"टिकटक" के अवतरणसभमे अन्तर

टिकटक पृष्ठ नेपालीसँ अनुवाद करि सार्वजनिक
(कोनो अंतर नै)

अन्तिम परिवर्तन १९:४९, २० मई २०२०

टिकटक (चीनी: 抖音; Dǒuyīn) एक प्रख्यात चीनी श्रव्य दृश्य साझेदार करऽबला एक सामाजिक सञ्जाल सेवा छी जे बाइटड्यान्स (अनुवादित नाम) नामक चीनी प्रविधि कम्पनीक स्वामित्वमे रहल अछि।[७] [८] [९] एकर मुख्य कार्यालय चीनक राजधानी बेइजिङमे अछि तँ एकर स्थापना सन् २०१२ मे झाङ यिमिङद्वारा कएल गेल छल। ई छोट ठोर समक्रमण, सुखान्त आ मनोरञ्जक तथा प्रतिभा सङ्ग्रहित श्रव्य दृश्यसभ सृजना करवाक लेल प्रयोग कएल जाएत अछि। एकर आधिकारिक अनुप्रयोग सन् २०१७ मे आइओएस आ एन्ड्रोइडक लेल चीन बाहरक बजारसभक लेल सुरु कएल गेल छल।[१] बाइटड्यान्स एहिसँ पहिने सितम्बर २०१६ मे चीनी बजारक लेल डोउयिन (चीनी: 抖 音) सुरु केनए छल। टिकटक आ डोउयिन समान अछि, मुदा चीनी इन्टरनेट परतन्त्र प्रतिबन्धसभकेँ पालना करवाक लेल भिन्न भिन्न सेवकसभमे सञ्चालित अछि।[१०][११] अनुप्रयोग ३ सेकेन्डसँ १५ सेकेन्डधरिक ठोर समक्रमण समावेशक श्रव्य दृश्य सार्वजनिक करवाक अनुमति दैत अछि[१२] आ छोट दोहराबऽबला श्रव्य दृश्यक लम्बाईकेँ ३ सेकेन्डसँ ६० सेकेन्डधरि सीमित केनए अछि। ई एसिया, संयुक्त राज्य अमेरिका आ विश्वक अन्य भू भागसभमे लोकप्रिय अछि।[१३][१४] टिकटक चीनमे उपलब्ध नै अछि आ एकर सेवक अनुप्रयोगसभ उपलब्ध भेल देशसभमे आधारित अछि।[१५]

टिकटक
抖音
विकासकर्ता(सभ)बाइटड्यान्स[१]
प्रारम्भिक संस्करणसितम्बर 2016; ७ वर्ष पहिने (२०१६-०९)
Stable release
१४.३.४ / २३ दिसम्बर २०१९
सञ्चालन प्रणालीआइओएस, एण्ड्रोइड, फायर सञ्चालन प्रणाली
आकार३०८.३ मेगाबाइट (आइओएस)[२]
८०.१९ मेगाबाइट (एन्ड्रोइड)[३]
७९.७ मेगाबाइट (फायर सञ्चालन प्रणाली)[४]
उपलब्धता४० भाषासभ[५]
प्रकारश्रव्य दृश्य साझेदारी सेवा
अनुमति पत्रप्रयोगका सर्त सहितको स्वामित्व सफ्टवेयर
अलेक्सा क्रमाङ्कवृद्धि ७८७ (विश्वव्यापी, दिसम्बर २०१९[६]
वेबसाइटtiktok.com
डोउयिन (टिकटक)
चीनी 抖音
अनुवादित अर्थ "गुञ्जित ध्वनि"

अक्टुबर २०१८ मे टिकटक संयुक्त राज्य अमेरिकामे सर्वाधिक डाउनलोड कएल अनुप्रयोग बनऽमे सफल भेल छल उक्त सफलता प्राप्त करऽबला ई पहिल चीनी अनुप्रयोग छी। सन् २०१८ मे, ई विविध देशक १८० सँ बेसी बजारसभमे आ ​​८५ भाषासभमे उपलब्ध छल। फरबरी २०१९ मे, डोउयिन सहित टिकटक चीनमे एन्ड्रोइड स्थापनासभ बाहेक, विश्वव्यापी रूपमे एक अरब डाउनलोड पार केनए छल।[१३] सन् २०१९ मे, टिकटक सन् २०१० सँ २०१९ धरिक दशकक ७म् सर्वाधिक डाउनलोड कएल गेल मोबाइल अनुप्रयोग बनि गेल घोषणा केनए छल।

इतिहास

विकासक्रम

डोउयिनकेँ सितम्बर २०१६ मे चीनमे बाइटड्यान्सद्वारा सुरू कएल गेल छल।[१६] डोउयिनकेँ २०० दिन लगाए विकसित कएल गेल छल आ एकर सञ्चालनक मात्र एक बर्षमे १० करोड प्रयोगकर्तासभ एहिमे अपना आपकेँ पञ्जीकृत केनए छल। ओहि समयमे एहिमे प्रति दिन १ अरबसँ बेसी श्रव्य दृश्यसभक अवलोकन कएल गेल छल। टिकटककेँ सितम्बर २०१७ मे अन्तर्राष्ट्रिय बजारमे जारी कएल गेल छल। २३ जनवरी २०१८ मे, टिकटक थाइल्याण्ड आ अन्य देशसभमे अनुप्रयोग भण्डारसभमे नि: शुल्क मोबाइल अनुप्रयोग डाउनलोडसभक बीचमे शीर्ष स्थानमे चढ़ऽमे सफल भेल छल।[८][१७][१८]

प्रयोगकर्ता विशेषता आ व्यवहार

प्रयोगकर्ता

सेवा सञ्चालन भेल तीन बर्षक बाद, सितम्बर २०१६ मे टिकटक प्रयोग केनिहार ५० करोड मासिक सक्रिय प्रयोगकर्तासभ छल।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

  1. १.० १.१ "快讯-TikTok成为美国下载量最高应用_原创_投资界"news.pedaily.cn
  2. "TikTok – Real Short Videos"एप ष्टोर
  3. "टिकटक"प्ले ष्टोर
  4. "टिकटक"अमेजन
  5. "TikTok - Make Your Day"आइट्युन्स। अन्तिम पहुँच 3 December 2019
  6. "टिकटक डटकमक प्रतिस्पर्धात्मक विश्लेषण, ट्राफिक आ अन्य जानकारीसभ - अलेक्सा"अलेक्सा डटकम। अन्तिम पहुँच 2019-12-06
  7. "抖音APP"變現難"或成痛点"長江商報। 2017-09-11। अन्तिम पहुँच 2018-02-01
  8. ८.० ८.१ CNNIC分析师:网络音乐行业格局已基本确立,新浪网
  9. 格隆匯। "抖音:切入音樂短影片垂直領域,年輕化視訊社區變現潛力大_搜狐科技_搜狐網"
  10. "广电总局下发特急文件:坚决禁止非法抓取、剪拼改编视听节目"北京商报। 2018-03-22। अन्तिम पहुँच 2018-03-22
  11. "广电总局发文禁止抓取改编视听节目 B站快手抖音怎么办?"界面新闻। 2018-03-22। अन्तिम पहुँच 2018-03-31
  12. "抖音回应模仿动作幼童重伤 律师:抖音应尽告知义务 承担一定责任"北青网। 2018-03-21। अन्तिम पहुँच 2018-03-31
  13. १३.० १३.१ "टिकटक एप्सको नेपालमा लोकप्रियता बढ्दै, विश्वभर झन्डै १० करोड प्रयोगकर्ता"। ५ माघ, २०७५। अन्तिम पहुँच पुस २०७६ {{cite web}}: Check date values in: |accessdate=|date= (help)
  14. "抖音回应被新浪微博封杀: 希望同行能以开放的心态公平竞争"澎湃新闻। 2018-03-19। अन्तिम पहुँच 2018-03-31
  15. "Forget The Trade War. TikTok Is China's Most Important Export Right Now."बज फिड न्युज। 16 May 2019। अन्तिम पहुँच 24 May 2019
  16. 获今日头条上亿美金 “抖音”进军海外市场,新浪网,i黑马
  17. 孵化了抖音的今日头条收购Musical.ly,把国际化的中国对手变成同盟_搜狐科技_搜狐网,PingWest品玩
  18. 速度与激情:抖音的2017_搜狐科技_搜狐网,极客公园

एहो सभ देखी

बाह्य जडीसभ