साक्षरता
(साक्षरता दरसँ पुनर्निर्देशित)
साक्षरता कऽ अर्थ अछि साक्षर होनाए अर्थात पढए आ लिखैक क्षमतासँ सम्पन्न होनाए ।[१] अलग अलग देशसभमे साक्षरता निकालैक लेल भिन्न भिन्न मानक अछि । नेपाल सरकार शिक्षा तथा खेलकुद मन्त्रालयद्वारा जारी कएल गेल एक प्रतिवेदन अनुसार यदि कोनो व्यक्ति अपन नाम लिखैमे आ पढमे सक्षम अछि तँ ओकरा साक्षर मानल जाइत ।[२] सन् २०११ मे भेल नेपालक जनगणना अनुसार नेपालक साक्षरता दर ६५.९ प्रतिशत अछि ।[३][४]
साक्षरता दर
सम्पादन करीकोनो देश अथवा राज्यक साक्षरता दर ओतय रहल कुल लोकक जनसङ्ख्या या पढ़ल लिखल लोकक अनुपातके कहल जाइत अछि । अधिकांश ई प्रतिशतमे दर्शायल जाइत अछि । मुदा कखनो कखनो ई प्रति-कोटि (प्रति हजार पर) सेहो दर्शायल जाइत अछि ।
सुत्र
सम्पादन करीएकर गणितीय सुत्र अछि:
साक्षरता दर प्रतिशत = शिक्षित जनसङ्ख्या/कुल जनसङ्ख्या×१००
अर्थात प्रति सौ लोकसभमे कतेक लोक साक्षर अछि ।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ "Literate." Merriam-Webster.com. Merriam-Webster, n.d. Web. 19 Aug. 2014. <http://www.merriam-webster.com/dictionary/literate>.
- ↑ UNESCO। "Education for All: A Global Monitoring Report" (PDF)। UNESCO। UNESCO। p. 150।
- ↑ "Human Development Report 2010 – Nepal"। Hdrstats.undp.org। अन्तिम पहुँच 25 January 2011।
- ↑ "News & Broadcast – World Bank Supports School Sector Reforms in Nepal"। World Bank। 22 September 2009। मूलसँ 12 June 2011 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 20 June 2010।