"शाशा बेङ्क्स" के अवतरणसभमे अन्तर

सुधार
No edit summary
पङ्क्त्ति १७:
}}
 
'''मार्सिडेस केस्ट्नर-भर्नाडो''' (जन्म: २६ जनवरी १९९२) अमेरिकी महिला कुस्ती खेलाडी छी। ओ एखन [[डब्ल्युडब्ल्युई]]को '''र'''मे कार्यरत अछि जतय ओ '''शाशा बेङ्क्स''' नामसँ कुस्ती खेलैत अछि। ओ डब्ल्युडब्ल्युई प्रतियाेगितामे पहिलबेर [[बेइली (कुस्ती खेलाडी)|बेइली]]सङ्ग महिला ट्याग टिम उपाधि विजेता भेल छल आओर ओहि सङ्गसङ्गे ओ ४ बेर '''र''' महिला विजेता आओर एनएक्सटी महिला विजेता कऽ उपाधि सेहो जितने अछि।
 
ओ सुरुवाती चरणमे स्वतन्त्र श्रृङ्खला अन्तर्गत काओटिक रेस्लिङमे कुस्ती खेल्ने छल जतय ओ एकबेर महिला विजेता सेहो बनल छल। डब्ल्युडब्ल्युई आओर एनएक्सटी अन्तर्गत ओ एखनधरि ६ टा उपाधिसभ जीतऽमे सफल भेल अछि जहिमे ओ एक बेर एनएक्सटी महिला विजेता, चारि बेर ''र'' महिला विजेता आओर वर्तमानमे [[बेइली (कुस्ती खेलाडी)|बेइली]]सङ्ग एकबेर '''र''' पहिल महिला ट्याग टिम विजेता भेल अछि। ७ अक्टुबर २०१५ मे आयोजित एनएक्सटी टेक ओभर: रेस्पेक्टमे हुनकर आओर बेइलीक खेल महिला कुस्तीमे पहिल आइरन म्यान म्याच भेल छल आओर उक्त खेल तात्कालिक समयमे सभसँ लम्बा खेल बनल छल।<ref name="Respect">{{cite web|last1=मिलुक|first1=बबी|title=NXT Women's Champion Bayley vs. Sasha Banks (30-Minute WWE Iron Man Match)|url=https://www.wwe.com/shows/wwenxt/nxt-takeover-2015-10-07/bayley-sasha-banks-nxt-womens-title-iron-man-match-27942052|publisher=डब्ल्यूडब्ल्यूई|accessdate=September 10, 2015}}</ref> प्रो रेस्लिङ इलुस्ट्रेटरद्वारा उक्त खेलकेँ वर्षक उत्कृष्ट खेलक रुपमे घोषित कएल गेल छल।