मोरङ जिला (अङ्ग्रेजी: Morang District About this sound सुनी ) नेपालक पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्र, कोशी अञ्चलमे अवस्थित औद्योगिक जिला छी। पूर्वाञ्चलक ऐतिहासिक गौरवक रुपमे स्थापित मोरङ जिला, औद्योगिक एवं जनसंख्याक हिसाब सँ नेपालक दोसर बड्का जिल्लाक रूपमे सेहो परिचित अछि । नेपालक पूर्वी तराइमे परैबाला ई जिला प्राचिनकालमे विराट राजाक राजधानीके रूपमे प्रख्यात छल । बि.सं. २०१८ सालक प्रशासनिक विभाजन सँ पहिने सेहो ई नेपालक ३५ जिलामे एकटा जिला छल । जे हाल आबि मोरङ, सुनसरी तथा झापा जिला सभमे विभाजित भेल अछि । मोरङ जिलाक क्षेत्रफल १,८५५ वर्ग किलोमिटर अछि । विसं २०६८ मे भेल राष्ट्रिय जनगणना अनुसार ई जिल्लाक जनसङ्ख्या ९,६५,३७० अछि । मोरङ जिलाक सदरमुकाम आ प्रमुख औद्योगिक शहर बिराटनगर छी।

मोरङ जिला
Morang District
क अवस्थिति
देश नेपाल
प्रदेशकोशी प्रदेश
भौगोलिक अवस्थितितराई
गाउँपालिका सङ्ख्या५२
नगरपालिका सङ्ख्या७ (१ उप-महानगरपालिका सहित)
सदरमुकामबिराटनगर
क्षेत्रफल
 • कुल११८५५ किमी (४५७७ वर्गमाइल)
जनसङ्ख्या
 (२०६८[१])
 • कुल९,६५,३७०
 • घनत्व८१/वर्ग किमी (२१०/वर्ग माइल)
समय क्षेत्रयुटिसी+५:४५ (नेपालक प्रमाणिक समय)
क्षेत्रीय सङ्केत०२१
मुख्य भाषासभनेपाली, राई, बङ्गाली, मैथिली, सतार
प्रमुख जातिसभबाहुन, क्षेत्री, कोचे, मेचे, सतार, थारू, कायस्थ लिम्बु
वेबसाइटwww.ddcmorang.gov.np

जिलाक भौगोलिक अवस्था सम्पादन करी

  • अक्षांस:- २६.२०" सँ २६.५३"
  • देशान्तर:- ८७.१६ सँ ८७.५१"
  • सिमाना:- पूर्व झापाइलाम जिला (मावा खोला आर रतुवा खोला), पश्चिम सुनसरी जिला (बुढी आर केसलिया खोला), उत्तर धनकुटापाँचथर जिला आ दक्षिण भारतक बिहार प्रान्त
  • क्षेत्रफल:- १८५५ वर्ग कि.मि.
  • औषत लम्बाई:- लगभग ४६ कि.मि. (पूर्व पश्चिम)
  • औषत चौडाई:- लगभग ५४ कि.मि. (उत्तर दक्षिण)
  • राजनैतिक विभाजनः- ६५ गाविस, १ उपमहानगरपालिका (२२ टा वाड), १७ ईलाका, ७ निर्वाचन क्षेत्र
  • उचाई:- समुन्द्री सतह सँ करिब ६० मिटर सँ २,४१० मिटर धरि

प्रमुख ऐतिहासिक एवं धार्मिक तथा पर्यटकीय क्षेत्रसभ सम्पादन करी

  • विराट राजाक दरवार
  • राजारानी पोखरी
  • राजा धनपाल थान
  • सुनबर्षी पोखरी
  • बागझोडा
  • हसेनी सिमसार
  • बेतौना सिमसारक्षेत्र
  • मण्ठपोखरी
  • ध्वजे डाँडा
  • बेतेनी ताल

जिलागत निर्वाचन क्षेत्र अन्तर्गत मोरङ जिला कऽ नक्सा सम्पादन करी

निर्वाचन आयोग (नेपाल) द्वारा निर्धारण कएल गेल, जिलागत निर्वाचन क्षेत्र अन्तर्गत मोरङ जिला कऽ नक्सा नीचा देल गेल अछि। [२]


सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. Household and population by districts, Central Bureau of Statistics (CBS) Nepal
  2. निर्वाचन आयोग नेपाल सङ्ग्रहित २०१४-०६-१८ वेब्याक मेसिन, निर्वाचन आयोग नेपाल कऽ आधिकारिक वेबसाइटमे उपलब्ध नक्सा.

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी