योगी आदित्यनाथ (जन्म नाम: अजय सिंह बिष्ट, जन्म ५ जुन १९७२) गोरखपुरक प्रसिद्ध गोरखनाथ मन्दिरक महन्त[१] तथा राजनेता छी जे १९ मार्च २०१७क उत्तर प्रदेशक मुख्यमन्त्री बनल।[२] ओ सन् १९९८ सँ लगातार भारतीय जनता पार्टीक टिकट पर गोरखपुर लोकसभा क्षेत्रक प्रतिनिधित्व करि रहल अछि[३]२०१४ लोकसभा चुनावमे अही ठामसँ सांसद चुनल गेल छलाह । आदित्यनाथ गोरखनाथ मन्दिरक पूर्व महन्त अवैद्यनाथक उत्तराधिकारी छी । ओ हिन्दू युवा वाहिनीक संस्थापक सेहो छी, जे हिन्दू युवासभक सामाजिक, सांस्कृतिक आ राष्ट्रवादी समूह छी । हिनकर छवी एक कट्टर हिन्दू नेताक अछि ।[२]

योगी आदित्यनाथ
Yogi Adityanath
योगी आदित्यनाथ
उत्तर प्रदेशक मुख्यमन्त्री
पूर्वाधिकारीअखिलेश यादव
निर्वाचन क्षेत्रगोरखपुर
कार्यकाल
१९ मार्च २०१७
व्यैक्तिक विवरण
जन्म (१९७२-०६-०५) ५ जुन १९७२ (उमर ५१)
पञ्चुड़, पौड़ी गढ़वाल, उत्तराखण्ड
राष्ट्रियताभारतीय
राजनैतिक दलभारतीय जनता पार्टी
निवास(s)गोरखनाथ मठ, गोरखपुर
वेबसाइटyogiadityanath.in

प्रारम्भिक जीवनी सम्पादन करी

५ जून १९७२ कऽ उत्तराखण्ड (तखनक उत्तर प्रदेश; उत्तर प्रदेशक विभाजन देखी)क पौड़ी गढ़वाल जिला स्थित यमकेश्वर तहसीलक पञ्चुड़ गामक गढ़वाली राजपूत परिवारमे योगी आदित्यनाथक जन्म भेल ।[४] हिनकर पिताक नाम आनन्द सिंह बिष्ट छी जे फरेस्ट रेञ्जर छलाह ।[५]


योगी आदित्यनाथ १९७७ मे टिहरीक गजाक स्थानीय स्कूलमे पढ़ाई शुरू केल्खिन आ सन् १९८७ मे टिहरीक गजा स्कुलसँ दसम कऽ परीक्षा पास करि सन् १९८९ मे ऋषिकेशक श्री भरत मन्दिर इन्टर कौलेजसँ इन्टरमिडिएटक परीक्षा पास भेल आ सन् १९९० मे ग्रेजुएशनक पढ़ाई करैत अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषदसँ जुड़ल । सन् १९९२ मे श्रीनगरक हेमवती नन्दन बहुगुणा गढ़वाल विश्वविद्यालयसँ गणितमे बिएससी कऽ परीक्षा पास भऽ सन् १९९३ मे गणितमे एम.एस.सी. कऽ पढ़ाईक समय गुरु गोरखनाथ पर शोध करैत योगी गोरखपुर आएल छल ।[६] अही ठाम गोरखनाथ पीठक महन्त अवैद्यनाथक दृष्टि हिनका पर पड़ल छल। सन् १९९४ मे पूर्ण सन्यासी बनि गेल, जकर बाद हिनकर नाम अजय सिंह बिष्टसँ योगी आदित्यनाथ भऽ गेल।[२][४]


योगी आदित्यनाथ १२ सितम्बर २०१४ कऽ गोरखनाथ मन्दिरक पूर्व महन्त अवैद्यनाथक निधनक बाद ओ अही ठामक महन्त बनल। २ दिन बाद हुनका नाथ पन्थक पारम्परिक अनुष्ठानक मुताबिक मन्दिरक पीठाधीश्वर बनाओल गेल।[६]

राजनैतिक जीवन सम्पादन करी

सबसँ पहिल सन् १९९८ मे योगी आदित्यनाथ गोरखपुरसँ भाजपा उमेदबार भऽ चुनाव लड़ल आर जीत गेल। तखन हिनकर उमर केवल २६ वर्ष छल।[४][६] ओ बारहम लोक सभा (१९९८-९९)क सभसँ युवा सांसद छलाह। सन् १९९९ मे गोरखपुरसँ पुनः सांसद चुनल गेल।


अप्रैल २००२ मे हिनका द्वारा हिन्दू युवा वाहिनी बनाओल गेल । सन् २००४ मे तेसर बेर लोकसभाक चुनाव जितलखिन। सन् २००९ मे २ लाखसँ बेसी भोटसँ जीतिकऽ लोकसभा पहुँचल। सन् २०१४ मे पांचम बेर एक बेर पुनः दुई लाखसँ बेसी भोटसँ जीत कऽ सांसद चुनल गेल । सन् २०१४ कऽ लोकसभा चुनावमे भाजपाक बहुमत मिलल, एकर बाद उत्तर प्रदेशमे १२ विधानसभा सीटसभ पर उपचुनाव भेल। अही चुनावमे योगी आदित्यनाथसँ बहुत प्रचार कराओल गेल, लेकिन परिणाम निराशाजनक रहल। सन् २०१७ मे विधानसभा चुनावमे भाजपाक राष्ट्रिय अध्यक्षद्वारा योगी आदित्यनाथसँ समुचा राज्यमे प्रचार कराओल गेल आ हिनका एक हेलिकप्टर सेहो देल गेल।[४]

१९ मार्च २०१७ मे उत्तर प्रदेशक बिजेपी विधायक दलक बैठकमे योगी आदित्यनाथ कऽ विधायक दलक नेता चुनिक मुख्यमन्त्री पद सौंपल गेल।[२][४]


भारतीय जनता पार्टीसँ सम्बन्ध सम्पादन करी

आदित्यनाथक भारतीय जनता पार्टीक साथमे रिश्ता एक दशकसँ पुरान अछि। ओ पूर्वी उत्तर प्रदेशमे बढ़िया प्रभाव राखैत छथि।[७] अहीसँ पहिले हुनकर पूर्वाधिकारी तथा गोरखनाथ मठक पूर्व महन्त, महन्त अवैद्यनाथ सेहो भारतीय जनता पार्टीसँ १९९१ तथा १९९६ कऽ लोकसभा चुनाव जीत चुकल अछि।[४]


लोकसभा चुनावसभमे प्रदर्शन सम्पादन करी

योगी आदित्यनाथ सबसँ पहिल बेर सन् १९९८ मे गोरखपुरसँ चुनाव भाजपा उमेदवार भऽ लड़ल आर तखन ओ बहुत कम अन्तरसँ जीत दर्ज केलक। लेकिन ओकर बाद हरेक चुनावमे हुनकर जीतक अन्तर बढ़ैत गेल आ ओ १९९९, २००४, २००९ आर २०१४ मे सांसद चुनल गेल।[८] हिनकाद्वारा अप्रैल २००२ मे हिन्दू युवा वाहिनी बनाओल गेल।[२]

विवाद सम्पादन करी

७ सितम्बर २००८ कऽ योगी आदित्यनाथ पर आजमगढ़मे जानलेवा हिंसक हमला भेल छल। अही हमलामे ओ बाल-बाल बचल। ई हमला एतेक बड़का छल की एकसयसँ अधिक वाहनसभक हमलावरसभद्वारा घेरि लेल गेल आ लोकसभक लहुलहान करि देलक।[९] आदित्यनाथ गोरखपुर दङ्गाक समय तखन गिरफ्तार कएल गेल जब मुस्लिमसभ्क पावनि मोहर्रमक समय फायरिङ्गमे एक हिन्दू युवाक जान चलि गेल ।[१०] जिलाधिकारीद्वारा बताओल गेल कि ओ पुरा घायल अछि। तखन अधिकारीसभद्वारा योगीक ओहि जगह जाइसँ रोकि देल गेल परन्तु आदित्यनाथ ओही जगह पर जाएक लेल अड़ि गेल छल। तखन हुनकाद्वारा शहरमे लागल कर्फ्यूक हटाबक माङ्ग केलक। दोसर दिन ओ शहरक मध्य श्रद्धाञ्जलि सभाक आयोजन करकऽ घोषणा केलक लेकिन जिलाधिकारी द्वारा एकर अनुमति देबऽसँ मनाह करि देल गेल। आदित्यनाथद्वारा सेहो एकर चिन्ता नै केलक आर हजारो समर्थसभक साथ अपन गिरफ्तारी देलक। आदित्यनाथक सिआरपिसी कऽ धारा १५१ए, १४६, १४७, २७९, ५०६ कऽ तहत जेल भेज देल गेल।[११] हुनका पर कार्यवाहीक असर भेल कि मुम्बई-गोरखपुर गोदान एक्सप्रेसक किछ डिब्बा जला देल गेल, जकर आरोप हुनकर सङ्गठन हिन्दू युवा वाहिनी पर लागल।[१२]

ई दङ्गा पूर्वी उत्तर प्रदेशक छटा जिलसभ आर तीन मण्डलसभमे सेहो फैलि गेल।[१३]हुनकर गिरफ्तारीक दोसर दिन जिलाधिकारी हरि ओम आ पुलिस प्रमुख राजा श्रीवास्तवक तबादला भऽ गेल। कथित रूपसँ आदित्यनाथक ही दबावक कारण मुलायम सिंह यादवक उत्तर प्रदेश सरकार कऽ ई कार्यवाही करऽ पड़ल छल।[१४]

योगी धर्मांतरणक विरुद्ध आ घर वापसीक लेल बहुत चर्चामे रहल। सन् २००५ मे योगी आदित्यनाथद्वारा करिब १८०० ईसाइसभ कऽ शुद्धीकरण करि हिन्दू धर्ममे शामिल कएल गेल छल। ईसाइसभक अही शुद्धीकरणक काम उत्तर प्रदेशक एटा जिलामे कएल गेल छल ।[६]

मुख्यमन्त्री बनलाक बादक प्रतिक्रियासभ सम्पादन करी

राष्ट्रिय सम्पादन करी

[१५]

अन्तर्राष्ट्रिय सम्पादन करी

  • पाकिस्तानक प्रमुख अखबार डनद्वारा अपन वेबसाइट पर योगीक सीएम बनबाक खबर प्रमुखतासँ प्रकाशित केलक । एकर हेडिङ्ग् अछि, कट्टर हिन्दू बना भारतके सबसे ज्यादा आबादी वाले राज्यका मुख्यमन्त्री।'[१६]
  • पाकिस्तानी अखबार द न्यूजद्वारा योगी आदित्यनाथकऽ युपीक सिएम बनक खबरमे हेडलाइनमे लिखलक - मुस्लिम विरोधी कट्टरपन्थी बनेगा यूपी का सीएम[१६]
  • 'द नेशन' लिखलक कि, युपीक अगुवाईक लेल मोदीक पसन्द मुस्लिम विरोधी नेता योगी आदित्यनाथ।
  • पाकिस्तानी न्युज च्यानल एआरवाईद्वारा सेहो अही पर एक रिपोर्ट टेलीकास्ट केलक। जहिमे कहल गेल कि शाहरुख खान को धमकियां देने वाले शख्स को बीजेपी ने उत्तर प्रदेश का सीएम नियुक्त कर दिया है[१६]
  • न्यूयर्क टाइम्स द्वारा लिखल गेल, फायरब्यान्ड हिन्दू पुरोहित योगी आदित्यनाथ होङ्गे उत्तर प्रदेश के मुख्यमन्त्री।
  • हफिङ्गटन पोस्ट द्वारा लिखलक कि योगी आदित्यनाथ निर्लज्ज आ प्रो-हिन्दू विचारधारा वाली शख्सियत हैं, जो 'घर वापसी' जैसे विवाद कार्यक्रम का प्रमुख चेहरा रहे हैं[१६]
  • बीबीसी हिन्दी द्वारा एक विश्लेषणमे लिखल गेल कि, 'उत्तर प्रदेश की आबादी मे १८ से २० फीसदी मुसलमान हैं। इतने बड़े समुदाय की उपेक्षा करके आप प्रदेश को कैसे आगे बढ़ा पाएंगे। उनका भरोसा कैसे जीतेंगे

[१६]

एहो सभ देखी सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. राजनीतिक केन्द्र रहल योगी कऽ गोरखनाथ मठ - बीबीसी - १९ मार्च २०१७
  2. २.० २.१ २.२ २.३ २.४ योगी आदित्यनाथक असली नाम अजय सिंह नेगी छी। हिनकर जीवनसँ जुड़ल नैसुनल बातसभ सङ्ग्रहित २०१७-०३-१८ वेब्याक मेसिन - एनडीटीवी - १८ मार्च २०१७
  3. Official biography from Parliament of India records
  4. ४.० ४.१ ४.२ ४.३ ४.४ ४.५ योगी आदित्यनाथक पूरा बायोडाटा, जन्मसँ लकऽ उत्तर प्रदेशक मुख्यमन्त्री धरिक सफर सङ्ग्रहित २०१७-०३-१९ वेब्याक मेसिन - एनडीटीवी - १९ मार्च २०१७
  5. यूपीक सीएम बनला पर योगी आदित्यनाथक पिता आनन्द सिंह बिष्ट द्वारा देल गेल यी सलाह - एनडीटीवी - १९ मार्च २०१७
  6. ६.० ६.१ ६.२ ६.३ यूपीक नव CM योगी आदित्यनाथक बारेमे ई ८ चीजसभ जरूर जानी - हिंदुस्तान - २० मार्च २०१७
  7. शरद गुप्ता (२८ सितम्बर १९९९)। "Group war peaks in Uttar Pradesh"इंडियन एक्सप्रेस
  8. भारतीय निर्वाचन आयोग
  9. "दैनिक पांचजन्य"मूलसँ 2012-10-25 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2017-03-20 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  10. Violence hits parts of eastern UP, curfew in Gorakhpur area, दीपक गिडवानी डीएनए मुम्बई, जनवरी २९, २००७
  11. अपूर्वानन्द (१७ फरवरी २००७)। "Riot, manufactured in Gorakhpur"तहलकामूलसँ 2016-03-04 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच २६ अप्रैल २००७ {{cite news}}: Check date values in: |date= (help); Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  12. शाहिरा नईम (२ फरवरी २००७)। "Vahini activists set train ablaze"। ट्रिब्यून समाचार सेवा। मूलसँ 2007-04-28 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच २६ अप्रैल २००७ {{cite news}}: Check date values in: |date= (help); Unknown parameter |deadurl= ignored (|url-status= suggested) (help)
  13. शाहिरा नईम (३० जनवरी २००७)। "Gorakhpur: DM, SSP removed"। ट्रिब्यून समाचार सेवा। अन्तिम पहुँच २६ अप्रैल २००७
  14. सुभाषिनी अली (२७ फरवरी २००७)। "Hindutva's Uncivil Society in Eastern UP: Its time stop the hate spewing yogi of Gorakhpur"। SACW.net Communalism Repository। मूलसँ 2007-06-07 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच १ मई २००७ {{cite web}}: Check date values in: |date= (help); Unknown parameter |deadurl= ignored (|url-status= suggested) (help)
  15. १५.० १५.१ १५.२ १५.३ १५.४ १५.५ योगी आदित्यनाथक CM बनला पर योगेन्द्र यादव कहलनि, 'हे राम', जानी ओवैसी-सलमान खुर्शीद द्वारा की कहल गेल सङ्ग्रहित २०१७-०३-१८ वेब्याक मेसिन - एनडीटीवी - १८ मार्च २०१७
  16. १६.० १६.१ १६.२ १६.३ १६.४ पाक मीडिया द्वारा यूपी सीएम योगीक बताओल गेल 'हिन्दू कट्टरपन्थी', विवादित बयान रहे चर्चामे - न्यूज़ 18 - १९ मार्च २०१७

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी