"चितवन जिला" के अवतरणसभमे अन्तर

ट्याग: Wikipedia Zero edit
ट्याग: Wikipedia Zero edit
पङ्क्त्ति २०:
 
==राप्ती उपत्यका==
नेपालक मध्य भागमे पडैवाला चितवन उपत्यकाक नारायणी पूर्वी राप्ती उपत्यका सेहो कहल जाइत अछि। पूर्वमे मकवानपुर जिलाक हेटौडा सँ पश्चिममे दाउन्ने पहाड तथा दक्षीणमा माडी उपत्यका बेरावे वाला चुरे श्रृङखला धरि फैलल ई उपत्यका नेपालक केन्द्र भागमे पडैत अछि। दुई मुख्य नदीसभ नरायणी उत्तरसँ पश्चिम तर्फ बहैत अछि तँ राप्ती पूर्वसँ मध्यभाग होएत पश्चिम पुगि नारायणीमे मिलैत अछि। ई दुई प्रमुख नदी बाहेक उपत्यकाक पूर्वमे लोथर आ मनहरी खोलासभ प्रवाहीत भऽ राप्ती नदीमे मिलल अछि। ओहिना मध्य भागमे बुढी राप्ती खगेरी आदी खोलासभ प्रवाहीत होएत राप्ती नदीमे मिलल अछि। ओहिना पश्चिम क्षेत्रमे केरूङगा खोला राप्तीमे मिलल अछि तँ भरतपुर नगर क्षेत्रक जङ्गलसँ निकैल नारायणगढ बजार होएत पुङगी खोला नारायणी नदीमे मिलल अछि। जुगेडी खोला लब्धीखोला लगायतक आओर खोला सेहो नारायणी नदीमे मिलल अछि। ओहिना नारायणी नदी दोसर बागलक क्षेत्रमे बेसी नदी खोला चितवन उपत्यकामे रहल अछि। बढिया जल प्रवाह भेल विनयी खोला,अरूण खोला,गीरवारी खोला साथे छोटका खोला जयश्री,झरे,बहुलाह, ज्यामीरे लगायत सेहो पश्चिमसँ पूर्व बगी नारायणी नदीमे मिलैत अछि। चितवन उपत्यकामे नन्द भाउज, [[बीस हजारी ताल]] लगायतक छोट-बड बहुतरास ताल तथा पोखरी समेत रहल अछि। एतय बीस हजारी ताल विश्व प्रसिध्द सिमसार क्षेत्र समेत छी। बड्का भू-भाग जङ्गले-जङ्गलसँ झपाएल, चितवन उपत्यका जैविक विविधतामे धनी मानल गेल अछि। चितवन राष्ट्रिय निकुन्जक मुख्य संरक्षित क्षेत्र समेत एही उपत्यकामे रहल चितवन काठमाडौं आ पोखराक बाद नेपालक तेसर पैग पर्यटक गन्तव्य छी।
 
वर्तमान नेपालमे चितवन उपत्यकाक भू-भाग दुई अञ्चल नारायणी आ लुम्वीनी तथा तीन जिला चितवन,नवलपरासी तथा मकवानपुर नामक प्रशासनिक विभाजनमे पडल अछि। पूर्वक हेटौडासँ शुरू भऽ पश्चिम दाउन्ने पहाडक फेदी दुम्कीवास धरि तथा उत्तरमे माहाभारत आ दक्षिण चुरे धरि कतौ चौडा आ कतौ गल्ली जेहन होएत ई उपत्यका फैलल अछि। नारायणी नदी पश्चिमक भू-भाग लुम्बिनी अञ्चल तथा नवलपरासी जिला तथा नारायणी नदीक पूर्व दिशा चितवन जिला तथा सुदुर पूर्वी क्षेत्रमे मकवानपुर जिलाक रूपमे रहल अछि। अत्यन्त उब्जाव जमीन तथा पर्याप्त जलक्षेत्र रहल चितवन उपत्यकाक मुख्य केन्द्रीय चितवन जिलाक भू-भाग जङ्गल कटान करि २०१४ सालसँ मानव बसोवास क लेल खुल्ला कएल गेल अछि। चितवन उपत्यकामे मुख्य दुई नहर प्रणाली खगेरी आ नारायणी लिफ्ट सिंचाइ योजना वाहेक अन्य छोटका बड्का नहर तथा कुला प्रणालीसभ खेत बारी सिंचित करैक लेल उपयोग कएल जाइत अछि। कृषि उद्यममे उपत्यका अग्रणी मानल गेल।
 
==सन्दर्भ सामग्रीसभ==
प्राप्ति स्थल "https://mai.wikipedia.org/wiki/चितवन_जिला"