"धनुषा जिला" के अवतरणसभमे अन्तर

ट्याग: Wikipedia Zero edit
ट्याग: Wikipedia Zero edit
पङ्क्त्ति २८:
 
== इतिहास ==
धनुषा जिलाक धार्मिक सांस्कृतिक भौगालिक आर्थिक तथा सामाजिक व्यवस्था मानव सभ्यताक हरेक युग कालसँ प्रभावित भऽ परिष्कृत होएत आएल पवैत अछि । [[भारत]]मे रहल [[अयोध्या]]क राजकुमार रामचन्द्रसंग जानकीक विवाह पश्चात ई क्षेत्रक गरिमा अखनो उत्कर्षमे पहुँचल पवैत अछि । धनुषा जिलाक हालक स्वरूप [[कोशी नदी|कोशी]] सँ [[गण्डकी नदी|गण्डकी]] आ गङ्गासँ हिमालयधरि फैलल बृहत [[मिथिला]] प्रदेशक युगान्तमे कम होएत गेल छोट स्वरूप ही अछि कहिक कएल गेल अछि। किम्बदन्ती अनुसार पूर्व वैदिक युगमे मानव विहीन रहल ई क्षेत्रक अन्वेषण माथव विदेध केनए छल । मुखमे अग्नी लऽ ई वनसँ झांपल गेल अनकन्टार प्रदेशमे आवैत काल हुनकर मुखमे रहल अग्नी बाहर आवि सम्पूर्ण वनक विनाश भेलाक पश्चात एतय मानव बसोवास शुरु भेल छल । त्रेतायुगमे राजा जनकक विद्वता आ जानकीक धार्मिक सम्लग्नताक कारण ई क्षेत्र दूर-दूरधरि प्रख्यात भेल पवैत अछि।
 
सत्रम् शताब्दीक शुरुमे भारतसँ महात्मा सुरदासक आगमन पश्चात ई क्षेत्रक इतिहासमे सफा होएत गेल देखल गेल जाइत अछि । किम्बदन्ती अनुसार जानकीक जन्मस्थानक खोजीमे महात्मा सुरदास घुमैत काल एकदिन राति सपनामे जानकी स्वयम् प्रकट भऽ सुरदासक ओ स्थान देखेने छल । ओही बखत सुरदास ओ स्थानमे खन्ती गाडि चिन्ह लगाकऽ जानकीक प्रतिस्थापित कएने छल। राज्यसभक उदय विलय क्रमसँगे ई प्रदेशक शासक भौगोलिक सीमा परिवर्तन होएत गेल। नेपाल एकीकरण होएसँ पहिने ई प्रदेश मकवानपुर राज्यक अधीनमे छल। मकवानपुरक राजा मानिक सेन [[जानकी मन्दिर]]क लेल १४०० बिघा जमीन उपलब्ध कएने छल। वि.सं. १८८२ मे [[अमरसिंह थापा]] प्यागोडा शैलीमे राममन्दिरक निर्माण कएने छल तँ वि.सं. १९५०मे टिकमगढकी महारानी वृषभानु देवी ९ लाख रूपैयाँ लगाक हालक भव्य मुगलकालीन शैली झलकेवाला जानकी मन्दिर निर्माण करेने छल। हालक धनुषा जिला धार्मिक ऐतिहासिक मिथिला प्रदेशक छोट भू-भाग ओगटने होएतो ई जिला ई प्रदेशक बीचक रूपमे रहल पवैत अछि।
 
== भौगोलिक अवस्थिति ==
प्राप्ति स्थल "https://mai.wikipedia.org/wiki/धनुषा_जिला"