सुजेना (शुशनिक) अमातुनी (Armenian: Շուշանիկ (Սուսաննա) Բակենի Ամատունի, फरवरी २८, १९२४ - मार्च २०, २०१०) एक सोभियत अर्मेनियाई कला समीक्षक, सङगीतज्ञ वैज्ञानिक, (१९८८), प्राध्यापक (१९९७) छल।

सुजेना अमातुनी
Susanna Amatuni
सुजेना अमातुनी सन् २००० मे
जन्म
शुशनिक अमतुनि

२८ फरवरी १९२४
मृत्यु२० मार्च २०१०(२०१०-०३-२०) (८६ वर्ष)
संस्कार स्थलगुमरी, अर्मेनिया
राष्ट्रियताअर्मेनियन
शिक्षाशिक्षा गनेसिन सङगीत आ शिक्षाशास्त्र संस्थान
व्यवसायसङगीत वैज्ञानिक, शिक्षक, प्राध्यापक
सक्रिय वर्ष१९४३ -२०१०


जीवनी सम्पादन करी

सुजेना बाबकेन अमातुनीकें जन्म अर्मेनियाक राजधानी येरेभानमे सन् १९२४ मे भेल छल। सन् १९४३ मे ओ भौतिक आ विज्ञान विषयमे स्नातक उतिर्ण केनए छल। एकर किछ समय बाद ओ सन् १९४४ मे कारा मिर्जा सङ्गीत विद्यालय सँ सङ्गीत विषयमे स्नातक उतिर्ण केनए छल। ओ ग्नेसिन सङ्गीत अध्ययन केनए छल जे तहि समयमे बहुत कठीन विषय मानल जाएत छल।

सन् १९५१ ओ अर्मेनिया आबि गेल आ सन् १९६८ धरि चाओकोवस्की साङ्गितिक विद्यालय, येरेभानमे सैद्धान्तिक विषय पढ़ेने छल। सन् १९६१ मे ओ येरेभानक कोमिटास स्टेट कन्जरवेटरीमे पढ़ेवाक लेल आमन्त्रित कएल गेल जतय ओ पढ़ेवाक एक अलग पद्धति तैयार केनए छल आ थ्योरी विभागक लिए सङ्गीत विश्लेषणक एक विशेष पाठ्यक्रम बनेलक। एहि विषयकें अतिरिक्त सुजेना अमतुनि ओ विद्यालयमे पियानो शिक्षण पद्धति आ अन्य पाठ्यक्रम सेहो पढ़ेलक। सन् १९८८ मे ओ अपन मोनोग्राफ 'अर्नो बाबजायन' कऽ लेल डक्टर अफ आर्ट्स सँ सम्मानित कएल गेल छल।

कार्यसभ सम्पादन करी

अध्यापक अमातुनि ५० सँ अधिक वैज्ञानिक लेखसभक लेखक रहि चुकल अछि। अमातुनी सोभियत सङ्घक विभिन्न शहरसभमे कयन वैज्ञानिक सम्मेलनसभमे भाग लेलक जहिमे मस्को, लेनिनग्राद, बिलिसीयेरेभान सामिल अछि । ओ आर्नो बाबाजानियन जका विभिन्न कार्यसभक लेखक छी।

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी