भारती एयरटेल, जेकरा पहिने भारती टेलीवन्चर उद्यम लिमिटेड (BTVL) के नाम सँ जानल जाइत छल, अखन भारत के दूरसञ्चार व्यवसाय अप्रेटरसभक सभसँ पैग कम्पनी छी जेकर जुलाई २००८ धरि ६९.४ करोड उपभोक्ता अछि।[३] ई फिक्स्ड लाइन सेवा तथा ब्राडब्याण्ड सेवासभ सेहो प्रदान करैत अछि। ई अपन दूरसञ्चार सेवासभ एयरटेल के ब्रान्ड अन्तर्गत प्रदान करैत अछि आ एकर नेतृत्व सुनील मित्तल (Sunil Mittal) करैत अछि। ई कम्पनी १४ सर्किलसभमे डीएसएल पर टेलीफोन सेवा तथा इन्टरनेट के पहुँच सेहो उपलब्ध करावैत अछि। ई कम्पनी लम्बा दूरी वाला राष्ट्रीय आ अन्तर्राष्ट्रीय सेवासभक साथ अपन मोबाइल, ब्राडब्याण्ड तथा टेलीफोन सेवासभक पूरक सेवासभक कार्य करैत अछि। कम्पनी के पास चैन्नई मे पनडुब्बी केबल ल्याण्डीङ् स्टेशन सेहो अछि जे चैन्नई आ सिङ्गापुर के जोडि वाला पनडुब्बी केबल के जोडैत अछि। कम्पनी अपन करपोरेट ग्राहकसभक देश मे फाइबर आप्टिक व्यकबोन द्वारा अन्त:दर अन्त: आंकडा तथा उद्यम सेवासभ प्रदान करावैत अछि, एकर बाहेक फिक्स्ड लाइन एवं मोबाइल सर्किलसभ, वीसेट, आईएसपी तथा गेटवे एवं ल्याण्डीङ् स्टेशनसभक माध्यमसँ अन्तरराष्ट्रीय ब्याण्डविड्थ के पहुँच के लेल अन्तिम मील धरि सम्बन्ध जोडि के कार्य करैत अछि।

एयरटेल भारत
Airtel India
सार्वजनिक
उद्योगटेलिकम्युनिकेसन्स
स्थापनाजुलाई ७, १९९५; २८ वर्ष आगा (१९९५-०७-07)[१]
संस्थापकसुनिल भारती मित्तल
मुख्यालयभारती क्रेसेन्ट, १, नेल्सन मण्डेला रोड, नयाँ दिल्ली, भारत
सेवा क्षेत्र
भारत
मुख्य लोकनि
सुनिल भारती मित्तल (चेयरम्यान आ एम. डी.)
उत्पादनसभफिक्स्ड लाइनमोबाइल टेलिफोनी, ब्रोडब्याण्ड आ फिक्स्ड लाइन इन्टरनेट सेवासभ, डिजिटल टेलिभिजनआइपीटीभी
सदस्यसभ260 million (as of February 2017) [२]
Parentभारती एयरटेल
वेबसाइटairtel.in
एयरटेल रिटेलर, किलोङ्ग

एयरटेल' भारत मे भारती एयरटेल ]द्वारा सञ्चालित दूरसञ्रचार सेवासभक एक ब्रान्ड छी। भारत मे ग्राहकसभक संख्या के दृष्टि सँ एयरटेल सेल्यूलर सेवा के सभसँ पैग कम्पनी छी। भारती एयरटेल के पास एयरटेल ब्रान्ड के स्वामित्व अछि आ अपन ब्रान्ड नाम एयरटेल मोबाइल सर्विसेज के नाम सँ जीएसएम (GSM) प्रौद्योगिकी के उपयोग करैत निम्नलिखित सेवासभ उपलब्ध करावैत अछि: ब्राडब्याण्ड तथा दूरसञ्चार सेवासभ, स्थिर लाइन इन्टरनेट कनेक्टीविटी (डीएसएल तथा बन्धक लाइन), लम्बा दूरी के सेवासभ एवं उद्यम सेवासभ (कोरपोरेट के दूरसन्चार परामर्श). देश के २३ सर्किल मे ई अपन कार्य करि रहल अछि आ वित्तीय वर्ष २००७ धरि वर्तमान जनसंख्या के ७१% जनसंख्या के अपन सेवासभ प्रदान करि रहल अछि।

प्रमुख अन्तरराष्ट्रीय दूरसञ्चार कम्पनीसभ जेहन वोडाफोन आ [सिंग टेल|सिंग टेल] के भारती एयरटेल मे आंशिक भागीदारी अछि।

अप्रैल २००६ मे जर्सी मे चैनल द्वीप मे स्थानीय दूरसञ्चार नियन्त्रक द्वारा भारती ग्लोबल लिमिटेड के दूरसञ्चार लाईसेन्स प्रदान कएल गेल छल। सिम्तबर २००६ मे गोर्नजी उपयोगिता नियन्त्रण कार्यालय गोर्नजी एयरटेल के मोबाइल दूरसञ्चार लाईसेन्स प्रदान केलक। मई २००७ मे जर्सी एयरटेल आ गोर्नज एयरटेल द्वीप मे रहै वाला मोबाइल उपभोक्तासभक लेल वोडाफोन के साथ सम्बन्धसभक शुरूआत के घोषणा केनए अछि। जुलाई २००७ मे, भारती एयरटेल नोकिया-सीमेन्स के साथ अपन मोबाइल आ फिक्स्ड नेटवर्क के विस्तार के लेल ९०० मिलियन राशि वाला एक सहमति पत्र पर हस्ताक्षर केलक "भारती आ नोकिया मिलके ९०० मिलियन डलर के विस्तार समझौता ज्ञापन पर हस्ताक्षर केलक "],Yahoo! समाचार (Yahoo! News), ३ जुलाई २००७</ref> अगस्त २००७ मे कम्पनी घोषणा केलक कि ओ गूगल सर्च इन्जन के कस्टमाइज्ड रूपान्तर प्रस्तुत करत जे एकर ब्राडब्याण्ड उपभोक्तासभक विभिन्न प्रकार के सेवासभ उपलब्ध कराओत।

मार्च २००८ मे, भारती एयरटेल सिंगटेल] (Singtel) के साथ मिलके श्रीलंका मे तेसर पुस्ता (थ्री-जी) सेवासभ शुरू करत। एहन एही लेल अछि कि सिंगापुर स्थित एशियाई दूरसञ्चार के प्रमुख कम्पनी सिंगटेल जेकर भारती एयरटेल मे ३० प्रतिशत हिस्सा अछि, ३-जी स्पेस मे प्रमुख भूमिका निभावे वाला एक कम्पनी छी किया कि एकर पास पहिने सँ ही सम्पूर्ण एशिया मे विभिन्न नेटवर्क बाजार अछि।[४]

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. [१]
  2. "Press Release on Telecom Subscription Data as on 31st July, 2016" (PDF)
  3. " भारतीय सेल्यूलर आप्रेटर संघ : सांख्यिकी "

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी