया कमन्समे आर बहुत रास क्लाउडिया सिफरसँ सम्बन्धित मिडिया सामग्रीसभ अछि । |
विकिक्वोट पर क्लाउडिया सिफ सँ सम्बन्धित उद्धरण अछि। |