"आन्ध्र महासागर" के अवतरणसभमे अन्तर

No edit summary
No edit summary
पङ्क्त्ति ११:
| shore = {{Convert|111866|km|abbr=on}}
}}
'''आन्ध्र महासागर''' या '''अटलांटिक महासागर''' विशाल जलराशिक नाम छी जे [[युरोप|यूरोप]] तथा [[अफ्रीका|अफ्रिका]] महादेशसभक नयाँ संसारक महादेशसभसँग पृथक करैतअछि । [[क्षेत्रफल]] आ विस्तारमे संसारक दोसर पैग महासागर छी जे [[पृथ्वी]] क १/५ क्षेत्र ओगटेने अछि । ई महासागरक नाम [[ग्रीक भाषा|ग्रीक]] संस्कृतिसँ लेने अछि जहिमे एकरा ''नक्शाक समुद्र'' सहो कहैत अछि । ई महासागरक आकार लगभग अङ्ग्रेजी अक्षर '''८''' क जहिना अछि । लम्बाईक अपेक्षा एकर चौडाई बहुत कम रहल अछि । [[आर्कटिक सागर]], जे बेरिङ्ग जलडमरूमध्यसँ [[उत्तरी ध्रुव]] होएत स्पिट्सबर्जेन आ [[ग्रीनल्याण्ड]]धरि फैलल अछि, मुख्यतः आन्ध्रमहासागरक अङ्ग छी । ई प्रकार उत्तरमे बेरिङ्ग जल-डमरूमध्यसँ लऽ दक्षिणमे कोट्सलैंडतक एकर लम्बाई १२,८१० माईल अछि । एकर क्षेत्रफल ई अन्तर्गतक समुद्रसभसहित ४,१०,८१,०४० वर्ग माईल अछि । ई अन्तर्गत समुद्रसभके छोइड एकर क्षेत्रफल ३,१८,१४,६४० वर्ग माईल अछि । ई एकटा विशाल महासागर छी जेकर अधीन विश्वक सबसँग पैग जलप्रवाह क्षेत्र रहल अछि । उत्तरी आन्द्रामहासागरक पृष्ठतलक लवणता अन्य समुद्रसभक तुलनामे पर्याप्त रहल अछि । एकर अधिकतम मात्रा ३.७ प्रतिशत अछि जे २०°- ३०° उत्तर अक्षांशसभक बिचमे विद्यमान अछि । ई महासागरक अन्य भागसभमे लवणता अपेक्षाकृत कम रहल अछि ।