मन्दोदरी हिन्दू धर्मग्रन्थ रामायणमे वर्णित राक्षसक राजा रावणक पत्नी छथि । रावण एक धूर्त छल एक पतिब्रता पत्नी छलिन । ओ रावणक बल पराक्रम संग परिचित छलिन अतः ओ सम्भवत अनेकौ नीति पूर्ण तरिकासँ रावणके सम्झावेल प्रयास केने छलिन । ओ पञ्चकन्या मध्ये सेहो एक छथि। ' अहल्या द्रौपदी सीता तारा मन्दोदरी तथा ।पंचकन्या स्मरेन्नित्यं महापातकनाशनम्।।' ई एक संस्कृत पद्यमे ई प्रकारक स्तुति मिलैत अछि ।

मन्दोदरी
राजा रवि वर्माद्वारा बनाएल मन्दोदरीक चित्र[१]
देवनागरीमन्दोदरी
संस्कृतमन्दोदरी
वर्ग:राक्षस, पञ्चकन्या
वासस्थान:लंका
जीवनसाथी:रावण, विभिषण

मन्दोदरी महान ऋषि कश्यपक पुत्र मायासुरक गोद लेल पुत्री छलिन, रावणसँ विवाहक पच्यात मन्दोदरीक तीन पुत्र भेल जिनकर नाम मेघनाद अक्षकुमार आ अतिक्य छल ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. Ayyer, Dhanalakshmi (October 29, 2006)। "Women of substance: Mandodari : Pure as water"। The Week24 (48): 50–1।

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी