ममयनसिंह बङ्गलादेशक ब्रह्मपुत्र नदी किनारमे अवस्थित सभ सँ दोसर बेसी जनघनत्व भेल शहर छी । ई शहरमे राज काल सँ पैग पैग भवनसभ रहल अछि । ममयनसिंह विभागक मुख्य शहर आ सदरमुकामक रुपमे रहल ई शहर बङ्गादेशक राजधानी ढाका सँ १२० किलोमिटर (७५ माइल) उत्तर दिस रहल अछि । ई शहरक सिमाना क्षेत्र गाजीपुर, जमलपुर, तङ्गाली आ किशोरगञ्ज जका जिलासभद्वारा घेराएल अछि । जनता प्रशासक मन्त्रालयक अनुसार ममयनसिंह जिला बङ्गलादेशक जिलासभमे सँ ४ अम स्थानमे रहल अछि । ई उत्तर मध्य बङ्गलादेशक एक प्रमुख वित्तीय केन्द्र छी । ई बङ्गलादेशक तेसर सभ सँ पैग शहर छी आ ममयनसिंह शहरक जनघनत्व ४४,४५८ वर्ग किलोमिटर रहल अछि जे बङ्गलादेशमे जनघनत्वक हिसाब सँ दोसर बेसी जनआबादी छी । ई शहर समुद्री सतह सँ १९ मीटर उचाईमे अवस्थित अछि ।

मयमनसिंह
ময়মনসিংহ
शहरक सम्पदासभ
देश बङ्गलादेश
विभागमयमनसिंह
जिलामयमनसिंह
स्थापनासन् १७८७
शहरसन् १७८७[१]
सरकार
 • प्रकारशहर नगरपालिका
 • मेयरइकरामुल हकी टिटु
 • परिसदका सदस्यमोतिउर रहमान
क्षेत्रफल
 • शहर९१.३१५ किमी (३५.२५७ वर्गमाइल)
 • महानगर
९१.३१५ किमी (३५.२५७ वर्गमाइल)
उन्नतांश
१९ मिटर (६२ फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०११)
 • शहर१३,८९,९१८
 • घनत्व४४४५८/वर्ग किमी (११५१५०/वर्ग माइल)
समय क्षेत्रयुटिसी+६ (बङ्गलादेशी समय)
डाक कोड
२२००, २२०१, २२०२, २२०३, २२०४, २२०५, २२०६
टेलिफोन कोड०९१
वेबसाइटhttp://www.mymensingh.gov.bd/

मौसम आ भूगोल सम्पादन करी

ई शहरक कोनो आधिकारिक रूपमे परिभाषित भौगोलिक सीमा मापन नै कएल गेल अछि । सन् १९८० कें दशक सँ शहर तीव्र शहरीकरणक सङ्ग विस्तार भेल कारण मापन केनाए कठिन भेल अछि । ममयनसिंह शहर उत्तर दिस फैलिल पुरान ब्रह्मपुत्र नदीकें किनारमे अवस्थित अछि । शम्भुगञ्ज नदी आ ब्रह्मपुत्र नदी शम्भुगनञ्ज नदीक बाँधमे आबि मिलैत अछि जे ब्रह्मपुत्र नदीक बामा कात पडैत अछि । ई शहरक मध्य भागमे सुल्तानबाद कलेज, मेडिकल कलेज, कृषि विश्वविद्यालय अादी अछि । राजधानी शहर ढाका सँ एक रेलवे मार्ग सञ्चालित अछि जकरा सन् १८८५-१८९९ कें बीच बनाएल गेल छल जे शहरकें दुई पक्षमे विभाजन करैत अछि ।

ई शहर हिमालयक नजदिक भेलाक कारण ई शहर राजधानी ढाका सँ शितल अछि । शहरमे वर्षा ऋतु मई आ जुन महिनामे सुरु भऽ अगस्तधरि जारी रहैत अछि । ई समयमे एहि ठाम भारी वर्षा होएत अछि आ कहियो काल तँ ३ दिन या एक सप्ताह सँ बेसी समयधरि वर्षा होएत रहैत अछि । ई शहरक तापक्रम वर्षा ऋतुमे १५ सँ २० डिग्री होएत अछि तँ ठण्डीमे ई शहरक तापक्रम १५ या ओहि सँ कम भऽ जाएत अछि । ठण्डी मौसम मध्य नवम्बर सँ मध्य फरबरी धरि चालू रहैत अछि । ई शहरक उच्च तापक्रम ४० डिग्री होएत अछि जे अप्रैल आ मईकें बीचमे होएत अछि । ई शहरमे घुमऽ कऽ लेल आबऽ वाला पर्यटकसभक लेल नवम्बर सँ फरबरी बीचक महिना सभ सँ उपयुक्त होएत अछि ।

धर्म सम्पादन करी

 
बोरो मस्जिद
 
विश्वनाथ मन्दिर

ममयनसिंह बङ्गलादेशक एक शहर छी जतय मुस्लिमहिन्दुसभ एके साथ रहैत अछि । ई शहरमे दुनू धर्मक पावनि तिहार मनाएल जाएत अछि । दुर्गा पूजाक समयमे पुरा शहर सुन्दर द्वार आ फूलसभद्वारा सजाएल जाएत अछि । किछ इसाई परिवारसभ सेहो ममयनसिंहमा बसोबास करैत अछि । ई शहरमे सम्पूर्ण धर्मक सभ प्रकारक लोकसभक बसोबास अछि ।

शिक्षा सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "मयमनसिंहमा मेयरको भाषण"। चिट्टेगोंग शहर निगम। मूलसँ 25 November 2007 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 21 December 2009 {{cite web}}: Unknown parameter |deadurl= ignored (|url-status= suggested) (help)
  2. ": शहरी क्षेत्र विभाग" (PDF)बङ्गलादेशको जनसङ्ख्या र घरहरूको जनाकारी। बङ्गलादेश राष्ट्रिय तथ्याङ्क विभाग। August 2014। p. 72। अन्तिम पहुँच 11 June 2017

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी