लालबहादुर शास्त्री

लालबहादुर शास्त्री (जन्म: २ अक्टुबर १९०४ मुगलसराय - मृत्यु: ११ जनवरी १९६६ तासकन्द), भारतक दोसर प्रधानमन्त्री छल । ओ ९ जुन १९६४ सँ ११ जनवरी १९६६ धरि लगभग अठारह महिना भारतक प्रधानमन्त्री रहल । ई प्रमुख पद पर हुनकर कार्यकाल अद्वितीय रहल ।

लालबहादुर शास्त्री
भारतक दोसर प्रधानमन्त्री
राष्ट्रपतिसर्वपल्ली राधाकृष्णन
पूर्वाधिकारीजवाहरलाल नेहरू
उतराधिकारीगुलजारीलाल नन्दा (कार्यवाहक)
व्यक्तिगत जानकारी
जन्म (१९०४-१०-०२)२ अक्टुबर १९०४
मुगलसराय, ब्रिटिश भारत
मृत्यु ११ जनवरी १९६६(१९६६-०१-११) (६१ वर्ष)
तासकन्द, सोभियत सङ्घ
राजनीतिक दल भारतीय राष्ट्रिय काङ्ग्रेस
जीवनसाथी ललिता शास्त्री
व्यावसायिक पेशा राजनेता, स्वतन्त्रता सेनानी
धर्म हिन्दू धर्म

भारतक स्वतन्त्रताक पश्चात शास्त्रीजी उत्तर प्रदेशक संसदीय सचिवक रूपमे नियुक्त कएल गेल छल । गोविन्द बल्लभ पन्तक मन्त्रिमण्डलमे हुनका पुलिस आ परिवहन मन्त्रालय सौंपल गेल छल । परिवहन मन्त्रीक कार्यकालमे ओ प्रथम बेर महिला संवाहकसभ (कन्डक्टर्स)क नियुक्ति केनए छल । पुलिस मन्त्री होमएक बाद ओ भीड नियन्त्रणमे राखैक लेल लाठीक स्थान पानिक बौछारक प्रयोग प्रारम्भ करौलक । सन् १९५१ मे, जवाहरलाल नेहरूक नेतृत्वमे ओ अखिल भारत काङ्ग्रेस कमेटीक महासचिव नियुक्त कएल गेल । ओ सन् १९५२, १९५७ व १९६२ क चुनावसभमे काङ्ग्रेस पार्टीक भारी बहुमत सँ जिताबैक लेल बहुत परिश्रम केनए छल ।

जवाहरलाल नेहरूके कार्यकालक दौरान सन् २७ मई, १९६४ को देहावसान भेलाक बाद साफ सुथरी छविक कारण शास्त्रीजीके सन् १९६४ मे देशक प्रधानमन्त्री बनाएल गेल । ओ ९ जुन १९६४ क दिन भारतक प्रधानमन्त्रीक पद भार ग्रहण केनए छल ।

हुनकर शासनकालमे सन् १९६५ क भारत पाक युद्ध शुरू भेल छल । अहि सँ तीन वर्ष पूर्व चीनक युद्ध भारत हारि चुकल छल । शास्त्रीजी अप्रत्याशित रूप सँ भेल ई युद्धमे नेहरूक मुकाबलामे राष्ट्रके उत्तम नेतृत्व प्रदान केलक आ पाकिस्तानके करारी शिकस्त देबएमे सफल रहल ।

तासकन्दमे पाकिस्तानक राष्ट्रपति अयुब खानक संग युद्ध समाप्त करेवाक समझौता पर हस्ताक्षर करैक बाद ११ जनवरी १९६६ क रातिमे हुनकर रहस्यमय परिस्थितिमे मृत्यु भऽ गेल ।

हुनकर सादगी, देशभक्ति आ ईमानदारीक लेल मरणोपरान्त भारत रत्न सँ सम्मानित कएल गेल ।

संक्षिप्त जीवनी सम्पादन करी

लालबहादुर शास्त्रीक जन्म सन् १९०४ मे मुगलसराय (उत्तर प्रदेश) मे मुन्शी शारदा प्रसाद श्रीवास्तवक घर भेल छल । हुनकर पिता प्राथमिक विद्यालयमे शिक्षक छल अत: सब हुनका मुन्शीजी कहैत छल ।[१]

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "Lal Bahadur Shastri: The Fatherless Child"। अन्तिम पहुँच 13 मार्च 2007

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी