पूर्णिया भारतक बिहार प्रान्तक एक जिला एवं जिला मुख्यालय छी। एतसँ नेपाल तथा पूर्वोत्तर भारत जाएक रास्ता ऐछ। एन एच ३१ जे कि इस्ट-वेस्ट कोरीडरक हिस्सा छी उत्तर भारतक आसाम, सिक्कीम, मेघालय, अरुणाचल, त्रिपुरा, नागालैंड, मणीपुर, मिजोरम तथा भुटानस जोडति अछि । पूर्णिया पुर्वी बिहारक सबसँ पैग नगर अछि । ई नगर स्वास्थ्य सेवा, मोटर पार्ट, अनाज आ किराना मंडीके कारण पूरे पूर्वी भारतम विख्यात अछि। मुगल कालसँ ही पूर्णिया प्रशासनिक दृष्टीकोणसँ महत्वपूर्ण स्थान रहल अछि, अंग्रजी हुकूमतके दौरमे एतसँ आस-पासक इलाकासभ पर नियंत्रण कएल जाएत छल । वर्तमानमें पूर्णिया प्रमंडलीय मुख्यालय छी जेकर अन्तर्गत पूर्णिया, कटीहार, अररिया आ किशनगंज जिला आबैत अछि ।

पूर्णिया, सौरा नदीक पूर्वी किनार पर स्थित नगर अछि । एतसँ कारागृह तथा कार्यालयसभक इमारतसभ बढिया हालत मे अछि । कम्बल, चटाइसभ आ सरसोंक तेल पेरौन आदि के काम होएत अछि तथा एतक उत्पादित वस्तुसभ एतहि खपि जाएत अछि ।

इतिहास सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी