"विकिपिडिया:पञ्च स्तम्भ" के अवतरणसभमे अन्तर

+विस्तार
पङ्क्त्ति १७:
| 
|-
|[[File:YellowPillar.png|35px]] ||'''[[:en:Wikipedia:Copyrights|विकिपीडियाक सामग्री मुक्त अछि]]''' आ एकरा जेकियो परिवर्तन कऽ सकैत अछि, आ अन्य स्थानसभ पर इच्छानुसार परिवर्तन करि प्रयोग सेहो करि सकैत अछि । [[:en:Wikipedia:Copyrights|मुद्राधिकार कानुनसभ]]क सदैव पालन करी आ अपन स्रोतसभकें बिना श्रेय देबैत [[:en:WP:Plagiarism|एकर सामग्री कहियो चोरी नै करी]]। मुद्राधिकार कानुनसभक अन्तर्गत किछ अमुक्त सामग्रीकऽ [[Wikipedia:Non-free content|सीमित न्यायोचित प्रयोग]] कएल जा सकैत अछि, मुदा हर संभव प्रयत्नशिल रही की मुक्त सामग्री मात्र प्रयोग होई। विकिपीडिया पर अपनेक सम्पूर्ण योगदान [[:en:GNU Free Documentation License|प्रत्येक सदस्यकें स्वतन्त्र रूप सँ देल जाएत अछि]] आ कोनो लेखककें [[:en:Wikipedia:Ownership of articles|कोनो लेख पर नियन्त्रण या स्वामित्व नै होएत अछि]]। अपने द्वारा लिखित लेखसभकें अन्य लेखक बिना रोकटोक या हिचकिचाहटकें परिवर्तन आ प्रयोग करत। आँहाक एहि अभिलाषासँ अपन योगदान देबाक चाही।
|
|-
| 
|-
|[[File:OrangePillar.png|35px]] ||'''[[वि:शिष्टाचार|प्रत्येक लेखक कऽ अन्य लेखकसभक सङ्ग शिष्टता आ आदर सँ व्यवहार करबाक चाही]]'''। अपन [[वि:विकिपीडियन|विकिसाथीसभ]]क सङ्ग [[:en:Wikipedia:Stay cool|शान्त,शालीन रही]] आ हुनकासभसँ [[:en:Wikipedia:Civility|नम्रता सँ बात]] करबाक चेष्टा करी, विशेषकरि जखन आँहाक हुनकासँ मतभेद होइ। [[:en:Wikipedia:Etiquette|विकिपीडिया सभ्याचार]]क पालन करी आ [[वि:व्यक्तिगत आक्षेप|व्यक्तिगत स्तर पर लड़ाई]] नै करी। अन्यसभसँ मिल कऽ रही। [[:en:Wikipedia:Consensus|आम सहमति]] हासिल करबाक प्रयत्न करी आ [[:en:Wikipedia:Edit war|बेर-बेर सम्पादन-पूर्ववतनक चक्रक लेल झै-झगडा]]मे नै पड़ी। [[:en:Wikipedia:Three-revert rule|तीन-पूर्ववतन नियम]]क पालन करी। जतए धरि सम्भव होइ ई मानि कऽ चली कि अन्य लेखक विकिपीडियामे साँच हृदयसँ योगदान देबाक लेल चाहैत अछि आ [[वि:अच्छी नीयत माने|हुनकर नीयत पर सन्देह नै करी]]। कखनो अपन बात समझाबक प्रयासमे [[वि:बात समझाने के लिये विकिकार्य बाधित न करें| विकिपीडिया पर अड़चन नै खड़ा करी]]। यदी अपनेक पारा कोनो एक विशेष लेखकें लेल चढ़ल अछि त याद राखी कि मैथिली विकिपीडिया पर {{NUMBEROFARTICLES}} लेख अछि जाहिपर सुधार आ संवाद कएल जा सकैत अछि। अपन ऊर्जा निक ठाम लगाबी। मैथिली विकिपीडिया कऽ नव लेखक आ सम्पादककें बहुत आवश्यकता अछि। खुला हृदयसँ हुनकर स्वागत करी।
|
|-
| 
|-
|[[File:RedPillar.png|35px]] || '''[[:en:Wikipedia:Ignore all rules|विकिपीडियाक कोनो अन्य कड़ा नियम नै अछि]]'''। आत्मविश्वास आ [[:en:Wikipedia:Be bold|निडरताक सङ्ग]] लेखसभक सुधारी आ नव लेख बनाबी। लेख लिखऽमे माहिर होनाए एक बड्ड निक ध्येय जरूर छी, मुदा ई [[:en:Wikipedia:Editing policy|लेखकसभक लेल बिलकुल अनिवार्य नै]] अछि। ई चिन्ता मनसँ निकालि दियौ कि अपनेसँ कोनो गलती भऽ जाएत आ अपने द्वारा कएल गेल परिवर्तनसँ लेख खराब भऽ जाएत। विकिपीडिया [[:en:Help:Page history|हरेक परिवर्तनक जानकारी सुरक्षित रखैत अछि]] आ जरुरत पड़ला पर किनको लेखकें ओकर पूर्व रूपमे पुर्वत कएल जा सकैत अछि। आँहा विकिपीडियाक कोनो भी लेखकें स्थाई रूपसँ चाहियो कऽ खराब नै करि सकब। मुदा ध्यान राखी कि एहिठाम जे अपने लिखब ओ सदिखन लेल स्थापित भऽ जाएत आ अपनेक विकिपीडिया नाम (या आई॰पी॰ ठेकाना )क सङ्ग सम्बम्धित भऽ जाएत। शुभ नीयत राखी।
|
|}