वी.पी. कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान

वी.पी. कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान (अङ्ग्रेजी: B.P. Koirala Institute of Health Sciences) स्वशासित, आत्मनिर्भर स्वास्थ्य विश्वविद्यालय छी । ई पूर्वी नेपालक सुनसरी जिलाक धरान नगरपालिकामे सन् १९९३ मे स्थापना भेल अछि ।[१][२][३]

वी.पी. कोइराला स्वास्थय विज्ञान प्रतिष्ठान
प्रकारस्वास्थ्य विश्वविद्यालय
सक्रियसन् १९९३– ()
कुलपतिस्वास्थ्यमन्त्री
उप-कुलपतिडा. बलभद्र प्रसाद दास
रेक्टरडा. बिक्रम प्रसाद श्रेष्ठ
स्नातकप्रतिवर्ष १५० एमबीबीएस., ६० बीडीएस., ३० बीएस्सी नर्सिंग, १० बीएस्सी एमआईटी
स्थान,
२६°४८′३०″N ८७°१६′००″E / २६.८०८२९१°N ८७.२६६५५°E / 26.808291; 87.26655
वेबसाइटwww.bpkihs.edu

इतिहास सम्पादन करी

वी.पी. कोइराला स्वास्थय विज्ञान प्रतिष्ठान १९९३ मे स्थापना भ सन् १९९८ स्वास्थ्य विश्वविद्यालयक रुपमे परिणत भेल अछि । मुलुकक लेल आवश्यक जनशक्तिक उत्पादन करैत स्वास्थ्य क्षेत्रमे आत्मनिर्भर होएके उद्देश्य प्राप्त करैके क्रममे शुरु कएल गेल एम.बी.बी.एस. शिक्षण कार्यक्रम हालतकमे आविधरि एम.एम.बी.बी.एस. लगायत बी.डीं.एस., बी.एस्सी. नर्सिंंग, प्रमाणपत्रतह नर्सिंग, व्याचलर अफ नर्सिंग, बी.एम.एल.टी, बी.एस्सी.एम.आई.टी.आ विभिन्न विषयसभमे पोष्टग्राजुएट जेना एम.डी.एम.एस., एम.डी.एस., एम.एस्सी. नर्सिंग, एम.पी.एच, डीएम/एमसीएच, फेलोसिप इन इमर्जेन्सी मेडिसिन, एम.डी.एच. कार्यक्रमहरुमा पठनपाठन शुरु भ चुकल अछि ।

वी.पी. कोईराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान बीजारोपणक ऐतिहासिक क्षण सम्बत २०४७ साल फागुन ३ गते (फेबु्रवरी १५, १९९१) छी । ओही दिन बिराटनगरमे आयोजित एक सार्वजनिक सभामे ई संस्था खडा करैके लेल नेपाल भ्रमणमे रहल तत्कालिन भारतीय प्रधानमन्त्री श्री चन्द्रशेखर भारतीय सहयोग प्राप्त होएके वचन देलाक बाद स्व. प्रधानमन्त्री गिरीजा प्रसाद कोइरालाक भारत भ्रमणक अवसरमे भारत नेपाल उच्चस्तरीय कार्य दल नेपालमे भूतपूर्व प्रधानमन्त्री स्व. विश्वेश्वरप्रसाद कोइरालाक नाममे एक मेडिकल कलेज स्थापना करैके सहमति जनेलक । प्रतिष्ठानक स्वशासित संस्थाक रुपमे संचालन करैके लेल संसद २०४९ माघ ५ गते (१८ जनवरी १९९३)े वी.पी. कोइराला स्वास्थ्य बिज्ञान प्रतिष्ठान ऐन पारित केलक आ नेपाल-भारतक प्रधानमन्त्रीसभद्धारा १० मार्च १९९४ क दिन प्रतिष्ठानक ३५० शैयाक एक अस्पताल आ ५० गोटेक स्थान द के मेडिकल कलेज बनावेके सहमतिपत्रमे हस्ताक्षर भेल । तत्कालिन प्रधानमन्त्री गिरिजा प्रसाद कोइराला १९ अक्टोबर १९९४ मे ३५० शैया अस्पतालक निर्माणक शिलान्यासक साथे एम.बी.बी.एस कक्षा संचालनक शुभारम्भ केलक ।[४][२]

इतिहास सम्पादन करी

अस्पताल सेवा सम्पादन करी

बहिरंग सेवा सम्पादन करी

सशुल्क सेवा सम्पादन करी

विशिष्ट विशेषज्ञ सेवा सम्पादन करी

अन्तरंग सेवा सम्पादन करी

आकस्मिक सेवा सम्पादन करी

शल्य चिकित्सा सेवा सम्पादन करी

निदान सेवा सम्पादन करी

सामुदायिक सेवा सम्पादन करी

शैक्षिक कार्यक्रम सम्पादन करी

मान्यता प्राप्त सम्पादन करी

कलेज अफ डेन्टल सर्जरी सम्पादन करी

कलेज अफ नर्सिंग सम्पादन करी

स्कूल अफ पव्लिक हेल्थ एणड कम्युनिटी मेडिसिन सम्पादन करी

प्रतिष्ठानमे कार्य केने प्रमुख व्यक्तित्वसभ सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी