"उत्तर कोरिया" के अवतरणसभमे अन्तर

+सामग्री
पङ्क्त्ति ९४:
'''उत्तर कोरिया,''' आधिकारिक रूपसँ '''प्रजातान्त्रिक जनवादी गणतन्त्र कोरिया''' (हङ्गुल: 조선 민주주의 인민 공화국, हाञ्जा:朝鲜民主主义人民共和国) पूर्वी एसियामे कोरिया प्रायद्वीपक उत्तरमे बसल एक देश छी । देशक राजधानी आ सभसँ पैग शहर [[प्योङयाङ]] छी । कोरिया प्रायद्वीपक ३८अम समानान्तर पर बनाएल गेल [[कोरियाली सैन्यविहीन क्षेत्र]] उत्तर कोरिया आ [[दक्षिण कोरिया]]क बीच विभाजन रेखाक रूपमे काज करैत अछि । अमनोक नदी आ तुमेन नदी उत्तर कोरिया आ [[जनबादी गणतन्त्र चीन|चीन]]क बीच सीमाक निर्धारण करैत अछि, ओतय अति उत्तर-पूर्वी छोर पर तुमेन नदीक एक शाखा [[रूस]]क साथ सीमा बनबैत अछि ।
 
सन् १९१० मे, [[कोरिया साम्राज्य]] पर [[जापान]]द्वारा कब्जा करि लेल गेल छल । सन् १९४५ मे [[द्वितीय विश्व]] युद्धक अन्तमे जापानी आत्मसमर्पणक बाद, कोरियाकें [[संयुक्त राज्य]] आ [[सोभियत सङ्घ]]द्वारा दुई क्षेत्रसभमे विभाजित करि देल गेल, जतय एकर उत्तरी क्षेत्र पर सोभियत सङ्घ तथा दक्षिण क्षेत्र पर [[अमेरिका]]द्वारा कब्जा करि लेल गेल । एकर [[कोरियाली पुनर्मिलन|एकीकरण]] पर बातचीत विफल रहल, आ सन् १९४८ मे, दुनू क्षेत्रसभ पर अगल-बगल देश आ सरकार: उत्तरमे समाजवादी प्रजातान्त्रिक जनवादी कोरिया, आ दक्षिणमे पूंजीवादी गणतन्त्र कोरिया बनि गेल । दुनू देशक बीच एक [[कोरियाई युद्ध|युद्ध (१९५०-१९५३)]] सेहो भऽ गेल अछि । [[कोरियाली युद्धविधि समझौता]]सँ युद्धविराम तँ भेल, मुदा दुनू देशक बीच शान्ति समझौता पर हस्ताक्षर नै कएल गेल ।<ref>{{cite news|url=http://www.foxnews.com/story/0,2933,528320,00.html|title=गुरिल्ला वार क्षमताओं को बढ़ाता नार्थ कोरिया :यू.एस |agency=Associated Press|date=23 June 2009|publisher=FOX News Network, LLC|accessdate=4 July 2009}}</ref>
 
उत्तर कोरिया आधिकारिक तौर पर अपना आपकें आत्मनिर्भर [[समाजवाद|समाजवादी राज्य]]क रूपमे दर्शावैत अछि ।<ref>{{cite book|postscript=&nbsp;Amended and supplemented on 1 April, Juche 102 (2013), at the Seventh Session of the Twelfth Supreme People's Assembly. |title=Socialist Constitution of the Democratic People's Republic of Korea |url=http://www.naenara.com.kp/en/book/download.php?4+4047#.pdf |year=2014 |publisher=Foreign Languages Publishing House |location=Pyongyang |isbn=978-9946-0-1099-1 |page=1 |chapter=Preamble}}</ref> आ औपचारिक रूपसँ चुनाव सेहो कएल जाइत अछि । ओना तँ आलोचक एकरा [[तानाशाही|अधिनायकवादी तानाशाही]]कें रूप मानैत अछि, किया की एहि ठामक सत्ता पर किम इल-सुङ आ हुनकर परिवारक लोकसभक अधिपत्य अछि । बहुतेक अन्तर्राष्ट्रिय सङ्गठनसभक अनुसार उत्तर कोरियामे मानवाधिकार उल्लङ्घनक समकालीन दुनियामे कोनो समानान्तर नै अछि ।<ref>{{citation|title=Report of the Commission of Inquiry on Human Rights in the Democratic People's Republic of Korea, Chapter VII. Conclusions and recommendations|work=United Nations Office of the High Commissioner for Human Rights|date=17 February 2014|url=http://www.ohchr.org/Documents/HRBodies/HRCouncil/CoIDPRK/Report/A.HRC.25.CRP.1_ENG.doc|accessdate= 1 November 2014|page=346}}</ref><ref>{{cite web|title=Issues North Korea|work= Amnesty International UK|url=http://www.amnesty.org.uk/issues/North-Korea|accessdate= 1 November 2014}}</ref><ref>{{cite web|title=World Report 2014: North Korea|work= [[Human Rights Watch]]|url=https://www.hrw.org/world-report/2014/country-chapters/north-korea|accessdate= 1 November 2014}}</ref> सत्तारूढ़ परिवारक सदस्यसभक नेतृत्वमे कोरियाक श्रमिक पार्टी (डब्लुपिके), देशक सत्ता नियन्त्रित अछि आ दुनू देशक पुनर्मिलनक लेल डेमोक्रेटिक फ्रन्टक नेतृत्व करैत अछि जहिमे सम्पूर्ण राजनीतिक अधिकारीसभक सदस्य होनाए आवश्यकता होइत अछि ।<ref name="parlunion5">{{cite web|title=The Parliamentary System of the Democratic People's Republic of Korea | publisher= Association of Secretaries General of Parliaments (ASGP) of the [[Inter-Parliamentary Union]] | work=Constitutional and Parliamentary Information | url=http://www.asgp.info/Resources/Data/Documents/CJOZSZTEPVVOCWJVUPPZVWPAPUOFGF.pdf |format=PDF| accessdate=1 October 2010 |page=5|archiveurl=https://web.archive.org/web/20120303054935/http://www.asgp.info/Resources/Data/Documents/CJOZSZTEPVVOCWJVUPPZVWPAPUOFGF.pdf|archivedate=3 March 2012}}</ref>
 
राष्ट्रिय आत्मनिर्भरताक विचारधारा [[जुचे]], सन् १९७२ मे [[मार्क्सवादी-लेनिनवादी]]क रचनात्मक प्रयोगक रूपमे संविधानमे पेश कएल गेल छल । राज्यक उद्यमशील आ [[सामूहिक कृषि]]क माध्यमसँ कृषि उत्पादन पर राज्यकें स्वामित्व रहैत अछि । स्वास्थ्य सेवा, शिक्षा, आवास आ खाद्य उत्पादन जका अधिकांश मूल सेवासभ अनुवृत्ति होइत अछि या राज्य-वित्त पोषित होइत अछि । सन् १९९४ सँ सन् १९९८ धरि, उत्तर कोरियामे अकाल पड़ल छल, जकर परिणामस्वरूप ०.२४ सँ ३.५ मिलियन लोकसभक मौत भेल आ आबो खाद्य उत्पादनमे सङ्घर्ष करि रहल अछि ।<ref name="Pajamas Media">{{cite web|url=http://www.thenational.ae/featured-content/latest/un-north-koreas-policies-cause-the-nations-food-shortages |title=UN: North Korea's policies cause the nation's food shortages |publisher=Pajamas Media |date=23 October 2009 |accessdate=22 October 2011}}</ref> उत्तर कोरिया '''सोङ्गुन''' या '''सैन्य-प्रथम''' नीतिकें पालन करैत अछि ।<ref>H. Hodge (2003). [http://www.carlisle.army.mil/USAWC/Parameters/Articles/03spring/hodge.htm "North Korea’s Military Strategy"], ''Parameters'', U.S. Army War College Quarterly.</ref> १.२१ मिलियन रहल एकर सक्रिय सेना [[चीन]], [[अमेरिका]] आ [[भारत]]क बाद दुनियामे चारिम सभसँ पैग सेना अछि ।<ref name="bgn">{{cite web|url=http://www.state.gov/r/pa/ei/bgn/2792.htm |title=पृष्ठभूमि नोट: उत्तर कोरिया |accessdate=1 August 2007 |author=Bureau of East Asian and Pacific Affairs |date=April 2007 |work=[[United States Department of State]] |authorlink=Bureau of East Asian and Pacific Affairs}}</ref> नार्थ कोरिया एक परमाणु हथियार संपन्न देश हैं।.<ref name="economist-armied">{{cite news | url = http://www.economist.com/blogs/dailychart/2011/07/armed-forces | title = सशस्त्र बलों: पूरी तरह से सशस्त्र सेना | work = [[The Economist]] | date = 19 July 2011 | accessdate = 28 July 2011}}</ref><ref>{{cite book | url = http://csis.org/files/publication/110712_Cordesman_KoreaMilBalance_WEB.pdf | title = कोरियाई सैन्य बैलेंस | author = Anthony H. Cordesman | publisher = Center for Strategic & International Studies | date = 21 July 2011 | isbn = 978-0-89206-632-2 | accessdate = 28 July 2011 |page=156| quote = The DPRK has [[Nuclear weapon design|implosion fission]] weapons.}}</ref> उत्तर कोरिया अपना आपकें एक नास्तिक देश मानैत अछि एतय कोनो आधिकारिक धर्म नै अछि संगे सार्वजनिक रूपसँ धर्मकें नै मानल जाइत अछि ।
 
== इतिहास ==