"खोटाङ जिला" के अवतरणसभमे अन्तर

पङ्क्त्ति २७:
एकिकरण करि बृहत नेपाल बनावेसँ पूर्व, दुधकोशी सँ अरुण धरिक किराँतीसभक बस्ती भेल माझकिराँत वा खम्वुवान क्षेत्रक नामसँ प्रसिद्ध छल। ई भू-भागक मुख्य प्रशासन चौदण्डीगढीक सेनवंशी राजाद्वारा सञ्चालित छल तहिना पहाडक छोट- छोट गढी आ थुमसभमे किराँती राजासभ राज्य करैत छल। चौदण्डीगढीक सेन राजाक ही शासनकालमे खोटाङ्गमे राईक स्वशासन देनए छल। विभिन्न समयमे किराँती राजा आ सेन राजाक बीच मतभेद आ कलह होमएत छल। एकर फाइदा उठा [[पृथ्वीनारायण शाह]] नेपालक एकिकरणक पहिनुक समयमे ई क्षेत्र उपर विजय केनए छल। राणाकालिन समयमे नेपालक ३५ जिलामे विभाजन कएल गेल छल।
 
ई समयमे हालक खोटाङक बीच भागमे पडैवाला साप्सु खोलाक सिमाना बना पूर्व ३ नम्वर आ पूर्व ४ नम्वर क्षेत्रक ओखलढुङ्गा आ भोजपुर गौडा शासन करैत छल। स्थानीय तहमे मझुवा, आमचोक, खोटाङ्ग, छुलुवार, सावा, दिप्लुङ, चुइचुम्मा, रतन्छा, खाम्तेल, हलेशी आ रावाथुम प्रशासनिक एकाई कायम छल। विशाल क्षेत्र होमएसँ साप्सु दक्षिणमे खोटाङ्ग इलाका अदालत आ ऐशेलुखर्क इलाका अदालत स्थापना करि न्याय प्रशासनक अतिरिक्त जग्गा रजिस्ट्रेशन करैके काम सेहो करैके सुरु भेल।
 
==जिला कऽ नामाकरण==
प्राप्ति स्थल "https://mai.wikipedia.org/wiki/खोटाङ_जिला"