पानी पुरी भारतीय उपमहाद्वीपक एक लोकप्रिय अल्प भोजन छी।[१] भारत, नेपाल आ पाकिस्तानमे एकर अत्यधिक लोकप्रियता अछि। भारतमे एकरा भिन्न भिन्न नामसँ जानल जाएत अछि जेना उत्तर भारतमे पानी पुरी या गोलगप्पे, पूर्व भारतमे फुचका, दक्षिण भारतमे पानी पुरीपश्चिम भारतमे गुपचुप[२] प्राय लोकसभ एकरा दुपहर या साँझक समयमे खाए लेल पसन्द करैत अछि। पानी पुरी २० सँ बेसी तरिकासँ बनाएल जाएत अछि जहिमे खट्टा पानीपुरी, मीठी पानीपुरी आ तीखी पानीपुरी सबसँ लोकप्रिय मानल जाएत अछि।

पानी पुरी
Panipuri
पानी पुरी चटनी कऽ सङ्ग
प्रकारनास्ता
उत्पत्ति स्थानभारत
क्षेत्र वा राज्यउत्तर भारत
मुख्य सामग्रीसभआटा, मसालादार पानि, पिआउज, आलू, चना

पानी पुरीकेँ आओर बेसी चहटगर बनेबाक लेल एहिमे आलू, पिआउज मर्चाई, मटर सँ बनल चोखा आधा भरि इमलीक पानि सँ पूरा भरल जाएत अछि। एहि वाहेक अलग किसिमक गोलगप्पा जहिमे सौंठक चटनी, मीठ चटनी, मीठ गुलाब पानि, आ दहीक सङ्ग भरि सेहो बनाएल जाएत अछि।[३][४][५]

इतिहास सम्पादन करी

पानी पुरीक शाब्दिक अर्थ छी "पानि कऽ रोटी" एकर मूलक बारेमे बहुत कम जानकारी अछि मुदा पानी पुरी शब्द सन् १९५५ मे आ गोल्गप्पा शब्द सन् १९५१ मे दर्ज कएल गेल छल।[६][७]

बनेबाक विधि सम्पादन करी

सामग्रीसभ सम्पादन करी

पुरी: पुरीक लेल सुजी १ कटोरी, मैदा २ कटोरी आ तेल छानऽक लेल।
विधि : सूजी आ मैदाकेँ मिलाए एकदम गाढ़ा आटा गुँथी। एक घण्टा गील रुमाल सँ झापि कऽ राखी। तेल गरम करी आ कम आँचमे पातर रोटी बेली। छोट कटोरी सँ गोला काटि छानि ली।
पानि कऽ लेल : इमली ५०० ग्राम, जलजीरा ४ चम्मच, कारी निमक २ चायक चम्मच, लाल मर्चाई पाउडर १ चम्मच, सक्कर ४-५ चम्मच।
विधि : इमलीक छोट-छोट टुकड़ा करि प्रेसर कुकरमे ४ कप पानि राखि २ सँ ३ सीटी आबै धरि उबाली। ठण्डा भऽ गेलाक बाद मिक्सीमे पीसी। आब एकरा छानि ली आ बाँकी सब सामग्री मिलाए ३ कप पानि आओर मिलाए ओकरा ठण्डा करि ली।
भरवाक लेल : उबलल आलू ४ सानल, चटनी ३ चम्मच, बूँदी १/४ कप भीजल, कारी निमक १/२ चम्मच, लाल मिर्च पाउडर १/४ चम्मच, जीरा (पीसल) १/४ चम्मच निमक स्वादानुसार। सब सामग्री मिलाए राखि ली।
मीठ चटनीक लेल : २ चम्मच पिसल अमचूरकेँ १ कप पानिमे भिजाए ली आ ओकर बाद ओकरा उबालि ली। आब ओहिमे १/२ चम्मच कारी निमक, १ चम्मच जीरा पीसल, गरम मसाला १/४ चम्मच, लाल मर्चाई १/४ चम्मच, सक्कर १/२ कप मिलाए ओकरा ठण्डा करि ली आ अन्तत: आब ओकरा डुबाबी आ खाए लेल सुरू करी।

तस्वीरसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. Tarla Dalal, Chaat Cookbook., Gardners Books, 2000, 116 p. (आइएसबिएन ९७८-८१-८६४६९-६२-०
  2. "11 Different Names For Your Favourite Pani Puri"
  3. Ramprasad, Gayathri (2014). Shadows in the Sun: Healing from Depression and Finding the Light Within. Hazelden. pp. 260. आइएसबिएन 978-1-61649-531-2. 
  4. Pani Puri recipe in Veg Recipes of India
  5. गोल गप्पे बनाने के नुस्ख़े
  6. "Some visitors are impressed with the unique foods of the city, famous among them are Aalu Chap (a hot potato preparation), Golgappa (a juicy preparation)..", The National Geographical Journal of India, page 116, published by National Geographical Society of India, 1955.
  7. Census of India, 1951, 8:1:474.