[lower-alpha १]

२.० (एन्थीरान २)
निर्देशकएस शंकर
निर्माताए. सुभाषकरण
बृत्तान्त वर्णनएस शंकर
पटकथाएस शंकर
संवादबी. जयमोहन
मदन कार्की
एस शंकर
कलाकार
सङ्गीतकारए.आर. रहमान
छायाँकनकर्तानिरभ शाह
सम्पादनकर्ताएन्थोनी
निर्माण
कम्पनी
द्वारा वितरित
प्रदर्शित तिथि
  • २९ नवम्बर २०१८ (२०१८-११-२९)[२]
समयाविधि
१४७ मिनट [३]
देशभारत
भाषातमिल
बजेट४००–६०० करोड

२.० सन् २०१८ केरऽ एकटा भारतीय तमिल भाषाक थ्रीडि साइन्स-फिक्सन एक्शन फिल्म छि, जे एस. शंकरद्वारा निर्देशित अछि, जाहिमे बी. जयमोहन आ मदन कार्की सह-लेखन केने छल - लाइका प्रोडक्सन्स केरऽ ब्यानरक नीचा सुभाषकरणद्वारा निर्मित । एन्थिरन (रोबोट) फिल्म श्रृंखलाक दोसर संस्करणक रूपमे, २.०, एन्थिरन (२०१०)क एकटा स्टयान्डअलोन सीक्वल छि, स्टयान्डअलोन मतलब जेकर सरोकार अन्य बाँकी कुनु फिल्मसँ नै होए आ जेकर सिक्वल सेहो बनत कि नाई ओकर सेहो कुनु निश्चित नै भेल । जाहिमे रजनीकान्त वसीगरन आ चिट्टी द रोबोटक भूमिका केरऽ दोहरेने अछि, साथे-साथ अक्षय कुमार पक्षी राजन आ एमी ज्याक्सन नीला केरऽ भूमिका निर्वाह केने अछि। ई छोडि, सुधान्शु पाण्डे, आदिल हुसैन, कलाभवन शाजान आ के. गणेश सहायक भूमिकामे दिखाई दैत अछि। साउन्ड ट्रयाक ए. आर. रहमानद्वारा रचित यऽ, गीत मदन कार्की आ ना.मुथुकुमारद्वारा लिखल् गेल अछि। फिल्म चिट्टी, जे कि एकटा ह्यूमनोइड रोबोट छि ओ एक बेरि नष्ट भऽ जाइत् अछि आ पूर्व पक्षी विज्ञानी पक्षी राजनक बीच संघर्षक ऊपर आधारित अछि, जे पक्षीसभक संख्यामे आबऽ वला कमीकें रोकवाक लेल सेल फोन (मोबाइल फोन) उपयोगकर्तासभसँ प्रतिशोध लेबाक चाहैत अछि।

४०० सँ ६०० करोडक अनुमानित बजेटद्वारा निर्मित, २.० अपन रिलीजक समयकें सभसँ महग भारतीय फिल्म छि आ एखन धरि केरऽ सभसँ महग फिल्मसभमे सँऽ एक छि। ऐ फिल्मक उत्पादन सन् २०१५ केरऽ अन्तिममे एभीएम स्टूडियोमे मुख्य फोटोग्राफीक साथ मे शुरू भेल। पहिला शेड्यूल ईभीपी वर्ल्डमे फिल्माओल गेल छल। दृश्य मुख्य रूपसँ भारतमे फिल्माओल गेल, विशेष करि चेन्नई कें मद्रास बोट क्लब आ दिल्ली के जवाहरलाल नेहरू स्टेडियममे। फिल्मांकन सन् २०१७ अगस्त धरि पूरा भऽ गेल छल। ई फिल्म भारतीय सिनेमाक पहिल फिल्म अछि जेकरा मूल रूप सँ थ्रीडिमे शूट कएल गेल छल, जे शुट सिनेम्याटोग्राफर नीरभ शाह केनए छल। फिल्मकें मुख्य रूपसँ तमिल भाषामे शूट कएल गेल छल जखन कि अक्षय कुमार आ किछ अभिनेतासभक संवाद हिन्दी भाषामे शूट कएल गेल छल। एहि फिल्म मार्फत भी. श्रीनिवास मोहन, दृश्य प्रभावसभक साथ कृत्रिम मेकअप आ एनिमेट्रोनिक्सक निर्माणमे अपन वापसी केने छल। सम्पादन एन्थोनीद्वारा सम्हारल गेल छल आ प्रोडक्सन् डिजाइन टी. मुथुराजद्वारा संचालित कएल गेल छल।

२.० केरऽ ३० नवम्बर सन् २०१८ मे एकर हिन्दी आ तेलुगु डब संस्करण के साथ थ्रीडी आ पारम्परिक सिनेम्याटोग्राफी दुनु प्रारूपमे दुनिया भरिमे रिलीज कएल गेल छल। एकरा अधिकांश सकारात्मक समीक्षा मिलल्, जाहिमे फिल्म केरऽ एकदम नवीन कहानी, निर्देशन, रजनीकान्तअक्षय कुमारक प्रदर्शन, दृश्य प्रभाव, एक्शन अनुक्रम, साउन्डट्रयाक आ सामाजिक सन्देशक प्रशंसा कएल गेल, मुद्दा पटकथाकें किछ आलोचना सेहो मिलल्। फिल्म ६१५.७४ सँ ८०० करोड भारतीय रुपैयाँ केरऽ कमाई केलक आ वर्तमानमे ई भारतमे ७म् सभसँ बेसी कमाई करऽ वला फिल्म, १०म् सभसँ बेसी कमाई करऽ वला भारतीय फिल्म आ दोसर सभसँ बेसी कमाई करऽ वला तमिल फिल्म छि। ई फिल्म केरऽ अपन वैज्ञानिक सामग्रीक कारण नेपालमे स्कूलक छात्र-छात्रासभक लेल प्रदर्शित कएल गेल छल।


फिल्म केरऽ प्लोट सम्पादन करी

कास्ट सदस्यसभ सम्पादन करी

पुरस्कारसभ सम्पादन करी

वर्ष पुरस्कार श्रेणी प्राप्तकर्तासभ आ नामांकित भेल सभ परिणाम टिप्पणीसभ
२०१८ आनन्द विकटन सिनेमा पुरस्कार सर्वश्रेष्ठ सिनेम्याटोग्राफर नीरभ शाह विजयी [१९]
सर्वश्रेष्ठ मेकअप आर्टिस्ट बानु
ए.आर. अब्दुल रज्जाक
लिगेसी इफेक्टस
विजयी
सर्वश्रेष्ठ एनिमेसन एण्ड भीजुअल इफेक्टस भी. श्रीनिवन मोहन
शंकर
विजयी
तल अफ दी टाउन २.० विजयी
२०१९ एसियन फिल्म अवार्ड्स सर्वश्रेष्ठ भीजुअल इफेक्ट्स भी श्रीनिवास मोहन नामाङ्कित [कृपया उद्धरण जोड़ी]
सर्वश्रेष्ठ साउण्ड रेसुल पूकूटी नामाङ्कित
२०१९ ६४अम् फिल्मफेयर अवार्ड्स दक्षिण सर्वश्रेष्ठ सहायक अभिनेता का फ़िल्मफ़ेयर पुरस्कार - तमिल अक्षय कुमार नामाङ्कित [कृपया उद्धरण जोड़ी]





सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "2.0: Rajinikanth, Akshay Kumar film's Hindi version bought by AA Films for Rs 80 crore?"The Indian Express (Indian Englishमे)। New Delhi। 14 June 2017। अन्तिम पहुँच 27 November 2017
  2. "Rajinikanth and Akshay Kumar starrer 2.0 to hit screens on November 29, 2018"Indian Express। 11 July 2018। अन्तिम पहुँच 7 November 2018
  3. "2.0 | British Board of Film Classification"Bbfc.co.uk। अन्तिम पहुँच 22 November 2018
  4. "Shankar reveals budget of Rajinikanth's 2.0 and it will blow your mind"India Today। 23 November 2018।
  5. "Rajinikanth on Shankar's 2.0: Started film with a budget of Rs 300 cr but investment has now doubled"Firstpost। 4 November 2018।
  6. "REVEALED: The Real Budget of the Rajinikanth – Akshay Kumar starrer 2.0"Bollywood Hungama। 26 October 2018। अन्तिम पहुँच 3 March 2023
  7. "Rajinikanth And Akshay Kumar's 2.0 Has Reportedly Recovered Rs 370 Crore Out Of 500 Already"NDTV.com। 23 November 2018। अन्तिम पहुँच 2 March 2023
  8. "'2.0' teaser: Flying phones, giant crow & Chitti; Rajini-Akshay film is high on tech"WION (अमेरिकी अंग्रेज़ीमे)। अन्तिम पहुँच 2 March 2023
  9. "'2.0' box office collection update: The S. Shankar directorial starring Rajinikanth finishes a little under Rs 186 crore"The Times of India। अन्तिम पहुँच 3 March 2023The S. Shankar directorial is also touted as the most expensive Indian film ever made, with a budget of over Rs 500 crore.
  10. "'Darbar' to 'Kabali': Reported budget of the last five films of Superstar Rajinikanth"The Times of India। 3 November 2020। अन्तिम पहुँच 13 October 2022'2.0' was made on a budget of Rs 570 crore, and the film was simultaneously made in 2D and 3D.
  11. "'2.0' Has Already Recovered Almost All Of Its 530 Crore Budget Even Before Its Release"MensXP। 24 November 2018।
  12. "Making of 2.0: Rajinikanth-Akshay Kumar starrer promises to be a modern-day epic"The Indian Express। 2 October 2018। अन्तिम पहुँच 19 October 2022
  13. "'2.0' strikes gold at box-office, grosses over Rs 500 crore in 1 week"The News Minute। 6 December 2018। अन्तिम पहुँच 19 October 2022
  14. "Rajinikanth and Akshay Kumar's 2.0 has earned Rs 490 crores already"Filmfare। अन्तिम पहुँच 20 October 2022
  15. "Rajinikanth and Akshay Kumar's 2.0: Makers spend over Rs 543 crore on VFX!"Zee News। अन्तिम पहुँच 20 October 2022
  16. "VFX work in 2.0 starring Rajinikanth and Akshay Kumar cost Rs 550 crore?"India Today
  17. "2.0 Box Office Collection: Rajinikanth, Akshay Kumar film makes a mark in US; earns Rs 24 crore in 4 days"Business Today। 3 December 2018।
  18. Upadhyaya, Prakash (7 March 2019)। "Kamal Haasan's Indian 2 finally shelved due to budget issues?"International Business Times, India Edition। अन्तिम पहुँच 8 August 2019
  19. "ஆனந்த விகடன் சினிமா விருதுகள் 2018 – திறமைக்கு மரியாதை"www.vikatan.com


बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी


सन्दर्भ त्रुटि: "lower-alpha" नामक सन्दर्भ-समूह के लिए <ref> टैग मौजूद हैं, परन्तु समूह के लिए कोई <references group="lower-alpha"/> टैग नहीं मिला। यह भी संभव है कि कोई समाप्ति </ref> टैग गायब है।