समान नागरिक संहिता
समान नागरिक संहिता वा समान आचार संहिता कऽ अर्थ एक धर्मनिरपेक्ष (सेक्युलर) कानून होइत अछि जे सभ पन्थ के लोगसभक लेल समान रूपसँ लागू होइत अछि।[१] दोसर शब्द में, अलग-अलग पन्थसभक लेल अलग-अलग सिभिल कानून नहि होनाए ही 'समान नागरिक संहिता' कऽ मूल भावना छि। समान नागरिक कानूनसँ अभिप्राय कानूनसभक ओहन समूहसँ अछि जे देश केरऽ समस्त नागरिकसभ (चाहे ओ कुनु पन्थ क्षेत्रसँ सम्बन्धित होए) पर लागू होइत अछि।[२] ई कुनु भी पन्थ जाति के सभ निजी कानूनसभसँ ऊपर होइत अछि।
समान नागरिकता कानून के अन्तर्गत आवै वाला मुख्य विषय ई छि-
- व्यक्तिगत स्तर,
- सम्पत्ति के अधिग्रहण आ सञ्चालनक अधिकार,
- विवाह, सम्बन्ध विच्छेद आ गोद लेनाए।
- समान नागरिक संहिता वाला पन्थनिरपेक्ष देश
विश्व केर अधिकतर आधुनिक देशसभमें एहन कानून लागू अछि। समान नागरिक संहितासँ सञ्चालित पन्थनिरपेक्ष देशसभक संख्या बहुत अधिक अछि:-जेना कि अमेरिका, आयरल्याण्ड, पाकिस्तान, बंगलादेश, मलेसिया, तुर्की , इन्डोनेशिया, सूडान, इजिप्ट, जेहन अनेकौं देश अछि जे समान नागरिक संहिता लागू केने अछि।
- भारतक स्थिति
भारतमें समान नागरिक संहिता लागू नहि अछि, मुद्दा भारतमें अधिकतर निजी कानून धर्म के आधार पर तय कएल गेल अछि।[३] हिन्दू, सिख, जैन आ बौद्ध केरऽ लेल एक व्यक्तिगत कानून छि, जखनकि मुसलमानसभ आ इसाइसभक लेल अपन कानून अछि। मुसलमानसभक कानून शरीअत पर आधारित अछि; अन्य धार्मिक समुदायसभक कानून भारतीय संसद के संविधान पर आधारित अछि।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ "समान नागरिक संहिता: पहल न होने के असल कारण"। BBC News हिंदी। 2 दिसंबर 2017 कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 7 अप्रैल 2020।
{{cite web}}
: Check date values in:|archive-date=
(help) - ↑ "Triple Talaq: Ban this un-Islamic practice and bring in a uniform civil code"। Hindustan Times। 22 नव॰ 2017। 6 अगस्त 2019 कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 7 अप्रैल 2020।
{{cite web}}
: Check date values in:|date=
(help) - ↑ Modern Indian Family Law सङ्ग्रहित २०१३-१०-१५ वेब्याक मेसिन - by Werner Menski