"सांसद" के अवतरणसभमे अन्तर

सांसद
 
No edit summary
पङ्क्त्ति १:
सांसद, [[संसद]]मे मतदातासभक प्रतिनिधि होएत अछि। अनेक देशसभमे ई शब्दक प्रयोग विशेष रूप सँ निम्न सदनक सदस्यसभक लेल कएल जाएत अछि। कियाकी प्राय: उच्च सदनक लेल एक भिन्न उपाधि जेना की सिनेट आ एकर सदस्यसभक लेल सिनेटर शब्दक प्रयोग कएल जाएत अछि। सांसद अपन राजनीतिक पार्टीक सदस्यसभक सङ्ग मिल संसदीय दलक गठन करैत अछि। रोजमर्राक व्यवहारमे प्राय: सांसद शब्दक स्थान पर मिडियामे एकर सङ्क्षिप्त रूप '''एमपी''' कऽ प्रयोग कएल जाएत अछि।
 
== वेस्टमिन्स्टर प्रणाली ==
{{Main|वेस्टमिन्स्टर प्रणाली}}
=== अस्ट्रेलिया ===
[[अस्ट्रेलिया]]मे सांसद शब्द राष्ट्रमण्डल संसद (कामनवेल्थ संसद) कऽ निम्न सदन प्रतिनिधि सभाक सदस्यसभकें सन्दर्भित करैत अछि। सदस्य अपन नामक बाद '''एमपी''' शब्दक उपयोग करि सकैत अछि- पहिने '''एमएचआर''' शब्दक प्रयोग कएल जाएत छल, मुदा आब ई प्रचलित नई अछि। कमनवेल्थ संसदक उच्च सदन [[सिनेट]]क सदस्य '''सीनेटर''' कऽ रूपमे जानल जाएत अछि।
 
भिक्टोरियामे, [[विधान सभा]] (निम्न सदन) कऽ सदस्य अपन नामक बाद '''एमपी''' शब्द कऽ प्रयोग करैत अछि, मुदा [[विधान परिषद]] (उच्च सदन) कऽ सदस्य एकरा परिवर्तित '''एमएलसी''' शब्दक प्रयोग करैत अछि।
 
=== बङ्गलादेश ===
[[बंगलालादेश]]मे [[जातीय झोग्राशाला]] या राष्ट्रिय सदनक सदस्यसभक चुनाव प्रत्येक पाँच वर्ष बाद कएल जाएत अछि आ ई लोकसभकें अङ्ग्रेजीमे मेम्बर अफ पार्लियामेन्ट या सांसद कहल जाएत अछि। विधानसभामे महिलासभक लेल आरक्षित ४५ सिट सहित कूल ३४५ सिट अछि।
प्राप्ति स्थल "https://mai.wikipedia.org/wiki/सांसद"