कौशानी मुखर्जी
कौशानी मुखर्जी (जन्म १७ मई १९९२) एक भारतीय अभिनेत्री छी जे मुख्य रूप सँ बङ्गाली चलचित्रमे अभिनय करैत अछि जकरा टलिउड चलचित्र उद्योगक रूपमे जानल जाएत अछि। ओ राज चक्रवर्तीद्वारा निर्देशित बोनी सेनगुप्ताक सङ्ग सन् २०१५ मे बङ्गाली भाषाक चलचित्र 'पारबोना आमी चारते तोके' सँ चलचित्र क्षेत्रमे पदार्पण केनए छल।
कौशानी मुखर्जी Koushani Mukherjee | |
---|---|
जन्म | |
व्यवसाय | मोडल, अभिनेत्री |
सक्रिय वर्ष | २०१५-वर्तमान |
पुरस्कार | मिस ब्युटी अफ कोलकाता |
प्रारम्भिक जीवन आ शिक्षा संपादित करें
मुखर्जीक जन्म १७ मई १९९२ कें पश्चिम बङ्गालक राजधानी शहर कोलकातामे भेल छल। कौशानीक पिताक नाम राणा मुखर्जी आ माताक नाम सङ्गीता मुखर्जी छल। कौशानीकें पिता राणा मुखर्जी भारतीय आयकर विभागमे अधिकारीक रुपमे काज करैत अछि। ओ पार्क स्ट्रीटमे अवस्थित एसेम्बली अफ गड चर्च स्कूल सँ प्रारम्भिक शिक्षा दीक्षा प्राप्त केनए छल आ उच्च शिक्षाक लेल हेरम्बा चन्द्रा कौलेजमे भर्ती भेल जतय सँ ओ वाणिज्य सङ्कायमे स्नातक उतिर्ण केनए छल। कौलेज सँ शिक्षा प्राप्त करि लेलाक बाद मुखर्जी अपन ध्यान मोडलिङ दिस केन्द्रित केलक आ बादमे ओ कोलकातामे आयोजित होमए वाला 'मिस ब्यूटी अफ कोलकाता' कऽ खिताब जीतऽ मे सफल भेल छल।[१]
व्यवसाय संपादित करें
मुखर्जी अपन चलचित्र अभिनय करियरक शुरुआत सन् २०१५ मे राज चक्रवर्तीद्वारा[२]निर्देशित बङ्गाली भाषाक चलचित्र 'पारबोना आमी चारते तोके' सँ केनए छल। ई चलचित्रमे मुखर्जी रोमान्टिक रुचि नामक किरदारक भूमिका निर्वाह केनए छल।[३] सन् २०१६ मे, ओ राजा चन्दाद्वारा निर्देशित एक रोमान्टिक कौमेडी चलचित्र 'केलोर कीर्ति' मे नजरि आएल छल।[४][५][६] केलोर कीर्ति[७] नामक चलचित्रमे ओ एक धनी युवती अश्नुषकाक भूमिका निभेने छल, जकरा एक पत्रकार सँ प्रेम भऽ जाएत अछि। सन् २०१७ मे, ओ रवि किनागी[८]द्वारा निर्देशित चलचित्रमे अभिनय केनए छल।
फिल्मोग्राफी संपादित करें
बाह्य जडीसभ संपादित करें
सन्दर्भ सामग्रीसभ संपादित करें
- ↑ "The glitter girls", The Telegraph, १९ फरबरी २०१५, अन्तिम पहुँच २०१७-०८-०२।
- ↑ "Love Stories Ideal Launchpad for Newcomers: Raj Chakraborty", Hundustan Times, २३ सितम्बर २०१५, मूलसँ २०१७-०७-३१-मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ३१ जुलाई २०१७ – HighBeam Researchद्वारा, (नामलेखन बाँकी (help))।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता);|subscription=
प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता) - ↑ "PARBO NA AMI CHARTE TOKEY World TV Premiere on STAR JALSHA | Koushani Mukherjee, Swastika Dutta, Bonny Sengupta", WBRi Washington Bangla Radio USA (en-wbriमे), ११ दिसम्बर २०१५, अन्तिम पहुँच २०१७-०८-०२।
- ↑ Buzarbaruah, Upam (१४ जुलाई २०१६), "Kelor Kirti Movie Review", The Times of India, अन्तिम पहुँच ३१ जुलाई २०१७।
- ↑ "Shocking: Did Ankush and Koushani secretly get married? - Times of India", The Times of India, अन्तिम पहुँच २०१७-०८-०२।
- ↑ Mimi, Nusrat, Sayantika and Koushani have a laugh riot!""Mimi, Nusrat, Sayantika and Koushani have a laugh riot!", 12 January 2017
- ↑ Ganguly, Ruman (१२ जनवरी २०१७), "Kelor Kirti is an hilarious tale of seven youngsters – Times of India", The Times of India, अन्तिम पहुँच २०१७-०८-०२।
- ↑ "Bonny and Koushani pair up for Ravi Kinnagi's film "Jio Pagla" - Times of India", The Times of India, अन्तिम पहुँच २०१७-०७-३१।