मोतीलाल नेहरू (जन्म: ६ मई १८६१ – मृत्यु: ६ फरवरी १९३१) इलाहाबाद के एक प्रशिद्ध वकील छल। ओ भारतक प्रथम प्रधानमन्त्री जवाहरलाल नेहरूक पिता छल। ओ भारतक स्वतन्त्रता सङ्ग्रामक आरम्भिक कार्यकर्तासभमे सँ छल।

मोतीलाल नेहरू (१८६१ – १९३१)

१९२८ सँ १९२९ तक पूरा दुई वर्षतक ओ कांग्रेसक राष्ट्रीय अध्यक्ष रहल।

जीवनी सम्पादन करी

मोतीलाल नेहरूक जन्म आगरामे भेल छल। उनकर पिताक नाम गंगाधर छल। ओ पश्चिमी ढँगक शिक्षा पावे वाला प्रथम पिढीक गिनल-चुनल भारतीसभमे सँ छल। ओ इलाहाबाद के म्योर सेन्ट्रल कलेजमे शिक्षित भेल किन्तु बी०ए०क अन्तिम परीक्षा नै द पावल। बादमे ओ कैम्ब्रिज से "बार ऐट ल" क उपाधि लेलक आ अङ्ग्रेजी न्यायालमे वकीलक रूपमे कार्य प्रारम्भ केलक।

मोतीलाल नेहरू क पत्नी क नाम स्वरूप रानी छल। जवाहरलाल नेहरू उनकर एकमात्र पुत्र छल। उनकर दुई कन्या सेहो छल। उनकर बड बेटीक नाम विजयलक्ष्मी छल, जे आगा जाके विजयलक्ष्मी पण्डितक नामसँ प्रशिद्ध भेल। उनकर छोटकी बेटीक नाम कृष्णा छल। जे बादमे कृष्णा हठीसिंह कहलेलक।

परन्तु आगा जाके ओ अपन वकालत छोडी भारतके स्वतन्त्रता सङ्ग्राममे कार्य केने छल। १९२३ मे ओ देशबन्धु चित्तरन्जन दास क साथ काँग्रेस पार्टीसँ अलग भ अपन स्वराज पार्टीक स्थापना केलक। १९२८मे कोलकातामे भेल काँग्रेस अधिवेशनक ओ अध्यक्ष चुनल गेल। १९२८ मे काँग्रेसद्वारा स्थापित भारतीय संविधान आयोगक सेहो ओ अध्यक्ष बनल।


सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी