सिन्धु घाटी सभ्यता

सिन्धुघाटीक सभ्यता (३३०० ईसापूर्व सँ १७०० ईसापूर्व तक)[१] विश्वक प्राचीन नदी घाटी सभ्यतासभमे एकटा मुख्य सभ्यता थीक । [२] सम्मानित पत्रिका नेचरमे प्रकाशित शोधक अनुसार ई सभ्यता कम सं कम ८००० बर्ष पुरान रहल अछि । ई हडप्पा-सभ्यता आ 'सिंधु-सरस्वती सभ्यता' केरि नाम सँ सेहो जानल जाइत अछि । एकर विकास सिन्धु नदी तथा घघ्घर (प्राचीन सरस्वती)क तट सँ भेल अछि ।[२] मोहनजोदड़ो, कालीबंगा, लोथल, धौलावीरा, राखीगढ़ी तथा हड़प्पा एकर प्रमुख केन्द्र छल । दिसम्बर २०१४ मे भिर्दाना कें एखन धरि सभ सँ प्राचीन नगर मानल जाइत सिन्धु-घाटी सभ्यताक । ब्रिटिश-शासन काल मे भेल उत्खननक आधारमे पुरातत्ववेत्ता तथा इतिहासकार सभक अनुमान अछि जे ई अत्यन्त विकसित सभ्यता छल आ' ई नगरर बहुत बेर बसल आ उजड़ल छल ।

सिन्धुघाँटीक सभ्यताक शुरुआती कालखण्डमे, ३२५०-२७५० ईसापूर्व

सन् १८२६ मे पहिल बेर चार्ल्स मासोन अहि पुरान सभ्यताक खोज केने छलाह । कनिंघम सन् १८५६ मे ई सभ्यताक पहिल सर्वेक्षण केने छलाह । सन् १८५६ मे कराची सँ लाहौरक मध्य रेलवे- लाइनक निर्माणक समय बर्टन-बन्धु सभ हड़प्पा- स्थलक सूचना सरकार के देने छलाह । अहि क्रम मे सन् १८६१ मे एलेक्जेन्डर कनिंघमक निर्देशन मे भारतीय पुरातत्व सर्वेक्षणक स्थापना भेल छल । सिन्धु-घाटी सभ्यता केरि १४०० केन्द्र सभक खोज भऽ चुकल अछि जाहि मे ९२५ केन्द्र भारत मे पाओल गेल अछि । ८० प्रतिशत स्थल सरस्वती नदी ओ एकर सहायक नदी सभक समीप रहल अछि । एखन धरि अन्वेषित स्थल सभ मे सं ३ प्रतिशत स्थल सभक उत्खनन पूर्ण भेल अछि ।

नामक उत्पत्तिसंपादित करें

सिन्धु घाटी सभ्यताक क्षेत्र अत्यन्त व्यापक छल । [[हडप्पा] ओ मोहनजोदड़ो केरि उत्खनन सँ अहि सभ्यता सम्बन्धित प्रमाण प्राप्त भेल अछि। अतः विद्वान सभ एकरा 'सिन्धु-घाटी सभ्यता'क नाम देलनि, ई क्षेत्र सिन्धु तथा ओकर सहायक नदी सभक क्षेत्रमे अबैत अछि, मुदा रोपड़, लोथल, कालीबंगा, वनमाली, रंगापुर आदि क्षेत्र सभ मे सेहो अहि सभ्यताक अवशेष प्राप्त भेल जे सिन्धु तथा ओकर सहायक नदी सभक प्रवाह-क्षेत्र सँ बहार छल । यैह कारण थीक जे इतिहासकार लोकनि अहि सभ्यताक प्रमुख केन्द्र हड़प्पा होयबाक कारण एकरा "हडप्पा सभ्यता"क नाम देब सेहो उचित मानैत छथि । भारतीय पुरातत्व सर्वेक्षणक महानिदेशक जोन मार्शल सन १९२४ मे सिन्धु सभ्यताक मादे मे तीन महत्वपूर्ण ग्रन्थ लिखने छलाह ।

चित्र दीर्घासंपादित करें

सन्दर्भ सामग्रीसभसंपादित करें

  1. http://aajtak.intoday.in/education/story/indus-valley-civilization-or-sindhu-valley-culture-general-knowledge-1-769584.html
  2. २.० २.१ Ching, Francis D. K.; Jarzombek, Mark;Prakash, Vikramaditya (2006). A Global History of Architecture. Hoboken, N.J.: J. Wiley & Sons. pp. 28–32. आइएसबिएन 0471268925. 

बाह्य-जाल संयोजनसंपादित करें


इहो सभ देखीसंपादित करें