अङ्गूरबाबा जोशी नेपालक पहिल क्याम्पस प्रमुख आ महिला समाजसेवी छी। नेपालक शिक्षा जगत आ समाजसेवामे हिनकर बहुत पैग योगदान रहैत आबि रहल अछि।

अङ्गूरबाबा जोशी
Angur Baba Joshi
जन्म
नागरिकतानेपाली
व्यवसायशिक्षा, समाजसेवी
जीवनसाथी(सभ)बलराम जोशी

शुरूवाती जीवन सम्पादन करी

अङ्गूरबाबा जोशीकें जन्म काठमाडौंकें डिल्लीबजारमे सन् १९३२ अगस्त १५ कें दिन भेल छल। हिनकर पिताक नाम पिताम्बर प्रसाद पन्त आ माताकें नाम दीप कुमारी पन्त छी। हिनकर विवाह पहिनुक पौराणिक रितिरिवाज अनुसार बालबिआह भेल छल। मात्र एगारह बर्षक कम उमरमे ओ बलराम जोशी सँ वैवाहिक बन्धनमे बाँधि गेल छल। जहि कारण हिनका विद्यालयक औपचारिक शिक्षा ग्रहण करबाक समय नै मिलल छल।[१] हिनकर परिवारमे सासूकें बिशेष सहुलियतक कारण ओ स्वअध्ययनक सौभाग्य प्राप्त केलक आ ओकर परिणाम स्वरुप हिनका ई सफलता प्राप्त भेल अछि।

शिक्षा आ सङ्घर्ष सम्पादन करी

विद्यालयकें औपचारिक शिक्षा प्राप्त करवाक मौका हिनका प्राप्त नै भेल मुदा अपन पति आ ससूकें विशेष सहयोग प्राप्त करि ओ सन् १९४८ मे पति-पत्नी दुनू सङ्गे प्रवेशिका परीक्षा देनए छल ओहिमे पति बोर्डमे आएल आ अङ्गूरबाबा दोसर श्रेणी सँ उत्तीर्ण भेल। प्रवेशिका परिक्षा दैत समय हुनका सहित मात्र ३ गोटे आओर महिला सहभागी छल।[२]

विज्ञान विषयमे प्रविणता पढ़वाक सोच सहित पति-पत्नी दुनू गोटे काठमाडौंकें त्रिचन्द्र कलेज गेल मुदा हिनकर फर्म क्याम्पस नई बुझलक। ओ क्याम्पस प्रशासन सँ बहुत अनुनय विनय केलक मुदा हिनकर फर्म नई बुझलक। ओ प्राइभेट शिक्षा प्रणालीकें माध्यमसँ अध्ययन करि सरस्वती सदन सँ प्रविणता प्रमाण पत्र परीक्षा देलक आ सफलतापूर्वक प्रविणता प्रमाण पत्र तह उत्तीर्ण केलक। अपन शिक्षाकें निरन्तरता दैत याह उद्देश्य सँ पतिकें सँग बनारस चलि गेल आओर राजनीति शास्त्र आ संस्कृत बिषयमे स्नातक तहमे प्रवेश लेनए छल। एहि ठाम सँ ओ अपन पढ़ाई पुरा कएलाक वाद ओ पदमकन्या कलेजमे अध्यापन केनाए शुरु केनए छल। हिनका एहि बिचमे ब्रिटिस सरकारद्वारा कोलम्बो प्लान अन्तर्गतकें छात्रवृति प्रदान कएल गेल आ छात्रवृति पाबि ओ आ हुनकर पति बेलायतक अक्सफोर्ड विश्वविद्यालय अन्तर्गत समर्भिल कलेजमे अध्ययन शुरु केलक आ एहि ठाम सँ ओ चारि बर्षमे ओ अपन अध्ययन पुरा केनए छल।[३]

शिक्षा जगतमे योगदान सम्पादन करी

बेलायत सँ अध्ययन पुरा करि नेपाल अएलाक बाद ओ त्रिचन्द्र कलेजक क्याम्पस प्रमुख बनल छल।

समाज सेवा सम्पादन करी

पुरस्कार आ सम्मान सम्पादन करी

  • जगदम्बा पुरस्कार, बि. सं. २०७१
  • गोरखा दक्षिणबाहु, दोसर
  • त्रिशक्ति पट्ट, तृतीय
  • महेन्द्र बिद्या भुषण, प्रथम्

कृतिसभ सम्पादन करी

  • 'क्यान्सर : बरदान'
  • ‘वृद्धा अवस्था : जीवनको श्रीपेच’
  • ‘दीक्षा’

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. Subba, Abhilasha (April 4, 2008)। "Selfless Life"The Himalayan Times। Kathmandu। अन्तिम पहुँच February 15, 2018
  2. "अंगुरबाबा जोशी : समाजसुधार आन्दोलनको दियो"mahilakhabar। 2015-11-15। मूलसँ 2019-03-21 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2019-03-21
  3. "कीर्तिमानी अंगुरबाबा"कीर्तिमानी अंगुरबाबा (अंगरेजीमे)। अन्तिम पहुँच 2019-03-21

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी