"विशाखपट्नम" के अवतरणसभमे अन्तर

विशाखपट्नम
 
No edit summary
पङ्क्त्ति ६६:
}}
 
'''विशाखपट्नम''' (उपनाम '''भाइज्याग''') [[भारत]]क राज्य [[आन्ध्र प्रदेश]]क सबसँ पैग आ सबसँ बेसी जनसङ्ख्या भेल शहर छी । ई [[बङ्गालक खाडी]]क तटमे अवस्थित अछि । ई [[विशाखपट्नम जिल्लाजिला]]क मुख्यालय शहर आ आन्ध्र प्रदेशक '''आर्थिक राजधानी''' छी ।<ref>{{cite news|title=Administration-AP-Financial Capital|url=http://www.uniindia.com/news/other/administration-ap-financial-capital/45016.html |accessdate=13 August 2015|date=29 April 2015|location=Visakhapatnam}}</ref> सन् २०११ क भारतक जनगणना अनुसार, ई शहरक जनसङ्ख्या २०,३५,९२२ रहल अछि जे एकरा भारतक सबसँ बेसी जनसङ्ख्या भेल १४अम क्रमक शहर बनेनाए अछि ।<ref name="civicbody" /> [[विशाखपट्नम महानगरीय क्षेत्र]] भारतक महानगरीय क्षेत्रसभक आधारमे ९अम क्रममे रहल अछि जकर जनसङ्ख्या ५३,४०,००० रहल अछि ।<ref>{{cite web|url = http://www.vuda.gov.in/pdf/rfp%20for%20area%20development%20plans%2017-9-2015%20FINAL.pdf|title = Key Facts Of VMR www.vuda.gov.in|date = |access-date = 17 February 2016|website = |publisher = |last = |first = }}</ref>
 
ई एक प्राकृतिक तथा सुरक्षित समुद्री बन्दरगाह छी । कृषि तथा खनिज सम्पत्तिमे समृद्ध [[आन्ध्र प्रदेश]], [[मध्य प्रदेश]] आ [[उडिसा]] राज्य एहि बन्दरगाहक पृष्ठ प्रदेश कहल जाइत अछि । ई एक उल्लेखनीय मत्स्य-शिकार केन्द्र सेहो छी । विशाखपट्नम आन्ध्र प्रदेशक उत्तरी सरकारी तटमे गोदावरी नदीक मुखक उत्तरमे अवस्थित अछि । विशाखपट्नमके भाइज्यागक नामसँ सेहो चिनहल जाइत अछि । विशाखपट्नम भारतक चारिम पैग बन्दरगाह छी । ई भारतीय नौसेनाक पूर्वी कमाण्डक केन्द्र छी ।