धनप्राप्ति कऽ उद्देश्यसँ वस्तुसभक क्रय-विक्रय केनाए वाणिज्य (कमर्स) छी ।[१] कमर्स (अङ्ग्रेजी: Commerce) शब्दक उत्पति ल्याटिन भाषा कमर्सियमसँ भेल अछि ।[२] वाणिज्य अर्थात कोनो उत्पादन या व्यवसाय कऽ ओ भाग जे उत्पादित वस्तुसभ आ सेवासभक ओकर उत्पादकसभ आ उपभोक्तासभक बीच विनिमयसँ सम्बन्ध रखैत अछि । वाणिज्य कऽ अन्तर्गत कोनो आर्थिक महत्वक वस्तु, जेना सामान, सेवा, सूचना वा धन कऽ दुई वा दुई व्यक्ति या संस्थासभक बीच सौदा कएल जाइत अछि । वाणिज्य पूंजीवादी अर्थव्यवस्था आ किछ अन्य अर्थव्यवस्थासभक मुख्य वाहक छी ।[३]

विश्वमे प्रत्येक व्यक्तिसभक किछ आवश्यकता होइत अछि । ओकरा प्राप्त करवाक लेल ओ आवश्यक वस्तुसभ प्राप्त करवाक प्रयत्न करैत अछि । एहिमे सँ किछ वस्तुसभ तँ ओ स्वयं बनाए लेत अछि आ अधिकांश वस्तुसभ ओकरा बाजारसँ मोल खरीद करैत अछि । वस्तुसभक प्राप्त करवाक लेल ओकरा धनक आवश्यकता होइत अछि आ ई धन प्राप्त करवाक लेल या तँ ओ दोसर ककरो सेवा करैत अछि अथवा एहन वस्तुसभ तैयार करैत अछि या क्रय-विक्रय करैत अछि जे दोसर ककरो लेल उपयोगी होए । वस्तुसभक रूप परिवर्तित करि ओकरा अधिक उपयोगी बनबैक कार्य उद्योग मानल जाइत अछि । वाणिज्यमे ओ सब कार्य सम्मिलित रहैत अछि जे वस्तुसभक क्रय-विक्रयमे सफलता प्राप्त करवाक लेल आवश्यक अछि । जे व्यक्ति वाणिज्य सम्बन्धी कोनो कार्य करैत अछि तँ ओकरा वणिक कहल जाइत अछि ।

इतिहास सम्पादन करी

अन्तर्राष्ट्रिय वाणिज्यक आरम्भ १५,००० वर्ष पहिने सँ भऽ रहल अछि ।[४]

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "commerce"। Oxford University Press। मूलसँ 2016-02-24 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2017-08-26 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  2. Commerce”Encyclopædia Britannica (11th) 6। (1911)। Cambridge University Press।
  3. Hans Biedermann, James Hulbert (trans.), Dictionary of Symbolism - Cultural Icons and the Meanings behind Them, p. 54.
  4. Watson, Peter (2005). Ideas : A History of Thought and Invention from Fire to Freud. HarperCollins. आइएसबिएन 0-06-621064-X.  Introduction......./

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी