आकृति:मुख्य लेख/सितम्बर, २०१८
सत्यजीत राय (बङ्गाली: সত্যজিৎ রায় (सहायता जानकारी) शत्तोजित् राय्) (२ मई १९२१–२३ अप्रैल १९९२) एक भारतीय चलचित्र निर्देशक छल, जकरा बीसम शताब्दीक सर्वोत्तम चलचित्र निर्देशकसभमे गिन्ती कएल जाइत अछि । रायक जन्म कला आ साहित्यक जगतमे जानल मानल कोलकाता (तखन कलकत्ता) कऽ एक बङ्गाली परिवारमे भेल छल । हिनकर शिक्षा प्रेसिडेन्सी कौलेज आ विश्व-भारती विश्वविद्यालयमे भेल छल । ओ अपन करियरक शुरुवात व्यवसायिक चित्रकारक रुपमे केनए छल । फ्रान्सिसी चलचित्र निर्देशक जाँ रन्वार सँ भेट भेलाक बाद आ लन्डनमे इटालियन चलचित्र लाद्री दी बिसिक्लेत (बाइसाइकल चोर) देखलाक बाद चलचित्र निर्देशनक दिशामे हिनकर चाह बढल छल ।
राय अपन जीवन मे ३७ चलचित्रसभक निर्देशन केनए छल, जहिमे मुख्य चलचित्रसभ, वृत्त चित्र आ लघु चलचित्रसभ शामिल अछि । हिनकर पहिल चलचित्र पथेर पाञ्चाली (পথের পাঁচালী, पथक गीत) कान चलचित्रोत्सवमे 'सर्वोत्तम मानवीय प्रलेख' पुरस्कार प्राप्त केनए छल । (पूरा लेख...)