शिक्षण-कार्यक प्रक्रियाक विधिवत अध्ययनकें शिक्षाशास्त्र या शिक्षणशास्त्र (अङ्ग्रेजी: Pedagogy; /ˈpɛdəˌɡɒi/) कहल जाएत अछि । एहिमे अध्यापनक शैली या नीतिसभक अध्ययन कएल जाएत अछि । शिक्षक अध्यापन कार्य करैत अछि तँ ओ ई बातक ध्यान रखैत अछि की अधिगमकर्ताक अधिक सँ अधिक समझमे अबै ।

दक्षिण भारतक एक गाममे शिक्षण

शिक्षा एक सजीव गतिशील प्रक्रिया छी । एहिमे अध्यापक आ शिक्षार्थीक मध्य अन्त:क्रिया होएत रहैत अछि आ सम्पूर्ण अन्त:क्रिया कोनो लक्ष्यक दिस उन्मुख होएत अछि । शिक्षक आ शिक्षार्थी शिक्षाशास्त्रक आधार पर एक दोसरक व्यक्तित्व सँ लाभान्वित आ प्रभावित होएत अछि आ एकर प्रभाव कोनो विशिष्‍ट दिशाक दिस स्पष्ट रूप सँ अभिमुख होएत अछि । गतिशील समयक सङ्गे सम्पूर्ण शिक्षा-चक्र गतिशील अछि । ओकर गति कोन दिशामे भऽ रहल अछि? के प्रभावित भऽ रहल अछि? एकर दिशाक लक्ष्य निर्धारण शिक्षाशास्त्र करैत अछि ।

शिक्षण शुत्र सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी