"उत्तर कोरिया" के अवतरणसभमे अन्तर

No edit summary
पङ्क्त्ति ११०:
 
===कोरियाली युद्ध (१९५०-१९५३)===
{{Main|कोरियाली युद्ध}}
[[File:Korean War Montage 2.png|thumb|right|कोरियाली युद्धक समयक दृश्यसभ]]
 
कोरियाली युद्ध [[शीत युद्ध|शीत युद्ध काल]]मे लड़ल गेल पहिल महत्वपूर्ण युद्ध छल ।<ref name="bbc.co.uk">{{cite news|title=North Korea enters 'state of war' with South |url=http://www.bbc.co.uk/news/world-asia-21979127 |accessdate=30 March 2013 |newspaper=BBC News |date=30 March 2013 |deadurl=no |archiveurl=https://web.archive.org/web/20130330013512/http://www.bbc.co.uk/news/world-asia-21979127 |archivedate=30 March 2013 }}</ref> एक दिस [[उत्तर कोरिया]] छल जकर समर्थन [[सोभियत सङ्घ]] तथा साम्यवादी [[चीन]] करि रहल छल, तँ दोसर दिस [[दक्षिण कोरिया]] छल जकर रक्षा [[अमेरिका]] करि रहल छल । युद्ध अन्तमे बिना निर्णय समाप्त भेल मुदा जन क्षति तथा तनाव बहुत अधिक छल । कोरिया-विवाद सम्भवतः [[संयुक्त राष्ट्र सङ्घ]]क शक्ति-सामर्थ्यक सभसँ महत्वपूर्ण परीक्षण छल । अन्तर्राष्ट्रिय राजनीतिक विद्वान [[शुमा]] एकरा '''सामूहिक सुरक्षा परीक्षण''' कऽ संज्ञा देनए अछि ।<ref>{{Cite book|last=Birtle |first=Andrew J. |date=2000 |url=http://www.history.army.mil/brochures/kw-stale/stale.htm |title=The Korean War: Years of Stalemate |publisher=U.S. Army Center of Military History |page=34 |accessdate=14 December 2007 |deadurl=yes |archiveurl=https://web.archive.org/web/20071214151848/http://www.history.army.mil/brochures/kw-stale/stale.htm |archivedate=14 December 2007 }}</ref>
 
[[द्वितीय विश्वयुद्ध]]क अन्तिम दिनमे मित्र-राष्ट्रसभमे ई तय भेल की [[जापानी आत्म-समर्पण]]क बाद सोभियत सेना उत्तर कोरियाक ३८ अक्षांशधरि तथा संयुक्त राष्ट्र सङ्घक सेना ई अन्तर्राष्ट्रिय सीमारेखाक दक्षिण भागक निगरानी करत । दुनू शक्ति '''अन्तरिम कोरियाली प्रजातान्त्रिक सरकार''' कऽ स्थापनाक लेल संयुक्त आयोगक स्थापना केलक । मुद सन् १९५० जुन २५ कें उत्तर कोरियाद्वारा [[दक्षिण कोरिया]] पर आक्रमण करि देल गेल । एहि दिन [[संयुक्त राष्ट्र सुरक्षा परिषद]]मे सोभियत अनुपस्थितिकें फायदा उठबैत अमेरिकाद्वारा अन्य सदस्यसभसँ मिल उत्तर कोरियाकें आक्रमणकारी घोषित करवाए देलक । सुरक्षा परिषद ई सिफारिशकें संयुक्त राष्ट्र सङ्घक सदस्य कोरियाली गणतन्त्रक आवश्यक सहायता प्रदान करी जहि सँग ओ सशस्त्र आक्रमणक प्रतिरोक करि सकए तथा ओ क्षेत्रमे शान्ति आ सुरक्षा स्थापित कएल जाए सकै । पहिल बेर सन् १९५० जुलाई ७ कें अमेरिकाक जनरल म्याकार्थरक कमानमे संयुक्त राष्ट्र सङ्घक झण्डाक नीचा संयुक्त कमानक निर्माण कएल गेल ।
 
मुदा बादमे सोभियत सङ्घ सेहो सुरक्षा परिषदक कारवाहीमे भाग लेनाए आरमभ करि देलक आ कोरियामे संयुक्त राष्ट्र सङ्घक कारवाही रोकैक लेल '''भिटो''' कऽ प्रयोग करि देलक । एकर परिणामस्वरूप सन् १९५० नवम्बर ३, [[संयुक्त राष्ट्र महासभा]]द्वारा '''शान्ति कऽ लेल एकता प्रस्ताव''' पास करि अन्तर्राष्ट्रिय शान्ति आ सुरक्षाकें उत्तरदायित्व स्वयं लऽ लेलक । फलस्वरूप अमेरिकी आ चीनी सेनासभ कोरियाली मामला केर लऽ उलझि गेल । अन्ततः [[भारत]] तथा किछ अन्य शान्तिप्रिय राष्ट्रसभक पहलक कारण सन् १९५३ जुलाई २७, कऽ दिन दुनू पक्षसभक बीच युद्ध विराम-सन्धि भेल । एहि प्रकार कोरियाली युद्धकें संयुक्त राष्ट्र सङ्घ रोक लगेबामे सफल भेल । ओना तँ अखनो उत्तर तथा दक्षिण कोरियामे आपसी तनाव जारी रहैत अछि ।
 
अमेरिकी रक्षा मन्त्रालय केर अनुसार ई विनाशकारी युद्धक कारण ३३,६८६ सैनिक आ २,८३० आम नागरिकक मृत्यु भऽ गेल । सन् १९५० नवम्बर १, चीनक सैनिकसभक सामना केलाक बाद सैनिकसभक मृत्यु सङ्ख्या ८,५१६ बढि गेल ।<ref>[http://aad.archives.gov/aad/display-partial-records.jsp?dt=2512&sc=27406%2C27409%2C27410%2C27361%2C27363%2C27364%2C27366%2C27384%2C27392&cat=all&tf=F&bc=%2Csl%2Cfd&q=&as_alq=&as_anq=&as_epq=&as_woq=&nfo_27406=V%2C10%2C1900&op_27406=0&txt_27406=&nfo_27409=V%2C40%2C1900&op_27409=0&txt_27409=&nfo_27410=V%2C1%2C1900&cl_27410=&nfo_27361=N%2C8%2C1889&op_27361=3&txt_27361=&txt_27361=&nfo_27363=V%2C50%2C1900&op_27363=0&txt_27363=&nfo_27364=V%2C50%2C1900&op_27364=0&txt_27364=&nfo_27366=V%2C2%2C1900&cl_27366=&nfo_27384=D%2C8%2C1950&op_27384=8&txt_27384=06%2F28%2F1950&txt_27384=10%2F31%2F1950&nfo_27392=V%2C2%2C1900&cl_27392=H Defense Casualty Analysis System search] Korean War Extract Data File. Accessed 21 December 2014.</ref> दक्षिण कोरियाक बतौलक की ई युद्ध सँ ओकर ३,७३,५९९ आम नागरिक आ १,३७,८९९ सैनिक मारल गेल । पश्चिम देशसभक स्रोत अनुसार ई युद्धमे चारि लाख लोकसभक मृत्यु आ ४,८६,००० लोक घायल भेल छल । केपिए अनुसार २,१५,००० लोकसभक मौत आ ३,०३,००० लोक घायल भेल छल ।<ref>Bethany Lacina and Nils Petter Gleditsch, [http://www.bethanylacina.com/LacinaGleditsch_newdata.pdf Monitoring Trends in Global Combat: A New Dataset of Battle Deaths], European Journal of Population (2005) 21: 145–166. Also available [http://www.prio.org/Global/upload/CSCW/Data/Monitoring%20trends%20in%20global%20combat%20EJP.pdf here]</ref>
 
===युद्धक बादक स्थिति===
===२१अम शताब्दी===