सन्नी लियोन

एक चलचित्र अभिनेत्री आ कामुक मोडल

करनजीत कौर वोहरा (जन्म १३ मई, १९८१), जकरा ओकर रङ्गमञ्च नाम सन्नी लियोन (/liˈni/) सँ जानल जाएत अछि, एक चलचित्र अभिनेत्री आ कामुक मोडल छी। एखन वर्तमान समयमे ओ भारतीय चलचित्र उद्योगमे सक्रिय अछि। ओ एक पूर्व अश्लील चलचित्र अभिनेत्री छी।[४][५] सन्नी लग अमेरिका आ क्यानाडा दुनू देशक नागरिकता अछि।[६][७] ओ रङ्गमञ्चमे कमबेसी मुदा करन मल्होत्रा नामक प्रयोग सेहो केनए अछि। सन्नीकेँ सन् २००३ मे पेन्थहाउस पेट अफ द इअरके रूपमे मनोनित भेल छल आ भिभिड इन्टरटेनमेन्ट सँ काज करवाक लेल अनुबन्धित सेहो भेल। अमेरिकी वयस्क पत्रिका म्याक्सिमद्वारा सन्नीकेँ सन् २०१० मे १२ शीर्ष अश्लील कलाकारसभमे मनोनित केनए छल।

सन्नी लियोन
Sunny Leone
सन्नी लियोन सन् २०१९ मे
जन्म
केरन मल्होत्रा

(१९८१-०५-१३)मई १३, १९८१[१]
उचाइ५ फिट ४ इन्च (१.६३ मी) [२]
जीवनसाथी(सभ)ड्यानियल वेबर (वि. २०११)[३]
वेबसाइटhttp://www.sunnyleone.com


सन्नी स्वतन्त्र मुख्यधारा कार्यक्रम, चलचित्रसभ आ टेलिभिजन श्रृङ्खलामे भूमिका निर्वाह केनए अछि। ओकर पहिल मुख्यधारामे उपस्थिति सन् २००५ मे भेल छल जखन ओ एमटिभी इन्डियाक कार्यक्रम एमटिभी भिडियो म्युजिक अवार्ड्सक लेल रेड कार्पेट रिपोर्टरक रूपमे काज केनए छल। सन् २०११ मे ओ भारतीय रियालिटी टेलिभिजन श्रृङ्खला बिग बोसमे प्रतिभागीक रुपमे भाग लेनए छल। ओ भारतीय रियालिटी कार्यक्रम एमटिभी स्प्लिट्सभिल्लाक प्रस्तोताक रुपमे काज केनए अछि।

सन् २०१२ मे ओ भारतीय चलचित्र अभिनेत्री तथा निर्देशक पूजा भट्टक कामुक थ्रिलर चलचित्र जिस्म २ (२०१२) सँ बलिउड चलचित्र क्षेत्रमे पदार्पण केलक आ अप्पन पूरा ध्यान मुख्य धारा चलचित्रमे अभिनय करवाक उपर केन्द्रित करि देलक जकर बाद ओ हिन्दी चलचित्र ज्याकपट (२०१३), रागिनी एमएमएस २ (२०१४), एक पहेली लीला (२०१५) आ तेरा इन्तजार (२०१७) मे अभिनय केनए छल।

अप्पन अभिनय करियर छोड़ि ओ अमेरिकी क्यान्सर सोसाइटीक लेल पैसा जुटेबाक लेल 'रक एण्ड रोल लस एञ्जल्स हाफ-म्याराराथन' सहितक सामाजिक कार्यक्रमसभमे अप्पन सक्रिय योगदान दऽ रहल अछि। एहि वाहेक ओ 'पिपल फर द एथिकल ट्रिटमेन्ट अफ एनिमल्स' (पेटा)कऽ लेल एकटा बचाएल गेल कुत्ताक सङ्ग, पालतू जानवर पालऽवला मालिकसभकेँ अप्पन बिलाए आ कुत्तासभकेँ बधिया आ न्यून करवाक लेल प्रोत्साहन करऽकऽ उद्देश्य सँ विज्ञापन अभियानमे सेहो काज केनए अछि।

सन् २०११ मे सन्नी सङ्गीतकार ड्यानियल वेबर सँ विवाह केनए छल।[८] एखन वर्तमान समयमे सन्नी आ वेबर मुम्बई, महाराष्ट्रमे रहैत अछि।

प्रारम्भिक जीवन सम्पादन करी

सन्नी लियोनक जन्म केरन मल्होत्रा नाम सँ सार्निया, ओन्टारियोमे एक सिक्‍ख पञ्जाबी परिवारमे भेल छल। ओकर पिता तिब्बतमे जन्मल छल आ दिल्लीमे पलल बढ़ल छल। सन्नीकेँ माए (जकर २००८ मे मृत्यु भऽ गेल छल[९]) सिरमौर, हिमाचल प्रदेशक एक छोट सन गाम सँ छली।[१०] वाल्यकाल सँ ओ बहुतेक चुस्त छल आ पुरुषसभक सङ्ग हकी खेलैत छली।[११] ओ आइस स्केटिङ केनाए सेहो पोसन्द करैत छली।[१२]

ओना तँ ओ सिक्‍ख छली, मुदा सन्नीकेँ माए-बाप ओकर दाखिला एक क्याथोलिक विद्यालयमे कराए देलक कियाकि ओकरा लेल आम विद्यालयमे जेनाए खतरापूर्ण समझल गेल।[१३] जखन ओ १२ वर्षक भेल तखन ओकर परिवार फोर्ट ग्रेटिएट, मिसिगन चलि गेल आ ओकर एक साल बाद अप्पन दादा दादीकेँ सपना पूरा करैत ओकर पुरा परिवार एके स्थानमे रहवाक उद्देश्य सँ लेक फरेस्ट, क्यालिफोर्निया जाए बसि गेल।[१४][१५] सन्नी सन् १९९९ मे अपन विद्यालय शिक्षा प्राप्त करि उच्च शिक्षा प्राप्ति करवाक लेल कौलेजमे दाखिला लेलक। मात्र ११ वर्षक उमरमे सन्नी अपन जीवनक पहिल चुम्बन,[१६] १६ वर्षक उमरमे एक टा बास्केटबल खेलाड़ीसँ यौन आनन्द लऽ अप्पन कौमार्य भङ्ग केनए छल[१६] आ १८ वर्षक उमरमे ओ अप्पन द्वयौनिकताक खोज केनए छल।[१७][१६]

प्रमुख चलचित्रसभ सम्पादन करी

वर्ष फिल्म भाषा भूमिका नोट्स
2012 जिस्म २ हिन्दी इज़्ना
2013 शूटआऊट ऍट वडाला हिन्दी लैला विशेष उपस्थिति
2013 जैकपॉट हिन्दी माया
२०१४ रागिनी एमएमएस २ हिन्दी सनी लियोन
२०१४ वादकररय तमिल स्वयं विशेष उपस्थिति "लो आना लाइफ-उ"
२०१४ हेट स्टोरी २ हिन्दी स्वयं विशेष उपस्थिति "पिंक लिप्स"[१८]
२०१४ टीना और लोलो हिन्दी टीना पोस्ट-प्रोडक्शन
२०१५ एक पहेली लीला हिन्दी मीरा/लीला
२०१५ डी.के कन्नड़ स्वयं विशेष उपस्थिति "सेशम् बगिलु तेजियम्मा"[१९]
२०१६ मस्तीज़ादे हिन्दी लैला/लिली लेले फिल्मिंग"[२०]
२०१५ कुछ कुछ लोचा है हिन्दी शनाया
२०१५ "बेईमान लव" हिन्दी टीबीए प्री- प्रोडाक्शन
२०१६ "डोंगरी का राजा" हिन्दी स्वयं विशेष उपस्थिति "चोली ब्लॉकबस्टर"
२०१६ "रईस" हिन्दी स्वयं विशेष उपस्थिति "लैला ओ लैला "[२१]
२०१७ बादशाहो हिंदी स्वयं विशेष उपस्थिति "पिया मोरे"
२०१७ भूमि हिंदी स्वयं विशेष उपस्थिति "ट्रिप्पी ट्रिप्पी"

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "About Me"। www.sunnyleone.com। मूलसँ December 25, 2018 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच January 5, 2016 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  2. "Sunny Leone Weight, Height, Bra Size, Shoe Size, Body, Measurements, Waist, Hips"। Celebrity Measurements। अन्तिम पहुँच 2015-09-26
  3. "Sunny Leone's husband comes to India"The Times of India। April 16, 2012। मूलसँ March 22, 2014 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच October 1, 2012
  4. "Sunny Leone - Desi Porn - SunnyLeone.com"sunnyleone.comमूलसँ 2018-12-25 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2020-01-10 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  5. "Sunny Leone profile"। AVN। मूलसँ December 25, 2018 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच Dec 27, 2015 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  6. "A Sunny day in Sarnia"। अन्तिम पहुँच July 16, 2016
  7. "How Karen Malhotra turned into a world-famous porn star Sunny Leone"मूलसँ December 25, 2018 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच July 16, 2016 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  8. "Sunny Leone's husband Daniel Weber, will now make his Bollywood debut in wife's 'Jackpot' – Latest News & Updates at Daily News & Analysis"। August 15, 2013। अन्तिम पहुँच July 16, 2016
  9. Joanne Cachapero (30 जुलाई 2008)। "SunnyLeone.com Relaunches With Party This Weekend"। AVN। मूलसँ 2018-12-25 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2 जुलाई 2008 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  10. Luke Ford। "Interview"। lukeisback.com। अन्तिम पहुँच 13 मई 2007
  11. "Sunny Leone Becomes Vivid Girl"AVN। 20 जून 2007। मूलसँ 2012-04-15 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 26 अगस्त 2007 {{cite web}}: Check date values in: |date= (help); Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  12. Rabbits Review (15 दिसंबर 2005)। "Rabbits Porn Blog: Sunny Leone Interview"। Rabbits Review। मूलसँ 2012-03-20 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 15 दिसंबर 2005 {{cite web}}: Check date values in: |accessdate=|date= (help); Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  13. Shawn Alff (23 अगस्त 2010)। "Pornstar Sunny Leone on thriving in the wild, wild west of the adult industry"। blogs.creativeloafing.com। अन्तिम पहुँच 11 सितंबर 2010 {{cite web}}: Check date values in: |accessdate= (help)
  14. "Ambush Interview #97"। Ambush Interview। 8 अक्टूबर 2006। अन्तिम पहुँच 8 अक्टूबर 2006 {{cite web}}: Check date values in: |accessdate=|date= (help)
  15. Weisblott, Marc (4 जुलाई 2008)। "Sunny Leone's America"Eye Weeklyमूलसँ 2008-11-19 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 4 जुलाई 2008 {{cite news}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  16. १६.० १६.१ १६.२ "Sunny Leone profile"Brazzers। March 9, 2018। अन्तिम पहुँच March 9, 2018
  17. "Meet the Girl: Sunny Leone"Men's Fitness। February 1, 2007। अन्तिम पहुँच February 1, 2007
  18. "लियोन के "पिंक लिप्स" के 10 लाख प्रशंसक"पत्रिका समाचार समूह। ५ अगस्त २०१४। अन्तिम पहुँच ५ अगस्त २०१४
  19. "अब कन्नड़ फिल्म में सनी का धमाल, करेगी आइटम सॉन्ग"पत्रिका समाचार समूह। ७ जुलाई २०१४। अन्तिम पहुँच ५ अगस्त २०१४
  20. "सनी लियोन के साथ इश्क लड़ाएंगे तुषार कपूर"पत्रिका समाचार समूह। ८ जुलाई २०१४। अन्तिम पहुँच ५ अगस्त २०१४
  21. "'रईस' में शाहरुख खान साथ होंगी सनी लियोनी!"ज़ी न्यूज़ हिन्दी। अन्तिम पहुँच २७ मार्च २०१६

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी