महालङ्गुर हिमश्रृङ्खला
महालङ्गुर हिमश्रृङ्खला हिमालयक एक भाग छी जे पूर्वोत्तर नेपाल आ दक्षिण-मध्य तिब्बतमे अवस्थित अछि । ई पूर्वमे नाङ्गपा ला नामक दर्रासँ पश्चिममे अरुण नदीधरि विस्तारित अछि । हिमालयके उपभागक दृष्टिसँ एकर पश्चिममे खुम्बु हिमालय (जकर आगा पश्चिममे रोल्वालिङ हिमालय) आ पूर्वमे कञ्चनजङ्घा हिमालय आबैत अछि । पृथ्वीके छ सर्वोच्च हिमालयमे सँ चारि हिमालयसभ, सगरमाथा, ल्होचे, मकालु आ चोयु हिमालय - एहिमे शामिल अछि ।[१] एकर तिब्बती भागमे रोङ्गबुक हिमनदी आ काङ्गशुङ हिमनदी बहैत अछि जबकि नेपाल भागमे बरुण नदी, नोजुम्बा, खुम्बु हिमनदी बहैत अछि । ई सभ उत्तर आ पूर्वमे अरुण नदीद्वारा आ दक्षिणमे दुधकोशी नदीद्वारा कोशी नदीके जल प्रदान करैत अछि ।
महालङ्गुर हिमश्रृङ्खला | |
---|---|
Mahalangur Himal | |
उच्चतम विन्दु | |
चोटी | सगरमाथा |
अवनति | ८,८४८ मी (२९,०२९ फिट) |
निर्देशाङ्क | २७°५९′१७″उ॰ ८६°५५′३१″पू॰ / २७.९८८०६°N ८६.९२५२८°E |
आयामसभ | |
लम्बाई | ८० किमी (५० माइल) ESE |
चौडाई | ६५ किमी (४० माइल) NNE |
क्षेत्रफल | ५,२०० किमी२ (२,००० वर्ग माइल) |
भूगोल | |
देशसभ | नेपाल आ चीन |
जिलासभ | सोलुखुम्बु जिला, सङ्खुवासभा जिला आ टिङ्गरी काउन्टी |
माता शृङ्खला | हिमालय |
सिमानामे | रोल्वालिङ हिमालय |
चित्र दीर्घा सम्पादन करी
-
दक्षिणसँ देखलापर
सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी
- ↑ H. Adams Carter (1985)। "Classification of the Himalaya" (PDF)। American Alpine Journal। American Alpine Club। pp. 116–120। अन्तिम पहुँच May 1, 2011।
बाह्य जडीसभ सम्पादन करी
विकिमिडिया कमन्समे महालङ्गुर हिमश्रृङ्खलासँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |