विश्व व्यापी वेब
विश्व व्यापी वेब(जेकरा सामान्यत: वेब कहल जाएत अछी) आपस मे परस्पर जुडल हाइपरटेक्स्ट दस्तावेजसभक इन्टरनेट द्वारा प्राप्त करै के प्रणाली छी। एक वेब ब्राउजर क सहायता से हम अहाँ ओ वेब पन्ना क देख सकैत छिये जेकरा टेक्स्ट, छवि (image), भिडियो, एवम अन्य मल्टीमीडिया होएत अछी तथा हाइपरलिंक क सहायता से उ पन्ना के बीच मे आवागमन करि सकैत अछी। विश्व व्यापी वेब क टिम बर्नर्स ली द्वारा १९८९ मे यूरोपीय नाभिकीय अनुसंधान संगठन जे की जेनेवा, स्वीट्ज़रलैंड मे अछी, मे काम करैत खन बनाएल गेल छल आर १९९२ मे जारी कएल गेल छल। ओकर बाद से बरनर्स-ली वेब के स्तरसभ के विकास (जेना की मार्कअप भाषासभ जाहिमे की वेब पन्ना लिखल जाएत अछी) मे एक सक्रीय भूमिका अदा केने अछी आर हाल के वर्ष मे ओ सीमेंटिक (अर्थ) वेब (Semantic Web) विकसित करि के अपन स्वप्न क वकालत केने अछी।