काव्य, कविता या पद्य (अङ्ग्रेजी: Poetry)[१][२][३] साहित्यक ओ विधा छी जाहिमे कोनो कथा या मनोभावक कलात्मक रूपसँ कोनो भाषाद्वारा अभिव्यक्त कएल जाइत अछि । भारतमे कविताक इतिहास आ कविताक दर्शन बहुत पुरान अछि । कविताक शाब्दिक अर्थ अछि काव्यात्मक रचना या कविद्वारा कएल गेल कृति, जे छन्दसभक शृङ्खलासभमे विधिवत बानहल जाइत अछि ।

काव्य ओ वाक्य रचना छी जकर चित्त कोनो रस या मनोवेगसँ पूर्ण होए । अर्थात ओ कला जाहिमे चुनल गेल शब्दसभद्वारा कल्पना आ मनोवेगसभक प्रभाव राखल जाइत अछि । रसगङ्गाधरमे 'रमणीय' अर्थक प्रतिपादक शब्दकें 'काव्य' कहल गेल अछि ।

काव्यप्रकाशमे काव्य तीन प्रकारक कहल गेल अछि, ध्वनि, गुणीभूत व्यङ्ग्य आ चित्र । ध्वनि ओ छी जहिमे शब्दसभसँ निकलल अर्थ (वाच्य) क अपेक्षा नुकाएल होए आ अभिप्राय (व्यङ्ग्य) प्रधान होए । गुणीभूत व्यङ्ग्य ओ छी जहिमे गौण होए । चित्र या अलङ्कार ओ छी जाहिमे बिना व्यङ्ग्यकें चमत्कार होए । ई तीनू प्रकार क्रमशः उत्तम, मध्यम आ अधम सेहो कहलावैत अछि । काव्यप्रकाशकार क जोर नुकाएल भाव पर अधिक जानि पड़ैत अछि, रसक उद्रेक पर नै । काव्यकें दुई आओरो भेद कएल गेल अछि, महाकाव्यखण्ड काव्य । महाकाव्य सर्गबद्ध आ ओकर नायक कियो देवता, राजा या धीरोदात्त गुण सम्पन्न क्षत्रिय होवाक चाही । ओहिमे शृङ्गार, वीर या शान्त रससभमे सँ कोनो रस प्रधान होनाए चाही । बीच बीचमे करुणा, हास्य इत्यादि आ रस तथा अन्य लोकसभक प्रसङ्ग सेहो आना चाही । कम सँ कम आठ सर्ग होवाक चाही । महाकाव्यमे सन्ध्या, सूर्य, चन्द्र, रात्रि, प्रभात, मृगया, पर्वत, वन, ऋतु, सागर, संयोग, विप्रलम्भ, मुनि, पुर, यज्ञ, रणप्रयाण, विवाह आदिक यथास्थान सन्निवेश होनए चाही ।

परिचय सम्पादन करी

इतिहास सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "Poetry"Oxford Dictionaries। Oxford University Press। 2013। मूलसँ 2013-06-18 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2018-01-05 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  2. "Poetry"Merriam-Webster। Merriam-Webster, Inc.। 2013।
  3. "Poetry"Dictionary.com। Dictionary.com, LLC। 2013—Based on the Random House Dictionary{{cite web}}: CS1 maint: postscript (link)

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी