पुष्पकविमान हिन्दू पौराणिक महाकाव्य रामायणमे वर्णित वायु-वाहन छल । ई विमानक प्रयोग लंकाक राजा रावण करैत छल । ई विमानक उल्लेख सीता हरण प्रकरणमे सेहो मिलैत अछि । रामायणक अनुसार राम-रावण युद्धक बाद श्रीराम, सीता, लक्ष्मण तथा लंकाक नवघोषित राजा विभीषण तथा अन्य बहुत लोकसभ सहित लंकासँ अयोध्या आएल छल । ई विमान मूलतः धनक देवता, कुबेरक छल मुदा रावण अपन छोट भाए कुबेरसँ बलपूर्वक ओकर नगरी सुवर्णमण्डित लंकापुरी तथा इ विमान छीन लेनए छल ।[१][२] अन्य ग्रन्थसभमे उल्लेख अनुसार पुष्पक विमानक प्रारुप आ निर्माण विधि अङ्गिरा ऋषिद्वारा[२] कएल गेल तथा एकर निर्माण आ सजावट देव-शिल्पी विश्वकर्माद्वारा कएल गेल छल । भारतक प्राचीन हिन्दू ग्रन्थसभमे लगभग दस हजार वर्ष पूर्व विमानसभ आ युद्धसभमे तथा ओकर प्रयोगक विस्तृत वर्णन देनए अछि । ओ सभ विमानसभमे रावणक पुष्पक विमानक उल्लेख बेसीतर मिलैत अछि । एहि वाहेक अन्य सैनिक क्षमता सम्पन्न विमानसभ आ ओकर प्रयोग, विमानसभक आपसमे भिडन्त, अदृश्य होनाए आ पाछा केनाए, एहन उल्लेख मिलैत अछि । ई ग्रन्थसभमे प्राचीन विमानसभक मुख्यतः दुई श्रेणीमे बाँटल गेल अछि- प्रथम मानव निर्मित विमान, जे आधुनिक विमानसभ जका पङ्खाक सहायतासँ उड़ान भरैत छल, आ द्वितीय आश्चर्य जनक विमान, जे मानवद्वारा निर्मित नै छल मुदा ओ विमानसभक आकार प्रकार आधुनिक उडन तशतरीसभक अनुरूप होइत छल ।[३]

पुष्पक विमान
Pushpak Viman
श्रीराम, सीता आ अन्य सहित पुष्पक विमान पर विराजमान
वर्गप्राचीन हिन्दू पौराणिक वाहन
सह-वर्गआकाशीय वाहन
पौराणिक ग्रन्थरामायण
देशश्रीलंका, भारत
क्षेत्रभारतीय उपमहाद्वीप


विशेष गुण सम्पादन करी

विमान सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "जानिए रावण के रहस्य उसकी लंका में थे छह एयरपोर्ट"। समाचार जगत। ९ सितंबर, २०१६। {{cite web}}: Check date values in: |date= (help); Cite has empty unknown parameters: |month=, |accessmonthday=, आ |coauthors= (help)
  2. २.० २.१ "रावण की 10 खास बातें जो आपको जानना चाहिए, अवश्य पढ़ें..."दैनिक जागरण। वेब दुनिया। {{cite web}}: Cite has empty unknown parameters: |month=, |accessmonthday=, आ |coauthors= (help)
  3. शर्मा, ऋचा (११ नवंबर, २०१३)। "रावण के पास सच में था पुष्पक-विमान!"। स्पीकिंग ट्री। {{cite web}}: Check date values in: |date= (help); Cite has empty unknown parameters: |month=, |accessmonthday=, आ |coauthors= (help)

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी