"जर्मन भाषा" के अवतरणसभमे अन्तर

+ बिस्तार
+ बिस्तार
पङ्क्त्ति २०:
'''जर्मन भाषा''' ({{Lang-de|Deutsch}}, ''डायट्श'') सङ्ख्याक अनुसार [[यूरोप]]क सभसँ अधिक बाजल जाइ बाला भाषा छी । ई [[जर्मनी]], [[स्विट्जरल्यान्ड]] आ [[अस्ट्रिया]]क मुख्य- आ [[राजभाषा]] छी । ई [[रोमन लिपि]]मे लिखल जाइत अछि (अतिरिक्त चिन्हसभक संग) । ई [[हिन्द-यूरोपीय भाषा-परिवार]]मे [[जर्मनिक भाषासभ|जर्मनिक शाखा]]मे आबैत अछि । अङ्ग्रेजीसँ एकर लगक सम्बन्ध अछि । मुदा रोमन लिपिक अक्षरसभक एकर ध्वनिसभक संग मेल अङ्ग्रेजीसँ बढिया अछि । आधुनिक मानकीकृत जर्मन कs '''उच्च जर्मन''' कहित अछि ।
 
जर्मन भाषा भारोपीय परिवारक जर्मेनिक वर्गक भाषा, सामान्यत: उच्च जर्मनक ओ रूप छी जे जर्मनीमे सरकारी, शिक्षा, प्रेस इत्यादीक माध्यम अछि । ई अस्ट्रियामे सेहो बोललबाजल जाइत अछि । एकर उच्चारण १८९८ ई. कs एक कमीशन द्वारा निश्चित अछि । [[लिपि]], [[फ्रेन्च]] आ [[अङ्ग्रेजी]]सँ मिलैत-जुलैत अछि । वर्तमान जर्मनक शब्दादिमे अघात भेला पर काकल्यस्पर्श अछि । तान (टोन) अङ्ग्रेजी जका होइत अछि । उच्चारण अधिक सशक्त एवं शब्दक्रम अधिक निश्चित अछि । दार्शनिक एवं वैज्ञानिक शब्दावलीसँ परिपूर्ण अछि । शब्दराशि अनेक स्रोतसभसँ लेल गेल अछि ।
 
'''उच्च जर्मन''', केन्द्र, उत्तर आ दक्षिणमे बाजल जाइ वला अपन पश्चिमी शाखा (लो जर्मन-फ्रिजियन, अङ्ग्रेजी)सँ लगभग छठम शताब्दीमे अलग होबs लागल छल । भाषाक दृष्टि सँ "प्राचीन हाई जर्मन" (७५०-१०५०), "मध्य हाई जर्मन" (१३५० ई. धरि), "आधुनि हाई जर्मन" (१२०० ई. कs कालखण्डसँ एखन धरि) तीन विकास चरण अछि । उच्च जर्मनक प्रमुख बोलिमे यिडिश, श्विज्टुन्श, आधुनिक प्रशन स्विस या उच्च अलेमैनिक, फ्रन्कोनियन (पूर्वी आ दक्षिणी), टिपृअरियन तथा साइलेसियन इत्यादी अछि ।
प्राप्ति स्थल "https://mai.wikipedia.org/wiki/जर्मन_भाषा"