सुनील लहरी
सुनील लहरी एक भारतीय अभिनेता छी । ओ रामानन्द सागरक टेलिभिजन धारावाहिक रामायणमे लक्ष्मणक भूमिकाक लेल जानल जाइत अछि । पहिने ओ विक्रम आ बेताल आ दादा-दादीक कथासभमे देखाइत छल जे टेलिभिजन पर आबैत छल । सुनीलक पिता डॉक्टर छल आ मेडिकल कॉलेजमे प्रोफेसर सेहो छल। पिताक मृत्युक बाद ओ अपन पिताक मृत शरीरक भोपालक जे. के. मेडिकल कलेजमे दान कऽ देने छल। सुनील लहरी अपन अभिनय करियरक शुरुआत १९९१ मे आएल फिल्म 'बहारो की मंजिल' सँ केने छल ।
सुनील लहरी | |
---|---|
राष्ट्रीयता | भारतीय |
व्यवसाय | अभिनेता |
धार्मिक मान्यता | सनातन धर्म |
जीवनसाथी |
राधा सेन (वि॰वि॰) भारती पाठक (वि॰) |
बच्चे | 1 |
व्यक्तिगत जीवन
सम्पादन करीलाहरीक जन्म ९ जनवरी १९६१ मे मध्य प्रदेशक दमोहमे एक मेडिकल कलेजमे प्रोफेसर शिकार चन्द्र लाहिड़ी आ तारा लाहिड़ीक घरमे भेल छल ।[१] लाहरीक दू टा छोट भाइ अछि। भोपाल सँ स्कूली शिक्षा पूरा करलाक बाद, लाहरी मुम्बई चलि गेल, जतए ओ विल्सन कलेज, मुम्बई सँ कला स्नातकक डिग्री सँ स्नातक के उपाधि प्राप्त केलक।
अभिनय करियर
सम्पादन करीहिनकर पहिल चलचित्र द नक्सली (१९८०) छल, जाहिमे ओ स्मिता पाटिलक संग देखल गेल छल । ओ अनुराधा पटेलक संग १९८५ क फ़िल्म फिर आई बरसात क हिस्सा सेहो छल ।
ओ १९९१ क म्यूजिकल बहारों के मंजिल मे प्रमुख भूमिका निभा चुकल अछि । ओ १९९० क टिभी धारावाहिक परमवीर चक्रमे द्वितीय लेफ्टिनेंट रामा राघोबा राणेक भूमिका निभाएल छल । १९९५ मे, ओ फिल्म जन्म कुंडली मे अभिनय केलक । फिल्ममे ओ विनोद खन्नाक पुत्र अश्वनी मेहराक भूमिका निभौलनि । २०१७ मे, ओ एक हिन्दी चलचित्र ए डटर्स टेल पंख मे सेहो देखाइ देने छल ।
सन् २०२० मे लहरी दैनिक भास्कर केँ देल एक साक्षात्कारक दौरान कहलनि जे यदि हुनका फेर रामायणमे भूमिका निभएबाक अवसर भेटल तँ ओ रावणक भूमिका निभाएत ।
फिल्मोग्राफी
सम्पादन करीफिल्में
सम्पादन करी- नक्सली (१९८०)
- फिर आई बरसात (१९८५)
- जज़ीरा (१९८७)
- बहारों के मंजिल (१९९१)
- आजा मेरी जान (१९९३)
- जन्म कुंडली (१९९५)
- एक बेटी की कहानी पंख (२०१७)
टेलिभिजन
सम्पादन करी- विक्रम और बेताल (१९८५)
- रामायण (१९८७)
- परमवीर चक्र (१९८८)
- लव कुश (१९८८)
- सपनों की दुनिया (१९९५-१९९६)
- द कपिल शर्मा शो (२०२०) - अतिथि
- सा रे गा मा पा लिटिल चैंप्स (२०२०) - अतिथि
एहो सभ देखी
सम्पादन करीसन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ "दमोह का पम्मी 150 लड़कों को पछाड़कर बना था रामायण में लक्ष्मण"। Dainik Bhaskar (हिन्दीमे)। 2 April 2020। अन्तिम पहुँच 20 January 2024।