"मगही भाषा" के अवतरणसभमे अन्तर

incubator using AWB
+सामग्री
पङ्क्त्ति १:
'''मगही''' या '''मागधी''' भाषा [[भारत]]क मध्य पूर्वमे बाजल जाइवाला एक प्रमुख भाषा छी । एकर निकटक समबन्ध [[भोजपुरी]] आ [[मैथिली]] भाषा सँ अछि आ प्राय: ई भाषासभ एके साथ [[बिहारी भाषा]]क रूपमे रखि देल जाइत अछि । एकरा [[देवनागरी]] [[लिपि]]मे लिखल जाइत अछि । मगही भाषी प्रयोगकर्ताक सङ्ख्या सन् २००२ मे लगभग १ करोड़ ३० लाख अछि । मुख्य रूप सँ ई भारतक [[बिहार]] प्रदेशक [[गया]], [[पटना]], [[राजगीर]], [[नालन्दा]], [[जहानाबाद]], [[अरवल]], [[नवादा]] आ [[औरङ्गाबाद]]क इलाकासभमे बाजल जाइत अछि ।
'''मगही भाषा''' नेपाल आ भारत मे बोलल जाय वाला भाषा आछि ।
 
मगहीकें धार्मिक भाषाक रूपमे सेहो पहिचान अछि । कयन [[जैन]] धर्मग्रन्थ मगही भाषामे लिखल गेल अछि । मुख्य रूप सँ वाचिक परम्पराक रूपमे ई आईयो जीवित अछि । मगहीकें पहिल महाकाव्य गौतम महाकवि योगेशद्वारा सन् १९६०-६२ क बीच लिखल गेल छल । दर्जन सँ बेसी पुरस्कारसभ सँ सम्मानित योगेश्वर प्रसाद सिन्हा योगेश आधुनिक मगही भाषाक सभसँ लोकप्रिय कवि मानल जाइत अछि । भारतमे २३ अक्टुबरकें दिन हुनकर जयन्तिमे मगही दिवसक रूपमे मनाएल जाए रहल अछि ।
 
==इतिहास==
किछ भारतीय विद्वानसभकें माननाए अछि की मगही [[संस्कृत]] भाषा सँ विकसित [[इन्डो-आर्यन भाषा परिवार]]क भाषा छी, मुदा [[महावीर जैन]] आ [[गौतम बुद्ध]] दुनू महापुरुषक उपदेशक भाषा मगधी भाषामे लिखल गेल छल । बुद्धद्वारा भाषाक प्राचीनताक प्रश्न पर स्पष्ट रूपसँ कहने अछि- ‘सा मागधी मूल भाषा’। अतः मगही ‘मागधी’ सँ निकलल भाषा छी ।
 
== एहो सभ देखी ==
* [[मागधी]]
* [[अर्धमागधी]]
प्राप्ति स्थल "https://mai.wikipedia.org/wiki/मगही_भाषा"