"नेपाल" के अवतरणसभमे अन्तर

Removing "Sayaun_Thunga_Phool_Ka.ogg", it has been deleted from Commons by JuTa because: No permission since 14 October 2015.
No edit summary
पङ्क्त्ति ७७:
'''नेपाल''', आधिकारिक नाम: '''संघिय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र नेपाल''' एक [[दक्षिण एसिया|दक्षिण एशियाली]] [[भूपरिवेष्ठित राष्ट्र|भूपरिवेष्ठित]] [[हिमालय|हिमाली]] राष्ट्र छी । एकर भौगोलिक अक्षांश २६ डिग्री २२ मिनेट सँ ३० डिग्री २७ मिनेट उत्तर आर ८० डिग्री ४ मिनेट सँ ८८ डिग्री १२ मिनेट पूर्वी देशान्तर तक फैलल अछि । एकर कूल क्षेत्रफल १,४७,१८१ वर्ग कि.मि अछि । इ क्षेत्रफल पृथ्वी के कूल क्षेत्रफलक ०.०३% आर एशिया महादेश के ०.३% परैत अछि । लण्डन स्थित ग्रीनवीच मिनटाइम सँ पूर्व भर रहल गौरीशंकर हिमालक नजदिक भऽ गेल ८६ डिग्री १५ मिनट पूर्वी देशान्तर के आधार मानि नेपालक प्रमाणिक समय ५ घण्टा ४५ मिनट अगाडी मानल जाएत अछि ।
 
नेपालक पूर्वी सीमा मेची नदी सँ पश्चिमी सीमा महाकाली नदीतक के कूल लम्बाई ८८५ कि.मि. अछि । उत्तर सँ दक्षिण तरफ के चौडाई मुदा एक समान नै अछि । पूर्वी भाग सँ पश्चिमी भाग कनि चौडा अछि । तहिना मध्य भाग कनि खुम्चल अछि । ए में अधिकतम चौडाई २४१ कि.मि. आर न्युनतम चौडाई १४५ कि.मि. रहल अछि । यसर्थ नेपालक सरदर चौडाई १९३ कि.मि. रहल अछि । नेपालक उत्तरमें [[चीन]]क स्वशासित क्षेत्र [[तिब्बत]] अछि त दक्षिण, पूर्व आर पश्चिममें [[भारत]] परैत अछि । नेपालक ८०% सँ बेसी नागरिक [[हिन्दू धर्म|हिन्दू]] धर्म मानैत अछि जे विश्व में सभ सँ बेसी प्रतिशत हिन्दू धर्मावलम्बी भेल राष्ट्र सेहो छी । हिन्दू धर्म छोएड बौद्ध, मुस्लिम, किरात आदि धर्म मानए वाला लोकनि सेहो एतएक बसोबास करैत अछि । एकटा छोट सन क्षेत्र के लेल नेपालक भौगोलिक विविधता बहुतेक उल्लेखनीय रहल अछि । एतएक [[तराई]] के उष्ण फाँट सँ ठण्डा हिमालयके शृंखला अवस्थित अछि । संसार के सभ सँ पैग १४ हिमश्रृंखला मे सँ ८ टा नेपालमें रहल अछि, वोए में सँ संसारक सर्वोच्च शिखर [[सगरमाथा]] एक छी । नेपालक मुख्य शहर आ राजधानी [[काठमाण्डौ]] छी । [[काठमाण्डौ जिला|काठमाण्डौ]], [[ललितपुर जिला|ललितपुर]] आर [[भक्तपुर जिला|भक्तपुर]] के [[काठमाण्डौ]] [[उपत्यका]] कहल जाएत अछि । आन मुख्य शहर सभ में [[भरतपुर उपमहानगरपालिका|भरतपुर]], [[विराटनगर उपमहानगरपालिका|बिराटनगर]], [[भैरहवा]], [[वीरगंज उपमहानगरपालिका|वीरगंज]], [[जनकपुर नगरपालिका|जनकपुर]], [[पोखरा उपमहानगरपालिका|पोखरा]], [[नेपालगंज नगरपालिका|नेपालगंज]], [[धनगढी नगरपालिका|धनगढी]], [[राजविराज नगरपालिका|राजविराज]] आर [[महेन्द्रनगर नगरपालिका|महेन्द्रनगर]] परैत अछि । नेपाल शब्दक उत्त्पत्ति के सम्बन्धमें कोनो ठोस प्रमाण त उपलब्ध नै अछि, मुदा एक प्रसिद्ध विश्वास अनुसार मरिची ॠषि के पुत्र 'ने' मुनिद्वारा पालन भेल स्थान के रूप में एतौका नाम नेपाल रहल गेल अछि।
 
निरन्तर रूपमें राजा-रजौटा सभक अधीनमें रहि सम्पन्न इतिहास रहल, अखन नेपाल कहि चिनए वाला इ खण्ड वि.सं. २०४६ सालक आन्दोलन पश्चात् संवैधानिक राजतन्त्रक नीति अवलम्बन केने छल ।
प्राप्ति स्थल "https://mai.wikipedia.org/wiki/नेपाल"