मिठाई या मिष्ठान्न शक्कर, अन्न आ दुधक भिन्न भिन्न प्रकारसँ पकेला आ मिलेनाए सँ बनैत अछि । खीरहलुआ सभसँ सामान्य मिठाई छी जे प्रायः सभक घरमे बनैत अछि । बेसीतर मिठाईसभ बजार सँ खरीदल जाइत अछि । मिठाई बनाब वाला व्यवसायिक बावर्चीकें हलवाई कहल जाइत अछि । भारतकनेपालक संस्कृति अनुसार एतय हर प्रदेशक मिठाईमे सेहो विभिन्नता अछि । पावनि तिहार या पारिवारिक अनुष्ठानसभमे मिठाईकें बहुत महत्व होइत अछि । दैनिक जीवनमे मिठाई खाना भोजनक बाद खाएल जाइत अछि । किछ मिठाईसभ समय अनुसार ग्रहण कएल जाइत अछि जेना जिलेबी भोरक समय खाएल जाइत अछि, तँ किछ मिठाईसभ पावनि सँ सम्बन्धित होइत अछि, जेना पुड़ुकिया उत्तर भारतमे होरीक अवसर मे आ दक्षिण भारतमे दिवाली पर बनेबाक परम्परा अछि ।

मिठाईसभ
केरलमे पुन्सावनमक समय परोसल जाएवाला मिठाईसभ

भारतमे मिठाईसभक भरमार अछि । किछ निम्नलिखित अछि -

प्रकार सम्पादन करी