कालीगण्डकी खोच

नेपाल, आधिकारिक नाम: संघिय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र नेपाल एक दक्षिण एशियाली भूपरिवेष्ठित हिमाली राष्ट्र छी । एकर भौगोलिक अक्षांश २६ डिग्री २२ मिनेट सँ ३० डिग्री २७ मिनेट उत्तर आर ८० डिग्री ४ मिनेट सँ ८८ डिग्री १२ मिनेट पूर्वी देशान्तर तक फैलल अछि । एकर कूल क्षेत्रफल १,४७,१८१ वर्ग कि.मि अछि । इ क्षेत्रफल पृथ्वी के कूल क्षेत्रफलक ०.०३% आर एशिया महादेश के ०.३% परैत अछि । लण्डन स्थित ग्रीनवीच मिनटाइम सँ पूर्व भर रहल गौरीशंकर हिमालक नजदिक भऽ गेल ८६ डिग्री १५ मिनट पूर्वी देशान्तर के आधार मानि नेपालक प्रमाणिक समय ५ घण्टा ४५ मिनट अगाडी मानल जाएत अछि ।

नेपालक पूर्वी सीमा मेची नदी सँ पश्चिमी सीमा महाकाली नदीतक के कूल लम्बाई ८८५ कि.मि. अछि । उत्तर सँ दक्षिण तरफ के चौडाई मुदा एक समान नै अछि । पूर्वी भाग सँ पश्चिमी भाग कनि चौडा अछि । तहिना मध्य भाग कनि खुम्चल अछि । ए में अधिकतम चौडाई २४१ कि.मि. आर न्युनतम चौडाई १४५ कि.मि. रहल अछि । यसर्थ नेपालक सरदर चौडाई १९३ कि.मि. रहल अछि । नेपालक उत्तरमें चीनक स्वशासित क्षेत्र तिब्बत अछि त दक्षिण, पूर्व आर पश्चिममें भारत परैत अछि । नेपालक ८०% सँ बेसी नागरिक हिन्दू धर्म मानैत अछि जे विश्व में सभ सँ बेसी प्रतिशत हिन्दू धर्मावलम्बी भेल राष्ट्र सेहो छी । (पूरा लेख...)