एना लिन्ध
याल्भा एना मारिया लिन्ध (१९ जुन १९५७ - ११ सितम्बर २००३) एक स्वीडिस सोसल डेमोक्रेटिक पार्टीकें राजनीतिज्ञ छल, जे सन् १९९८ सँ सन् २००३ धरि विदेश मामलाकें मन्त्री आ सन् १९९४ सँ सन् १९९६ धरि पर्यावरण मन्त्रीकें रूपमे काज केनए छल। ओ सन् १९८२ सँ सन् १९८५ आ सन् १९९८ सँ सन् २००३ धरि सोएदरम्यानल्याण्ड काउन्टीक लेल सांसदक रूपमे काज केनए छल।
एना लिन्ध Anna Lindh | |
---|---|
विदेश मन्त्री | |
कार्यकाल ७ अक्टुबर १९९८ – ११ सितम्बर २००३ | |
प्रधानमन्त्री | गोरन पर्सन |
पूर्वाधिकारी | लिना हेजेलम-वालेन |
उतराधिकारी | जन ओ कार्लसन |
पर्यावरण मन्त्री | |
कार्यकाल ७ अक्टुबर १९९४ – २२ मार्च १९९६ | |
प्रधानमन्त्री | इङ्गवार कार्लसन |
पूर्वाधिकारी | ओलोफ जोनसन |
उतराधिकारी | लिना सोमेस्ताद |
रिक्सड्यागक सदस्य | |
कार्यकाल २० सितम्बर १९९८ – ११ सितम्बर २००३ | |
कार्यकाल १९ सितम्बर १९८२ – १५ सितम्बर १९८५ | |
निर्वाचन क्षेत्र | सोएदरम्यानल्याण्ड काउन्टी |
व्यैक्तिक विवरण | |
जन्म | याल्भा एना मारिया लिन्ध १९ जुन १९५७ स्वीडेन |
मृत्यु | ११ सितम्बर २००३ स्टकहोम, स्वीडेन | (४६ वर्ष)
Manner of death | हत्या |
राजनैतिक दल | स्वेडिस सोसल डेमोक्रेटिक पार्टी |
जीवनसाथी | बो होम्बर्ग (वि. १९९१) |
बाल बच्चा | २ |
मातृ शिक्षा प्रतिष्ठान | उप्साला विश्वविद्यालय |
जीवनी
सम्पादन करीलिन्धक जन्म स्टकहोमक दक्षिणपूर्वी उपनगर एनस्क्याड-एर्स्टामे स्ट्याफन (१९३१-२०१७) आ न्यान्सी लिन्ध (१९३२-२००५) कऽ घरमे भेल छल। ओ मात्र १२ वर्षक उमरमे राजनीतिमे शामिल भऽ गेल छल, जखन ओ स्वीडिस सोसल डेमोक्रेटिक यूथ लिगक स्थानीय शाखामे शामिल भेल छल। पार्टीमे शामिल भेलाक बाद हुनकर मुख्य प्राथमिकता भियतनाम युद्धक विरूद्ध विरोध केनाए छल।
लिन्ध उप्साला विश्वविद्यालयमे अध्ययन केलक जतय सँ ओ कानून विषयमे स्नातकक उपाधि प्राप्त केलक। सन् १९८२ मे ओ सोएदरम्यानल्याण्ड काउन्टीक लेल रिक्सड्याग (सांसद) कऽ सदस्य चुनल गेल। सन् १९८४ मे ओ स्वीडिस सोसल डेमोक्रेटिक यूथ लीगक पहिल महिला अध्यक्ष बनल। अध्यक्षक रूपमे हुनकर छ साल अन्तर्राष्ट्रिय मामलासभ (निकारागुआ, भियतनाम, दक्षिण अफ्रिका आ प्यालेस्टाइन सहित) प्रति प्रतिबद्धता आ शीत युद्धक विरुद्ध आवाज उठेनाए छल।
राजनीतिक करियर
सम्पादन करीओ सन् १९८२ सँ सन् १९८५ आ सन् १९९८ सँ सन् २००३ धरि सोएदरम्यानल्याण्ड काउन्टीक लेल सांसदक रूपमे काज केनए छल।