"समाजवाद" के अवतरणसभमे अन्तर

पङ्क्त्ति १०:
 
== इतिहास ==
[[File:Hw-fourier.jpg|thumb|right|upright|चार्ल्स फुरिएररफुरिएर]]
आदिकालीन साम्यवादी समाजमे मनुष्य पारस्परिक सहयोगद्वारा आवश्यक चीजसभक प्राप्ति आ प्रत्येक सदस्यक आवश्यकतानुसार ओकर आपसमे बँटवारा करैत छल । मुदा ई साम्यवाद प्राकृतिकें छल; मनुष्यक सचेत कल्पना पर आधारित नै छल । आरम्भक [[इसाई]] पादरीसभक रहन-सहनक ढङ्ग बहुत किछ साम्यवादी छल, ओ एक सङ्ग आ समान रूपसँ रहैत छल, मुदा ओकर आय स्रोत धर्मावलम्बीसभक दान छल आ ओकर आदर्श जनसाधारणक लेल नै, नै तँ मात्र पादरीसभधरि सीमित छल । ओकर उद्देश्य सेहो आध्यात्मिक छल, भौतिक नै । ई बात मध्यकालीन इसाई साम्यवादक सम्बन्धमे सेहो सही अछि । [[पेरु]] देशक प्राचीन [[इन्का]] सभ्यताकें 'सैन्य साम्यवाद' कऽ संज्ञा देल जाइत अछि, मुदा ओकर आधार सैन्य सङ्गठन छल आ ओ व्यवस्था शासक वर्गक हितसाधन करैत छल । नगरपालिकाद्वारा लोकसेवासभक साधनसभक प्राप्त करनाए, अथवा देशक उन्नतिक लेल आर्थिक योजनासभक प्रयोग मात्रक समाजवाद नै कहल जाए सकैत अछि, कियाकी ओ आवश्यक नै अछि की ओकरद्वारा पूँजीवादकें हानी होए । [[नात्सी दल]]द्वारा बैङ्कसभकें राष्ट्रियकरण कएल गेल छल मुदा पूँजीवादी व्यवस्था अक्षुण्ण रहल छल ।<ref>pp. 276–77, [[Alfred Edward Taylor|A.E. Taylor]], ''Plato: The Man and His Work'', Dover 2001.</ref><ref>p. 257, [[W. D. Ross]], ''Aristotle'', 6th ed.</ref><ref>''A Short History of the World''. Progress Publishers. Moscow, 1974</ref>
 
समाजवादक भावनात्मक ढाँचा गढ़ऽ में [[इङ्ल्यान्ड]]मे सत्रहम शताब्दीक समय इसाई धर्मक दायरामे विकसित [[लेवलर्स तथा डिग्गर्स]] आ सोलहम आ सत्रहम शताब्दीक मध्य युरोपमे विकसित होमए वाला [[एनाब्यापटिस्ट]] जका र्‍याडिकल आन्दोलनसभक महत्वपूर्ण भूमिका रहल अछि ।<ref>''A Short History of the World''. Progress Publishers. Moscow, 1974</ref><ref>{{cite book |editor1-link=[[John Esposito]] |title=Oxford Encyclopedia of the Modern Islamic World |year=1995 |publisher=Oxford University Press |location=New York |isbn=0-19-506613-8 |oclc=94030758 |page=19}}</ref><ref>{{cite web |url=http://www.oxfordislamicstudies.com/article/opr/t125/e30?_hi=0&_pos=5 |title=Abu Dharr al-Ghifari |work=Oxford Islamic Studies Online |accessdate=23 January 2010}}
</ref><ref>{{cite book |title=And Once Again Abu Dharr |authorlink=[[Ali Shariati]] |url=http://www.iranchamber.com/personalities/ashariati/works/once_again_abu_dhar1.php |accessdate=15 August 2011}}</ref><ref>{{cite book |title=Arab Socialism: A Documentary Survey |last=Hanna |first=Sami A. |author2=George H. Gardner |year=1969 |publisher=E.J. Brill |location=Leiden |pages=273–74 |url=https://books.google.com/books?id=zsoUAAAAIAAJ&pg=PA273&lpg=PA273#v=onepage&q=&f=false |accessdate=23 January 2010}}</ref><ref>{{cite journal |last1=Hanna |first1=Sami A. |last2= |first2= |year=1969 |title=al-Takaful al-Ijtimai and Islamic Socialism |journal=The Muslim World |volume=59 |issue=3-4 |pages=275–86 |url=http://www.financeinislam.com/article/1_37/1/309 |doi=10.1111/j.1478-1913.1969.tb02639.x |deadurl=yes |archiveurl=https://web.archive.org/web/20100913151901/http://www.financeinislam.com/article/1_37/1/309 |archivedate=13 September 2010}}</ref> मुदा समाजवादक आधुनिक आ औपचारिक परिकल्पना फ्रान्सेली विचारकसभ साई-सिमोन आ चार्ल्स फुरिएर तथा ब्रिटिश चिन्तक [[राबर्ट ओभेन]]क निष्पत्ति सँ निकलैत अछि । समाजवादक ई शुरुआती विचारक व्यक्तिवाद आ प्रतिस्पर्द्धाक स्थान आपसी सहयोग पर आधारित समाजक कल्पना करैत छल । हुनका विश्वास छल की मानवीय स्वभाव आ समाजक विज्ञान लाधि सामाजिक अर्थकें बेहतर रूप देल जाए सकैत अछि । मुदा वाञ्छित सामाजिक रूपसभक ठोस ब्योरा, ओकरा प्राप्त करवाक रणनीति तथा मानव प्रकृतिक समझकें लऽ ओ दुनू बीच बहुत प्रकारक मतभेद छल । उदाहरणक लेल, साई-सिमोन तथा फुरिएर, [[रूसो]]क ई मत सँ सहमत नै छल की मनुष्यक प्रकृति अपन बनावटमे तँ नीक, उदात्त आ विवेकपूर्ण अछि मुदा आधुनिक समाज आ निजी सम्पत्ति ओकरा भ्रष्ट करि देनए अछि । एकर विरोधमे हुनकर तर्क ई छल की मानवीय प्रकृतिकें किछु स्थिर आ निश्चित रूप होएत अछि जकर परस्पर सहयोगक आधार पर आपसमे मेल कराएल जाए सकैत अछि । ओभेनक मत साई-सिमोन आ फुरिएर सँ भिन्न छल । ओकर कहनाम् छल की मनुष्यक प्रकृति बाहरी परिस्थितिसभ सँ तय होएत अछि आ ओकर इच्छित रूप देल जाए सकैत अछि । याह लेल समाजक परिस्थितिसभकें एहन प्रकार सँ परिवर्तन कएल जाना चाही की मनुष्यक प्रकृति पूर्णताक दिस बढ़ल जाए सकै । ओकर अनुसार यदि प्रतिस्पर्द्धा आ व्यक्तिवादक स्थान आपसी सहयोग आ एकताकें बढ़ावा देल जाएत तँ पुरे मनुष्यताक भला कएल जाए सकैत अछि ।
 
समाजवादक राजनीतिक विचारधारा उन्नैसम शताब्दीक तेसर आ चारिम दशकक समय [[इङ्ल्यान्ड]], [[फ्रान्स]] तथा [[जर्मनी]] जका युरोपेली देशसभमे लोकप्रिय होमए लागल छल । उद्योगीकरण आ शहरीकरणक तेज गति तथा पारम्परिक समाजक अवसानद्वारा युरोपेली समाजक सुधार आ परिवर्तनक शक्तिसभक अखाड़ा बनाए देनए छल जहिमे मजदूर सङ्घ आ चार्टरवादी समूहसभ लगायत एहन गुट सक्रिय छल जे आधुनिक समाजक स्थान प्राक-आधुनिक सामुदायिकतावादक वकालत करि रहल छल ।
प्राप्ति स्थल "https://mai.wikipedia.org/wiki/समाजवाद"