"चितवन जिला" के अवतरणसभमे अन्तर

ट्याग: Wikipedia Zero edit
ट्याग: Wikipedia Zero edit
पङ्क्त्ति २३:
 
वर्तमान नेपालमे चितवन उपत्यकाक भू-भाग दुई अञ्चल नारायणी आ लुम्वीनी तथा तीन जिला चितवन,नवलपरासी तथा मकवानपुर नामक प्रशासनिक विभाजनमे पडल अछि। पूर्वक हेटौडासँ शुरू भऽ पश्चिम दाउन्ने पहाडक फेदी दुम्कीवास धरि तथा उत्तरमे माहाभारत आ दक्षिण चुरे धरि कतौ चौडा आ कतौ गल्ली जेहन होएत ई उपत्यका फैलल अछि। नारायणी नदी पश्चिमक भू-भाग लुम्बिनी अञ्चल तथा नवलपरासी जिला तथा नारायणी नदीक पूर्व दिशा चितवन जिला तथा सुदुर पूर्वी क्षेत्रमे मकवानपुर जिलाक रूपमे रहल अछि। अत्यन्त उब्जाव जमीन तथा पर्याप्त जलक्षेत्र रहल चितवन उपत्यकाक मुख्य केन्द्रीय चितवन जिलाक भू-भाग जङ्गल कटान करि २०१४ सालसँ मानव बसोवास क लेल खुल्ला कएल गेल अछि। चितवन उपत्यकामे मुख्य दुई नहर प्रणाली खगेरी आ नारायणी लिफ्ट सिंचाइ योजना वाहेक अन्य छोटका बड्का नहर तथा कुला प्रणालीसभ खेत बारी सिंचित करैक लेल उपयोग कएल जाइत अछि। कृषि उद्यममे उपत्यका अग्रणी मानल गेल।
 
 
 
 
नेपालक पूर्वपश्चिम जोडेए वाला महेन्द्र राजमार्गक पैग खण्ड (लगभग १४० कि.मी) ई उपत्यकाक हेटौडासँ दुम्कीवास धरि पडैत अछि। हाल चल्तीमे कम सेहो नेपालक पुरानमे उत्तर दक्षिण राजमार्ग त्रिभुवन राजपथ सँ उपत्यकाक पूर्वीक्षेत्र मे हेटौडासँ काठमाडौं धरि गेल अछि। सेहो उपत्यकासँ काठमाडौं आ पोखरा उपत्यका आ देशक जङ्गल क्षेत्र जोडल आ अत्यन्त चल्तीक नारयणगढ मुग्लिङ सडक सेहो रहल अछि। साथमे [[भरतपुर (नारायणी)|भरतपुर]] रामपुर भरतपुर माडी सडकक भरतपुर पटीहानी खण्ड हेटौडा हर्नामाडी टांडी (रत्ननगर) सौराह लगायतक साहायक मार्ग पक्की सेहो रहल अछि । ओहिना [[भरतपुर (नारायणी)|भरतपुर]] [[हेटौंडा नगरपालिक|हेटौडा]] आ रत्ननगर नगरपालिका भितरक शहरी सडक सञ्जालक पैग हिस्सा पक्कीसभ सेहो रहल अछि । ओकर बाद कावसती पहाड क्षेत्र सडक भरतपुर शक्तिखोर [[उपरदांग गढी]] सहायक सडक मार्ग टाडी विरेन्द्रनगर शक्तिखोर सडक भरतपुर मेघोली सडकक छोटका खण्ड हेटौडा फापरवारी सडक कान्ती राजपथ लगायत पैग कच्ची सडक मार्ग उपत्यक अन्य क्षेत्रसँ जोडल गेल अछि।
 
==सन्दर्भ सामग्रीसभ==
प्राप्ति स्थल "https://mai.wikipedia.org/wiki/चितवन_जिला"