"समाजवाद" के अवतरणसभमे अन्तर

पङ्क्त्ति २४:
बीसम शताब्दीमे समाजवादक अन्तर्राष्ट्रिय प्रसार तथा सोभियत शासन व्यवस्था एक प्रकारसँ सहवर्ती परिघटनासभ मानल जाइत अछि । ओ एक एहन तथ्य छी जे समाजवादक विचार आ ओकर भविष्यकें गहिरागर जका सँ प्रभावित केनए अछि । उदाहरणार्थ, क्रान्तिक बाद [[सोभियत सङ्घ]] ओकर समर्थकसभ आ आलोचकसभ, दुनूक लेल समाजवादक पर्याय बनि गेल । सोभियत समर्थकसभक दलील ई छल की उत्पादनक प्रमुख साधनसभक समाजीकरण, बजारकें केन्द्रीकृत नियोजनक मातहत केनाए, तथा विदेश व्यापार आ घरेलू वित्त पर राज्यक नियन्त्रण जका उपाय अपनेला सँ सोभियत सङ्घ बहुत कम अवधिमे एक औद्योगिक देश बनि गेल । जबकि ओकर आलोचकसभक कथान ई छल की ई एक प्रचारित छवि छल कियाकी विराट नौकरशाही, राजनीतिक दमन, असमानता तथा [[लोकतन्त्र]]क अनदेखी स्वयंमे समाजवादक आदर्शकें खारिज करवाक लेल अधिक छल । समाजवादक प्रसारमे सोभियत सङ्घक दोसर भूमिका एक सङ्गठनकर्ताक छल । समाजवादी क्रान्तिक प्रसारक लेल [[कम्युनिस्ट इन्टरनेशनल]] जका सङ्गठनक स्थापना करि ओ स्वयंकें समाजवादकें हरावल सिद्ध केलक । ई सङ्गठनद्वारा विश्वक कम्युनिस्ट पार्टीसभकें लम्बा समयधरि दिशा-निर्देशन केलक । सोभियत सङ्घक भूमिकाक तेसर पहलू ई छल की ओ अपन पूर्वी युरोपमे बहुतेक अपनप्रकारक शासन व्यवस्था कायम केलक । अन्ततः सोभियत सङ्घ समाजवादक प्रयोगशाला एहि कारण सेहो मानल गेल कियाकी रूसी क्रान्तिक बाद [[स्टालिन]]क नेतृत्वमे ई सिद्धान्त प्रचारित कएल गेल की समाजवादी क्रान्तिकें अन्य देशसभमे प्रसार आरम्भ करैसँ पहिने ओकरा एक टा देशमे पहिने मजबूत कएल जाना चाही । बहुतेक विद्वानसभक दृष्टिमे ई एक एहन शुत्रीकरण छल जे राष्ट्रिय समाजवादकें बहुतेक प्रकारक उभारकें वैधता देलक ।
 
[[द्वितीय विश्वयुद्ध]]क बाद शुरू भेल [[वि-उपनिवेशीकरण]]क प्रक्रियाक समय समाजवाद आ [[राष्ट्रवाद]]क ई संश्रय [[तेसर दुनिया]]क देशसभमे समाजवादक विकासक एक प्रारूप जका बनि गेल । [[चीन]], [[भियतनाम]] तथा [[क्युबा]] जका देशसभमे समाजवादक प्रसारक ई एक केन्द्रीय प्रवृत्ति छल । सोभियत समर्थित समाजवादक छोडि ओकर एक अन्य रूप सेहो अछि जे पूँजीवादी देशसभक अप्रत्यक्ष ढङ्ग सँ प्रभावित केनए अछि । सदैव, समाजवादक तर्क आ ओकर आकर्षणक प्रति-सन्तुलित करवाक लेल पश्चिमक पूँजीवादी देशसभकें अपन अर्थव्यवस्थाक आकृतिकें परिवर्तन करि ओकरा कल्याणकारी रूप दै पड़ल । याह सन्दर्भमे स्क्यानडेनभियन देशसभ, पश्चिमी युरोप तथा अस्ट्रेलिया क्षेत्रक देशसभमे किन्सक लोकोपकारी विचारसभ सँ प्रेरित भए सोभियत स्वरुपक समाजवादकें विकल्प गढ़वाक प्रयास कएल गेल । माँगक प्रबन्धन, आर्थिक राष्ट्रवाद, रोजगारक गारन्टी, तथा सामाजिक सेवासभक क्षेत्रकें मुनाफाखोरीक प्रवृत्तिसभ सँ मुक्त करवाक नीति पर टिकल ई कल्याणकारी उपायसभ एकबारगी पूँजीवाद आ समाजवादक अन्तरकें धुमिल करि देने छल । राज्यक ई कल्याणकारी मोडलक एक समय पूँजीवादक विसङ्गती— बेकारी, बेरोजगारी, अभाव, अज्ञान आदिक स्थाई इलाज बतायल जाए रहल छल । ई मोडलक आर्थिक आ राजनीतिक कामयाबीक प्रमाण ई तथ्यकें मानल जाए सकैत अछि की यदि वामपन्थी दायरासभमे ई उपायसभक प्रशंसा कएल गेल तँ दक्षिणपन्थी राजनीति सेहो ओकर खुला विरोध नै करि सकल । द्वितीय विश्व-युद्धक समाप्तिक बाद तीन दशकधरि बाजार केन्द्रित समाजवादक ई मोडल बहुतेक प्रभावशाली ढङ्ग सँ काम करैत रहल ।
[[द्वितीय विश्वयुद्ध]]क बाद शुरू भेल [[वि-उपनिवेशीकरण]]क प्रक्रियाक समय समाजवाद आ [[राष्ट्रवाद]]क ई संश्रय [[तेसर दुनिया]]क देशसभमे समाजवादक विकासक एक प्रारूप जका बनि गेल । [[चीन]], [[भियतनाम]] तथा [[क्युबा]] जका देशसभमे समाजवादक प्रसारक ई एक केन्द्रीय प्रवृत्ति छल ।
 
मुदा सातम दशकमे मन्दी आ मुद्रास्फीतिक दोहरा मारि तथा कल्याणकारी पूँजीवादक गढ़मे गतिशील सामाजिक आ औद्योगिक असन्तोषक कारण ई मोडलक औचित्यकें लऽ प्रश्न खड़ा होमए लागल । मार्क्सवादी शिविरक विद्वान सेहो लगातार ई कहैत आबि रहल छल की कल्याणकारी भङ्गिमासभद्वारा असमानता आ शोषणकें खत्म नै करि पूँजीवादे कें आओरो मजबूत केनए अछि । ई मोडलक एक आपत्तिजनक पहलू एहो प्रकट भेल की कामगार वर्गक जीवनक बुनियादी सुविधासभ प्रदान करैवला मसिनद्वारा राज्य ओकरासभ पर नियन्त्रण करवाक स्थितिमे आबि गेल अछि ।
 
==सन्दर्भ सामग्रीसभ==
प्राप्ति स्थल "https://mai.wikipedia.org/wiki/समाजवाद"