"मलयालम" के अवतरणसभमे अन्तर

'{{Infobox language |name=मलयालम |nativename={{lang|ml|മലയാളം}}, ''मलयालम'' |states=[[भारत]...'सँग नव पन्ना बनाएल गेल
 
No edit summary
पङ्क्त्ति २०:
मलयालम , भाषा आ लिपि के विचारसँ [[तमिल भाषा]] के अधिक निकट अछि। एही पर [[संस्कृत]]क प्रभाव ईसा के पूर्व पहिल शताब्दीसँ भेल अछि। संस्कृत शब्दसभक मलयालम शैली के अनुकूल बनेवाक लेल संस्कृतसँ अवतरित शब्दसभक संशोधित कएल गेल अछि। [[अरब|अरबौं]] के साथ शताब्दीसभसँ व्यापार सम्बन्ध [[अङ्ग्रेजी]] तथा [[पुर्तगाली]] उपनिवेशवादक असर सेहो भाषा पर पडल अछि।
 
== नाम ==
मलयालमक सन्धि-विच्छेद अछि - ''मलै'' (मूलशब्द : मलय - अर्थ : पर्वत) + ''अळम'' (मूलशब्द : आलयम - अर्थ : स्थान)। ई भाषा के भाषिक भारतक पश्चिमी घाट के गर्भमे निवास करैत अछि आ एही कारण ई नाम पडल अछि। एकर सही उच्चारण ’मलयाळम्’ होइत अछि।
 
== उद्भव ==
मलयालम् भाषा वा ओकर साहित्यक उत्पत्ति के सम्बन्धमे सही आ विश्वसनीय प्रमाण प्राप्त नै अछि। फेर मलयालम् साहित्यक प्राचीनता लगभग एक हजार वर्ष धरि के मानल गेल अछि। भाषा के सम्बन्धमे केवल ई निष्कर्ष पर ही पहुँच सकल अछि जे ई भाषा संस्कृतजन्य नै अछि - ई द्रविड परिवार के ही सदस्य छी। मुद्दा ई अखन धरि विवादास्पद अछि जे ई [[तमिल]]सँ अलग भेल ओकर एक शाखा छी, अथवा [[मूल द्रविड भाषा]]सँ विकसित अन्य दक्षिणी भाषासभक जेना अपन अस्तित्व अलग रखै वाला कोनो भाषा छी। अर्थात् समस्या ई अछि जे तमिल आ मलयालम् के रिश्ता माँ-बेटी के अछि वा बहिन-बहिन के। अनुसन्धान द्वारा ई पहेली के हल खोजवाक के कार्य भाषा-वैज्ञानिकसभक अछि आ ओ ई गुत्थी के सुलझा सकैत अछि। जे भी होए, ई बातमे सन्देह नै अछि कि मलयालम् के साहित्य केवल ओ समय पल्लवित होए लगल छल जखन तमिल के साहित्य फलि-फूलि चुकल छल। [[संस्कृत साहित्य]] के ही भाँति तमिल साहित्य के सेहो मलयालम् के प्यास बुझावे वाला स्रोतस्विनी कहि सकैत अछि।
 
सन् ३१०० ईसापूर्वसँ लके १०० ईसापूर्व धरि ई प्राचीन तमिळ के एक स्थानीय रूप छल। ईसा पूर्व प्रथम शताब्दीसँ एही पर [[संस्कृत]]क प्रभाव भेल। तेसर शताब्दीसँ लके पन्द्रहम् शताब्दी के मध्य धरि मलयालम के मध्यकाल मानल जाइत अछि। एही कालमे [[जैन धर्म|जैनीसभ]] सेहो भाषा के प्रभावित केलक। आधुनिक कालमे सन् १७९५ मे परिवर्तन आएल जखन एही राज्य पर अङ्ग्रेजी शासन पूर्णरूपेण स्थापित भऽ गेल।
 
==एहो सभ देखी==
* [[मलयालम साहित्य]]
* [[मलयालम लिपि]]
* [[मणिप्रवालम]]
* [[केरल]]
 
==सन्दर्भ सामग्रीसभ==
{{reflist}}
{{टिप्पणीसूची}}
 
==बाह्य जडीसभ==
* [http://www.keralatourism.org/hindi/language/ मलयालम भाषा] (केरल पर्यटन)
 
* [http://books.google.co.in/books?id=Cogm7hsCZoAC&printsec=frontcover#v=onepage&q=&f=false भारतीय शिखर कथा कोश : मलयालम कहानियाँ] (गूगल पुस्तक; संकलनकर्ता - कमलेश्वर)
 
* [http://technical-hindi.googlegroups.com/web/Malayalam+to+Hindi+Translator_02.html?hl=en&gda=7Jpz6lkAAAANVrw0Rm3VIAGdygBtpbs3PFDQRXXhAuKg6EKkNJZBXrseUka7yd2N6teWqvzQQw79RLQ_DN1IF5Fyk428_apXQ9jLC7dBUF6ulJ8L6zbMHg5I8fAKw99btrCp43HlLyo मलयालम से हिन्दी अनुवादक] (ऑनलाइन)
==एहो सभ देखी==
* [http://www.anukriti.net/dicbooks/hindi-malayalam/main.asp हिन्दी - मलयालम सामान्य शब्दावली]
* [https://hi.wiktionary.org/wiki/%E0%A4%B9%E0%A4%BF%E0%A4%A8%E0%A5%8D%E0%A4%A6%E0%A5%80-%E0%A4%AE%E0%A4%B2%E0%A4%AF%E0%A4%BE%E0%A4%B2%E0%A4%AE_%E0%A4%B6%E0%A4%AC%E0%A5%8D%E0%A4%A6%E0%A4%95%E0%A5%8B%E0%A4%B6 हिन्दी-मलयालम शब्दकोश]
* [[wikt:मलयालम-हिन्दी शब्दकोश|मलयालम-हिन्दी शब्दकोश]]
प्राप्ति स्थल "https://mai.wikipedia.org/wiki/मलयालम"