अरुणा रेड्डी
अरुणा रेड्डी (जन्म: सन् १९९५ दिसम्बर २५) भारतीय महिला जिम्नास्टिक खेलाड़ी छी, जे अन्तर्राष्ट्रिय प्रतियोगितासभमे भारतक प्रतिनिधित्व करैत अछि। ओ अस्ट्रेलियाक मेलबोर्नमे आयोजित सन् २०१८ कें विश्वकप जिम्नास्टिक प्रतियोगितामे महिलासभक वल्ट स्पर्धामे कांस्य पदक जितने अछि। ओ जिम्नास्टिक विश्वकपमे पदक जीतनिहार पहिल भारतीय महिला बनल।
अरुणा रेड्डी Budda Aruna Reddy | |
---|---|
प्रतिनिधि देश | भारत |
जन्म | हैदराबाद, तेलङ्गाना, भारत | २५ दिसम्बर १९९५
आवास | हैदराबाद, तेलङ्गाना, भारत |
उचाई | ४ फिट ८ इन्च (१४२ सेमी)[१] |
अनुशासन | महिला कलात्मक जिम्नास्ट |
स्तर | सिनियर इन्टरनेशनल एलिट (भारतीय राष्ट्रिय टिम) |
राष्ट्रिय टिममे अनुभव | २०१३ |
कौलेज टिम | सेन्ट. म्यारी कलेज, हैदराबाद |
प्रारम्भिक जीवनसंपादित करें
अरुणा रेड्डीक जन्म भारतक तेलङ्गानाक हैदराबाद शहरमे सुभद्रा आ नारायण रेड्डीक घर भेल छल। हुनकर पिता एक एकाउन्टेन्ट आ हुनकर माता कुशल गृहणी छी। ओ करातेमे ब्ल्याक बेल्ट अछि आ जिम्नास्टिकमे सम्मलित होए धरि एक प्रशिक्षार्थी छल।[२]
प्रारम्भिक जिम्नास्टिक करियरसंपादित करें
अरुणा रेड्डीकें हुनकर पिता मात्र पाँच वर्षक कम उमरमे कराते सँ बाहर निकाएल कऽ जिम्नास्टिकमे दाखिला करवेने छल। अरुणाक पिताक अनुसार अरुणाक शारीरिक निर्माण आ लचीलापन जिम्नास्टक लेल अनुकूल छल। हुनकर पिता तखन अरुणाक हैदराबादक लाल बहादुर शास्त्री स्टेडियममे प्रशिक्षक स्वर्णलता आ रविन्दरक संरक्षणमे भर्ती करवेने छल।
स्वर्णलताक पति गिरिराज हुनकर प्रतिभाक देखैत अरुणाक अपन अनुशिक्षणमे लेनए छल। गिरिराजक सन् २००८ मे एक दुर्घटनामे मृत्यु भऽ गेलाक बाद अरुणा ओकर बाद प्रशिक्षक बृज किशोरक अधीन प्रशिक्षण लऽ रहल अछि, जकरा सङ्गे ओ भारतक एखन धरि तीन राष्ट्रिय खेलसभमे पदक जीताबऽ मे सफल भेल अछि।
अन्तर्राष्ट्रिय जिम्नास्टिक करियरसंपादित करें
अरुणा सन् २०१३ मे बेल्जियमक एन्टवर्प, सन् २०१४ मे चीनक नाननिङ आ सन् २०१७ मे क्यानाडाक मन्ट्रियलमे आयोजना कएल गेल विश्व जिमनास्टिक च्यापियनसिप प्रतियोगितामे भारतक प्रतिनिधित्व करैत सहभागिता जनेनाए छल, मुदा ओ ई प्रतियोगिताक चुनाव चरण सँ आगा नई बढि सकल आ पूर्ण रुप सँ विफल भेल छल।
अरुणा सन् २०१८ मे अस्ट्रेलियाक मेलबर्नमे आयोजना कएल गेल जिम्नास्टिक विश्वकपमे प्रतिस्पर्धा केनए छल आ महिलासभक व्यक्तिगत एकल स्पर्धामे कांस्य पदक प्राप्त करि जिम्नास्टिक विश्वकपमे व्यक्तिगत स्पर्धामे पदक जितनिहार पहिल भारतीय महिला बनवाक इतिहास रचने छल।[३]
अरुणा अपन ई जीत अपन दिवंगत पिता कऽ समर्पित केलक जे हुनका हुनकर क्षमताक एहसास करवाक लेल प्रेरित केनए छल।[४] हुनका अपन ई असाधारण कार्यक लेल तेलङ्गानाक मुख्यमन्त्री के चन्द्रशेखर राव हुनका २ करोड़ नकद पुरस्कार सँ सम्मानित केनए छल।[५]
सन्दर्भ सामग्रीसभसंपादित करें
- ↑ http://fig-gymnastics.com/publicdir/athletes/bio_detail.php?id=26754
- ↑ "अरुणा ने किया ये कारनामा, जो आजतक कोई भारतीय नहीं कर सका", आज तक (हिन्दीमे), २७ फरवरी २०१८, अन्तिम पहुँच २६ फरवरी २०१९।
- ↑ "जिमनैस्टिक्स वर्ल्ड कप: भारत की अरुणा रेड्डी ने ब्रॉन्ज जीत रचा इतिहास", नवभारत टाइम्स (हिन्दीमे), २४ फरवरी २०१८, अन्तिम पहुँच २६ फरवरी २०१९।
- ↑ "भारत की अरुणा रेड्डी ने जिमनास्टिक वर्ल्डकप में पदक जीतकर रचा इतिहास....", एनडीटीवी इंडिया, २४ फ़रवरी २०१८, अन्तिम पहुँच २६ फरवरी २०१९।
- ↑ "जिमनास्ट अरुणा रेड्डी को दो करोड़ रुपए का पुरस्कार देगी तेलङ्गाना सरकार", फर्स्टपोस्ट, ५ मार्च २०१८, अन्तिम पहुँच २६ फरवरी २०१९।